Deuteronomy25

1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे यदि आदमीसबके बीचमे झगड़ा होएत अछि। त' ओसब ओकरा अड्डा अदालतमे ल' क' जाए, आ न्यायकर्तासब ओकरासबहक न्याय करत तखन ओसब निर्दोषके छोड़ि देत आ अपराधीके दोषी ठहराओत।2यदि अपराधी पिटाइके लायक अछि त' न्यायकर्ता ओकरा सुताक' ओकर अपराध अनुसार ओकरा कोड़ा मारिके आदेश देतनि।3न्यायकर्तासब ओकरा चालीस कोड़ा मारिक' कहए सकैत छथि। मुदा ओकरा चालीस कोर्रास' बेसी नहि मारिऔ कारण यदि ओ ओहिस' बेसी कोड़ा मारि दैत छी त' अहाँसबके संगी इजराएली अहाँसबके नजरिमे अपमानित भ' जाएत।4दाउनी करैत काल बैलके जाबी नहि लगाउ। 5यदि भाइसब एके साथ रहैत अछि आ भाइसबमेस' एकटा भाइ बिना संतानके मरि जाइत अछि, त' मृतकके' पत्नीक' विवाह परिवारस' बाहर केकरोस' नहि करियौ। मुदा पतिक' भाइ ओकरा अपन पत्नीक' रुपमे अपनबौक आ ओ अपन मृत भाइके प्रति कर्तव्य निर्वाह करऔक। 6ई एहिलेल जे ओ जे जेठ बच्चा पैदा करत ओकरा अपन मृत भाइके नाम राखि दिऔ, जाहिस' ओकर नाम इजराएलस' खतम नहि होए।7मुदा मृतकके' भाइ अपन मृत भाइक' पत्नीके अपन पत्नी नहि बनाबए चाहैत अछि, त' मृतक भाइक' पत्नी शहरके मुख्य द्वारिपर जा' क' एकट्ठा धर्मगुरुसबस' एना कहऔक जे हमर पतिक भाइ इजराएलमे अपन भाइके नाम राखि स' मनाक' रहल अछि। ओ हमरा प्रति पतिक भाइक' नाता स' निर्वाह करएबला कर्तव्य नहि पूरा क' रहल अछि।8तखन ओहि सहरक' धर्मगुरुसब ओकरा बजाक' ओकरा सम्झबौक। मुदा ओ जिद्द कसि कहैत अछि, हम ओकरा नहि पत्नी बना सकैत छी।9तखन मृत भाइक' पत्नी धर्मगुरु सबहक' आगु ओकरा लगमे आबिक' ओकरा पएरमे स' चप्पल उतारिक' ओकरा मुंहपर थूक देऔक। आ एहि तरहे कहऔक जे अपन भाइके परिवार बढाबए लेल नहि मानत ओहि आदमीके साथ इहे काज होएत।10तहियास', इजराएलमे ओकर परिवारके नाम' चप्पल उतारल गेल परिवार, राखल जाएत।11मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे यदि दूटा पुरुष एक-दोसरस' लड़ैत मार झगड़ा करैत काल एकगोटेके पत्नी आबिक' अपन पतिके बचाबए खातिर अपन हाथस' बिरोधीके गुप्तअंग दबादैत अछि।12तखन अहाँसब ओकर हाथ काटि देब, अहाँसब ओकरापर कोनो दया दरेग नहि देखाएब।13अहाँसब अपन थैलीमे पैघ आ छोट अलग-अलग जोखएबला बटखारा नहि राखब।14अहाँसबके अपन घरमे पैघ आ छोट अलग-अलग नापके चीज नहि राखब।15अहाँसबके साथमे ठीक तौल आ परिणामके जोखएबला बटखारा समान होएबाक चाही। जाहिस' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर देब' जा' रहल देशमे अहाँसबके आयु बढ़ए।16किएक त' एहि प्रकारक काज करएबलासब आ बइमानीक' काज करएबलासबके यहोवा अहाँसबके परमेश्वर घृणा करैत छथि।17मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे मिस्रस' निकलैत काल अमालेकके लोकसब बाटमे अहाँसबके साथ की कएने छल से स्मरण करु।18अहाँसब बाटमे थाकिक' कमजोर भेल कालमे ओसब अहाँसबके भेटलक आ अहाँसबमेस' थाकिके पाछु पड़ल कमजोर सबके मारि देलक। ओसब परमेश्वरस' नहि डराएल।19तएं जखन यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके' अधिकारमे देब जा' रहल देशमे चारुकातक' शत्रुसबस' विश्राम द' देथिन, तखन सबटा अमालेकीसबके जरुर मारब, जाहिस' सारा दुनियांमे आब केओ ओकरा स्मरण नहि करत। अहाँसब ई बात कहियो नहि बिसरब।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67