Deuteronomy26
1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके अधिकारक' स्वरुप द' रहल देशमे जा' क' अहाँसब ओहि देशमे अधिकारक' क' रहए लागब।2त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर देब जा' रहल ओहि देशके' भूमिमे स' उपजल सब प्रकारक' बालीमेस' पहिन निमनिया फल टोकरीमे राखिक यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अपन नामक' लेल जे स्थान चुनत ओहि स्थानपर ल' क' जाउ।3अहाँ समयमे सेवा कएनिहार पुजारीलग जा' हुनका कहबनि जे यहोवा हमरासबके देब कहिक' हमरासबहक पूर्वजसबहक संग प्रतिज्ञा कएने देशमे आबि गेली से बात आइ हम यहोवा अहाँके' परमेश्वरके समक्ष स्वीकार करैत छी।4पुजारीसब अहाँके' हाथस' टोकरी ल' क' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक वेदीके समक्ष राखि देथिन।5अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक' समक्ष ई प्रार्थना क' क' कहब, जे हमरासबहक पूर्वज भटकैत रहनिहार अरामी छलाह। ओसब अपन छोट परिवार ल' क' मिस्र देशमे जा' क' ओतए' रहए लागल। ओतए' ओकरासबस' एकटा पैघ, पराक्रमी आ असंख्य जाति बनि गेलाह।6मिस्री लोकसब हमरासबहक संग अधलाह व्यवहार कएलक आ हमरासबके बहुत कष्ट देलक। हमरासबके दासके काज करबौलक। 7हमसब यहोवा हमरा पूर्वजसबके परमेश्वरके पुकार कएली आ ओ हमरासबहक पुकार सुनलनि आ हमरासबहक दुख, परिश्रम आ हमरासबपर भ' रहल अत्याचार देखलनि।8यहोवा हमरासबके अपन पराक्रमी हाथ, पसरल बांहिस' बहुत बड़का आतंक, आश्चर्यक' चिन्ह आ अजगुत काजसब देखाक' मिस्रस' बाहर निकाललनि।9ओ हमरासबके एहि ठाम पहुंचा क' ई दूध आ मह बहएबला देश देलनि।10आब यहोवा हमरा देने ओहि देशके बालीमेस' पहिन निमनिया फसल अनने छी। यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' समक्ष ओ टोकरी राखिक' हुनका आराधना करब।11आ जतेक नीक-नीक चीज यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके, आ अहाँसबके परिवारक' लेल देने छथि, ताहिसबके लेल अहाँसब, लेवीसब आ अहाँसबके बीचमे रहि रहल परदेशीसब सेहो आनन्द मनाबी।12जखन अहाँसब तेसर बर्षमे अपन समस्त फसलके दशांश अर्थात् दशांशक वर्षमे दशांश अलग क' क' ओहिके लेवी, परदेशी, अनाथ आ विधवाके द' देब, जाहिस' ओसब अहाँसबके नगर भीतरमे खाएत आ खा क' तृप्त भ' जाएत।13तेकरबाद, अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक समक्ष प्रार्थनामे कहब जे हम अपन घरसं' यहोवाक पवित्र वस्तुसब बाहर निकालिक' अहाँक' आज्ञा अनुसार लेवीसब, परदेशीसब, अनाथसब आ विधवासबके द' देली। हम अहाँके' दासांस सम्बन्धी आज्ञाके उल्लंघन नहि कएने छी आ नहि बिसरल छी।14हम शोकके समयमे एहिमेस' किछु नहि खएलहुं आ नहि अशुद्ध रहल समयमे ओहिमेस' किछु निकलालहुं आ नहि त' ओहिमेस' किछु मृतकके चढ़एलहुं। हम यहोवा अपन परमेश्वरक वचन पालन कएने छी। अहाँके' सब आज्ञा पूरा कएने छी। 15अहाँ अपन पवित्र स्थान, स्वर्गस' नीचा देख अपन प्रजा इजराएल आशीष दिअ, आ अहाँ हमरासबहक पूर्वजसबस' प्रतिज्ञा क' क' हमरासबहक देने दूध आ मह बहएबला देशके सेहो आशीष दिऔ। 16मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे आजुक दिन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके ई विधिविधान सबहक पालन करबाक आज्ञा द' रहल छथि। तएं अहाँसब अपन पूरा हृदय आ पूरा प्राणस' ओहिसबके पालन करब।17यहोवा हमरासब परमेश्वर छथि, आ हमसब हुनकर देखाएल मार्गपर चलब आ हुनकर विधि, आज्ञा आ बिधान सबहक पालन करब, कहिक' आजुक दिन अहाँसब घोषणा कएने छी।18आजुक दिन यहोवा घोषणा कएलनि जे अहाँसब हुनकर प्रतिज्ञा अनुसार अपन प्रजा आ हुनकर अमुल्य सम्पत्ति बनल छी, आ अहाँसबके हुनकर सब आज्ञा सबहक पालन करबए टा' पडत।19अहाँ सबकेओ सृष्टि कएने सब जातिसबस' उपर रखताह आ अहाँसबके सबस' बेसी प्रशंसा, यश आ सम्मान देथिन। हुनकर प्रतिज्ञा अनुसार अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक' लेल अलग कएल पवित्र जाति बनब जे ओ घोषणा कएने छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.