Deuteronomy27

1तब मूसा, इजराएलीके धर्मगुरुसब संगे इजराएलके लोकसबके आज्ञा दैत कहलथिन, “हम आजुक दिन आ अहाँसबके देने आज्ञासबके पालन करु।2अहाँसब यरदन नदीपार' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके देबएबला देशमे जाएब त' अहाँसब किछु बड़का-बड़का पत्थल ठाढ़ क' ओकरा लिपपोत करब।3अहाँसबके पूर्वजसबके यहोवा परमेश्वर अपन प्रतिज्ञा अनुसार यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके देबएबला यरदन नदी पारके दूध आ मह बहएबला देशमे जाएब तखन एहि व्यवस्थाके सबटा वचन ओहिमे लिख लेब। 4जखन अहाँसब यरदन नदीपार क' लेब त' एबाल पहाड पर हमर आज्ञा अनुसार ई पत्थल स्थापित क' क' ओकरा लिपपोत क' लेब। 5ओतए' अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक लेल पत्थलके एकटा वेदी बनाएब। मुदा पत्थलक' काज करए लेल लोहाके' औजार प्रयोग नहि करब।6अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक कोनो काज नहि कएल पत्थलके वेदी बनाउ। ओतए' अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' लेल होमबलि चढ़ाउ।7अहाँसब मेलबलि चढ़ाक' ओतहि खाएब। अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक समक्ष आनन्द मनाएब।8अहाँसब ठाढ़ कएने पत्थलपर एहि व्यवस्थाके' सबटा आदेश साफ-साफ लिखब।”9मूसा आ लेवी पुजारीसब इजराएलीसबस' कहलथिन, “हे इजराएल, चुपचाप सुनू। आजुक दिन अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' प्रजा भ' गेली।10आजुक दिन हम अहाँसबके जे आदेश द' रहल छी ओहि अनुसार अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक आज्ञा मानब आ हुनकर विधि आ वचन सबहक पालन करब।”11ओहि दिन मूसा इजराएलके लोकसबके एहि तरहे आदेश देलथिन।12अहाँसब यरदन नदीपार कएलाके बाद शिमोन, लेवी, यहूदा, इस्साकार, यूसुफ आ बिन्यामीनक' कुलसब आदमीसबके आशीर्वाद देब लेल गिरिज्जीम पहाड पर खड़ा ठाढ़ होएतनि।13रूबेन, गाद, आशेर, जबूलून, दान आ नप्तालीक' कुलसब सराप देब लेल एबाल पहाड पर ठाढ़ होएतनि।14लेवीसब इजराएलक' आदमीसबके जोरस' ई कहैत घोषणा करतनि।15कारिगरके द्वारा खोधिक' आ ढालिक' मूर्ति बनबैत अछि, जे यहोवाक' घृणा करैत छथि, ओहि मूर्तिके गुप्तरुपस' स्थापना करएबला आदमी सरापित होएत। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।”
16अपन मातापिताके अपमान करएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।”17अपन पड़ोसीके सांधसिमानाके पत्थल हटाबएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।”18आन्हरके रस्तास' भटकाबएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 19परदेशी, अनाथ, वा विधवाके संग अन्याय करएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।”20अपन पिताक पत्नीक संग सम्भोग करएबला आदमी सरापित होए, कारण ओ अपन पिताक' अधिकार छिन क' अपमान कएलक। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 21कोनो प्रकारक पशुक' संग सम्भोग करएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 22अपन बहिन, चाहे सतबा बहिनसंगे सम्भोग करएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 23सासुके संग सम्भोग करएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 24अपन पड़ोसीके गुप्तरुपस' मारएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।”25निर्दोष व्यक्तिके मारएलेल घूस लेबएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 26ईसब परमेश्वरके व्यवस्था आ शिक्षासब पालन नहि करएबला आदमी सरापित होए। तब सब आदमीसब कहऔक, “आमीन।” 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67