Deuteronomy28

1मूसा इजराएलके लोकसबके कहलकनि जे यदि आजुक दिन हम अहाँसबके जे आदेश मुताबिक अहाँसब होशियारी पुर्वक यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके सब आज्ञासबके मानिक' हुनकर वचनसब पालन करब, त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके पृथ्वीक' सब जातिसबस' श्रेष्ठ बना देताह।2यहोवा अहाँसबके अपन परमेश्वरक वचन पालन करब त' ईसब आशीष अहाँसबपर आबि जाएत आ अहाँसबके साथ रहत।3अहाँसब शहरमे आशीषित रहब, आ अहाँसबके खेतबारी आशीषित होएत।4अहाँसबके सन्तानसब उपर आशीष आओत, अहाँसबके जमीनक' उपजनी आ हेंड़के मालजाल आ भेंड़ाके बच्चासब सेहो आशीषित होएत।5अहाँसबके टोकरी आ अहाँसबके आंटा गूथए बला वर्तनमे आशीष मिलत।6अहाँसब भीतर अबैत काल आ बाहर निकलब त' आशीषित होएब। 7अहाँसबके विरुद्ध आबएबला शत्रुसबके यहोवा अहाँसबके सोझामे मारि देथिन। ओसब एक रस्तास' अहाँसबके विरुद्ध आएत मुदा सात रस्तास अहाँसबहक सोंझास' भागि जाएत।8यहोवा अहाँसबके धन्सारमे आ अहाँसबके हाथसब काजमे आशीष देथिन। यहोवा अहाँसबके देब जा' रहल कनान देशमे अहाँसबके आशीष देथिन।9यदि यहोवा अहाँसबके अपन परमेश्वरक आज्ञा सबहक पालन करब आ हुनकर बाटपर चलब त' यहोवा शपत खा' क' प्रतिज्ञा कएने अनुसार अहाँसबके एकटा पवित्र जातिक' रुपमे स्थापित करताह।10पृथ्वीके आदमीसब देखत जे अहाँसब यहोवा अहाँसबके हुनकर अपन लोक होअएलेल चुनने छथि आ ओसब अहाँसबस' डेराएत।11अहाँसबके' देब कहिक' अहाँसबके' पूर्वज सबस प्रतिज्ञा कएने देशमे अहाँसबके सन्तान, मवेशीक हेंड़मे, जमीनक' उपजनीमे यहोवा बहुत आशीष देथिन।12यहोवा अहाँसबके लेल अपन स्वर्गके' भण्डार खोलिक' ठीक ऋतुमे अहाँसबके भूमिक' लेल वर्षा पठा देथिन आ अहाँसबके हाथके' प्रत्येक काजमे आशीष देथिन। अहाँसब दोसर जातिसबके ऋण देब, मुदा अहाँसब केकरोस' ऋण नहि लेब।13आइ हम अहाँसबके द' रहल यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके आज्ञासब ध्यान द' सुनिक' होसियारी पुर्वक पालन करब त' यहोवा अहाँसबके नाङरि नहि माथ बनौताह। अहाँसब जरिमे नहि फुन्ची पर मात्रे रहब। 14आ आइ हम अहाँसबके द' रहल आज्ञा सबस' दहिना वा बामा होए क' आन देवतासबके पाछु लागि ओकरासबहक सेवा नहि करब। 15मूसा इजराएलके लोकसबके आओर कहलनि जे मुदा यदि आइ हम अहाँसबके द' रहल यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके आज्ञासब आ विधिसब होसियारी पुर्वक मानिक' हुनकर वचन पालन नहि करब त' ईसब सरापसब अहाँसबपर आबि अहाँसबके जकड़ि लेत।16अहाँसब शहरमे सरापित होएत, आ खेतबारीमे सराप पडत।17अहाँसबके अनाजके' डाली सरापित होएत आ अहाँसबके गूथबाक वर्तनमे सराप पडत।18अहाँसबके सन्तानसबके उपर, जमीनक उपजनीमे, हेंड़के मालजाल उपर आ भेंड़के' जन्मल बच्चासब सरापित होएत।19भीतर अबैत काल आ बाहर निकलला पर अहाँसब सरापित होएब। 20यहोवा अहाँसबके हाथके' सब काजमे सराप, गोलमाल आ डांट-फटकार पठौताह, जा' धरि अहाँसब अपन दुष्ट कर्मक' कारण जल्दिए नाश नहि भ' जाएब, नाश नहि भ' जाएब।21अहाँसब अधिकार करए जा' रहल देशस' अहाँसबके' नामनिशान मेटाबए धरि यहोवा अहाँसब देशमे महामारी छिरीया देतनि।22यहोवा अहाँसबपर संक्रामक रोग, बोखार, सूजन, आ रौदी, एकदम बेसी गर्मी आ तपत हवा आ महामारी आ फफूंदी स' सताओत। जा' धरि अहाँसब नाश नहि भ' जाएब।23अहाँसबके माथके उपरके आकाश कांसे आ अहाँके नीचा क' धरती लोहाके' जकां भ' जाएत।24यहोवा अहाँसबके देशके वर्षाके धुलमिट्टीमे बदलि देताह। अहाँसब नाश नहि भ' जाएब ता' धरि आकाशस' ईसब अहाँसबपर आएत।25यहोवा अहाँसबके अपन शत्रुसबके आगु पराजीत क' देताह। अहाँसब ओकरासबहक विरुद्ध एकटा रास्तास' जाएब मुदा ओकरासबहक सामनेस' सात रस्तास भागब। पृथ्वीक' सब राज्यमे अहाँसब तिस्कृत भ' जाएब।26अहाँसबके मृत शरीर आकाशके' चिड़ैसब आ जंगली जानबर सबहक भोजन होएत। ओकरासबके ओतए' स' भगाबएबला केओ नहि रहत।27यहोवा अहाँसबके कहियो ठीक नहि होबएबला मिस्रके' फोका, घाव, खुजली आ हौहटि स' प्रहार करताह।28यहोवा अहाँसबके पागलपन, आन्हरपन आ मानसिक छटपटी स' प्रहार करताह।29आन्हर अन्हार अन्हारमे टटोलैत आगु बढ़ैत अछि जेना अहाँसब दुपहरियामे चलब, आ अहाँसबके अपन कोनो काजमे सफल नहि होएब। अहाँसब सदिखन शोषणमे रहब आ लूटल जाएब, आ अहाँसबके बचाबएबला केओ नहि रहत।30अहाँस' सगाइ भेल स्त्रीके दोसर जबर्जस्ती ल' जा' क' ओकरा बलत्कार करत। अहाँसब घर बनाएब मुदा ओहिमे नहि रहए पाएब, अंगूरक' बगीचा लगाएब मुदा ओकर फलक' स्वाद नहि लेब' पाएब।31अहाँसब अपन बच्छाके आंखिक' आगु मारब, मुदा अहाँसबके ओकर मंगलहुं खाएके नसीब नहि होएत। अहाँसबके गदहा जबरदस्ती अहाँस' छिन क' ल' जाएत आ अहाँसब फिर्ता नहि पाएब। अहाँसबके हेंड़के भेड़ अहाँसबके शत्रुसबके देल जाएत, आ अहाँके दुश्मनके ओ मालजालसबके अहाँके वापस करए मदति करएलेल केओ आसपास नहि रहत।32अहाँसबके बेटाबेटीके विदेशीसबके दासके रुपमे देल जाएत। ओकरासबहक प्रतिक्षामे अहाँसबके आंखि टटा' जाएत। मुदा अहाँसबके हाथमे कोनो सामर्थ्य नहि रहत।33अहाँसबके जमीन आ परिश्रमक फलसब अन्य जाति खा' जाएत। अहाँसब सदिखन शोषित आ दबाएल रहब।34अहाँसबके आंखिके जे देखए पड़त ओहिस' अहाँसब बताह जाएब।35यहोवा अहाँसबके ठेहुन आ टांग, माथके' चोटी स' ल' क' पयरक' तरबा धरि कहियो ठीक नहि होबएबला गम्भीर फोका स' प्रहार करत।36यहोवा अहाँसबके आ अहाँसबके राजाके अहाँसब आ अहाँसबके पूर्वजसब नहि चिन्हने जातिके बीचमे निर्वासन आ युद्ध बंदीके रुपमे पठादेत। ओतए' अहाँसब लकड़ी आ पत्थलक' आन देवतासबके पूजा करब।37जत' यहोवा अहाँसबके खिहारि ल' जाएत ओ जाति सबहक बीचमे भय, तिरस्कार आ कहब बनिक रहि जाएब।38अहाँसब खेतमे बहुत बिआ बाओग करब मुदा कम अनाज जमाक' पाएब, किएक त' फनिगासब फसलके सुडाह: क' देत।39अंगूरक बगीचा लगाक' सेवा करब, मुदा नहि दाखमद्य पिएब, आ नहि अंगूर जमा कर' पाएब, किएक त' किरा ओकरा खा' जाएत।40अहाँसब समस्त इलाकामे जैतूनक' गाछ रोपब, मुदा अपनालेल ओहिके तेल नहि निकालि सकब, किएक त' जैतूनक' गाछके फल खसि पडत।41अहाँसब बेटाबेटी जन्माएब, मुदा ओसब अहाँसब लगमे नहि रहत, किएक त' ओसब युद्ध बंदी बनाक' ल गेल जाएत।42अहाँसबके सबटा गाछवृक्ष आ अहाँसबके जमीनक' फलके फनिगासब खतम क' देत।43अहाँसबके बीचमे रहनिहार परदेशीसब अहाँसबस' उपर उठत। अहाँसब स्वयं नीचा गिरैत जाएब।44ओसब अहाँसबके ऋण देत, मुदा अहाँसब ओकरासबके ऋण नहि देब। ओसब माथ बनत, आ अहाँसब नाङरि बनब।45मूसा इजराएलके लोकसबके कहलकनि जे अहाँसब जा' धरि नाश नहि भ' जाएब ईसब सरापसब अहाँसबपर आएत आ अहाँसबके सताक' आगु निकालि जाएत। यदि अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके आज्ञा आ विधिसब मानिक' हुनकर वचन पालन नहि कएली त'।46अहाँसब आ अहाँसबके सन्तानसब पर सदिखनके लेल ई सरापक' चेन्ह आ आश्चर्यक' काज रहत।47किएक त' अहाँसब लगमे प्रशस्त छल तखन अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक सेवा प्रसन्न भ' क' नहि कएलिऐ।48तएं भुख, प्यास, नङटे आ गरीबीमे परिक' यहोवाद्वारा अहाँसबके बिरुद्धमे पठाओल शत्रुसबके अहाँसब सेवा करब। ओ अहाँसबके जाधरि नाश नहि क' देताह, अहाँसबके गरदनिपर लोहाके जुआ बोकाओत। 49यहोवा दूर-दूरस', पृथ्वीक दूरक छोरस', जेना गरुड़ निंचा अपन शिकार पर आक्रमण करैत छै, अहाँसब नहि बुझएबला भाषा बाजएबला एकटा जातिके अहाँसबके विरुद्ध अनताह।50एकटा कठोर चेहराबला जाति, जे वृद्धके आदर नहि करैत अछि आ नहि बच्चापर दया करैत अछि।51ओसब अहाँसबके मालजालके हेंड़के बच्चासब आ अहाँके' जमीनक' फसल अहाँसबके नाश होएब' धरि खाएत। जा' धरि ओसब अहाँसबके नाश नहि क' देत, ता' धरि ओसब अहाँसबके अनाज, नवका दाखमद्य वा तेल, मालजाल आ भेंड़ाके' बच्चा किछु नहि छोड़त।52अहाँसबके सहरक' सब द्वार ओसब घेराबन्दी क' लेत आ अहाँसब भरोसा कएने देशभरिके बड़का-बड़का देबालसब ओसब गिरा देत। यहोवा अहाँसबके परमेश्वर देब' जा' रहल सारा देशमे हरेक शहरमे अहाँसबके' घेराबन्दी क' लेत।53अहाँसब खाएलेल एतेक तड़पब जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके द्वारा देल गेल अहाँसबहक सन्तान, अपने बेटा-बेटी सबहक' माउस अहाँसब खाएब, जं अहाँसबके शत्रुसब अहाँसबके घेरिक' अहाँसबके कष्ट देत।54अहाँसबमेस' कोमल आ भद्र आदमी सेहो अपन भाइ आ अपन प्रिय पत्नीस', आ अपन बांचिगेल सन्तानसबस' ईर्ष्या करत।55एत धरि जे घेराबन्दीके समयमे, भूखके कारण, एकटा व्यक्ति जे सौम्य आ दयालु छल, ओ अपन बच्चासभके खाइत अछि आ अपन भाय वा पत्नीके संगे वा अपन अन्य बच्चासब संगे भोजन बांटएस' मनाक' दैत अछि।56अहाँसबके बीचमे कोमल आ सुकुमार स्त्री, जे सिष्टता आ कोमलताक कारण अपन पयर जमीनपर राखए नहि चाहैत छल, सेहो अपन प्रिय पति, आओर धियापुतास' ईर्ष्या करत,57आ ओकर कोंखिस' जन्मल लालबच्चाक' आ ओ जन्म देने अपन सन्तानसबके' सहरक' घेराबन्दीके समय आ शत्रुसब द्वारा उत्पन्न संकटमे आन वस्तुक' अभावमे एकान्तमे खाएके इच्छा करत।58यदि यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके गौरवशाली, भययोग्य, नामके डर नहि मानि अहाँसब एहि पोथीमे लिखल व्यवस्थाके सब वचनके पालन नहि करब।59त' यहोवा अहाँसबके आ अहाँ अहाँसबके सन्तानक' उपर भयानक विपत्ति, दीर्घकालीन गम्भीर रोगसब, आ दीर्घकालीन कष्ट लाओत।60ओ अहाँसबपर मिस्र देशके' सबटा रोग फेरुस' लाबि देताह, जाहिस' अहाँसब डेराइत छलीह। आ अहाँसबस' संगे रहत।61संगहि एहि व्यवस्थाके' पोथीमे नहि लिखल रोगसब आ विपत्तिसब सेहो अहाँसब नाश होएब धरि यहोवा अहाँसबपर लाबि देताह।62अहाँसब जे संख्यामे आकाशके तरेगन जंका रहिऐ, कम्मे संख्यामे बांकी रहि जाएब। किएक त' अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरके वचन नहि मानलथि।63जेना एक बेर यहोवा अहाँसबके भलाइ करएमे आ वृद्धि करएमे आनन्दित भेल छलाह, ओहिना आब ओ अहाँसबके नाश आ विध्वंस करएमे आनन्दित होएतनि। अहाँसब अधिकार करए लेल जा रहल देशमेस' अहाँसब उखारि देल जाएब।64यहोवा अहाँसबके पृथ्वीक' एक छोरस' दोसर छोर धरि सब जाति सबमे तितरबितर क' देथिन। ओतए' अहाँसब लकड़ी आ पत्थलस' बनल आन देवता सबहक' पूजा करब जेकरा नहि अहाँसब आ नहि अहाँसबके पूर्वजसब जनैत छल।65ओहि जाति सबहक' बीचमे अहाँसबके' चैन नहि भेटत, आ नहि पयरक' तरबाके आराम मिलत। मुदा, यहोवा अहाँसबके ओतए' चिन्तित हृदय, पथराएल आंखि आ निराश आत्मा देथिन।66अहाँसबके जीवन निरन्तर अहाँसबके' आगु मझदार बनि जाएत। अहाँसब राति-दिन डराएल रहब आ जीवनके कोनो भरोसा नहि रहत।67अहाँसबके हृदयके डर आ अहाँसबके आंखिस' देखल नजाराके कारण अहाँसब भोरमे कहब जे सांझ भ' जएतै! आ सांझमे कहब जे भोर भ' जएतै!68यहोवा अहाँसबके पानि जहाजस' फेरु मिस्रमे पठा देताह, जे रस्ताके विषयमे हम अहाँसब फेरु कहियो मिस्र नहि देखब से कहने रही। ओतए' अहाँसब स्वयंके अपन शत्रुसबहक नोकर नोकरनी बनाबए लेल बेचि के कोशिस करब, मुदा केओ अहाँसबके नहि कीनत।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67