Deuteronomy24

1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे जखन कोनो पुरुष पत्नीस' विवाह कएलाक बाद जं ओकरामे कोनो पय देख ओकरापर कृपादृष्टी नहि क' ओकरा तलाकक प्रमाणपत्र द' क' ओकरा अपन घरस' बाहर निकालि दैत अछि। 2जखन ओ ओकर घरस' निकलि जाइत अछि त ओ दोसर पुरुषके संग विआह करबाक स्वतन्त्र अछि।3यदि ओकर दोसर पति सेहो ओकरास' असुन्तष्ट भ' क' ओकरा तलाकक प्रमाणपत्र द' क' ओकरा अपन घरस' निकालि दैत अछि आ दोसर पति मरि जाइतअछि।4त' ओकर पहिन पति जे पहिने ओकरा तलाक देने छल, से ओ अशुद्ध भेलाक कारणे दोबारा ओकरा अपन पत्नी नहि बना सकैत अछि। यहोवाक दृष्टिमे ई एक घृणित काज अछि। यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके अधिकार करए लेल देब' जा' रहल देशमे एहि प्रकारके कलंक नहि लाएब।5नवविवाहित पुरुषके सेनाक संग युद्ध करए लेल नहि पठाएब आ नहि ओकरा कोनो काजक' जिम्मा देब। ओ एक वर्ष धरि घरमे स्वन्तन्त्रपुर्वक रहत आ अपन नवविवाहिता पत्नीसंग आनन्द मनाओत।6ऋणके धितो वापत कोनो आदमी जांताचक्की वा ओकर ऊपरका पत्थल नहि लेब, कारण जे कोनो व्यक्तिके ओकर जिवीका बन्धकके रुपमे लेब' जेना भेल। 7यदि कोनो संगी इजराएली अपन कोनो भाइके अपहरण क' क' ओकरा नोकर बनाएत आ ओकरा बेचत त' ओहि अपहरण कर' बलाके मारि देब। अहाँसब अपन बीचमेस' अधलाह काजके दूर करब।8कोढ़ रोगक' सम्बन्धमे लेवी पुजारीसब अहाँसबके जे सिखबैत छथि ओना करब। हम जे आज्ञासब देने छी ओहिके ध्यानपूर्वक पालन करब। 9स्मरण राखब जे मिस्रस' आबए कालमे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर मिरियमक संग की कएने छलाह। 10आब जखन अहाँ अपन संगी इजराएलीके कोनो प्रकारक कर्ज दैत छी त' ओकरास' धरौटी लेब' लेल ओकरा घर भीतर नहि जाउ।11अहाँसब घर बाहर प्रतीक्षा करब, असामी स्वयं अहाँसब लगमे धरौटी बाहर लाबि देत।12यदि ओ आदमी गरीब अछि त' ओकर बन्धक ल' क' अहाँसब नहि सुतब। 13सूर्यास्तक समय धरि अहाँसब ओकर बन्धक वापस क' देब, जाहिस' ओ अपन ओढ़ना बिछओनामे सुतिक' अहाँसबके आशीर्वाद दए। ई यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक नजरिमे अहाँसबके लेल धार्मिकता होएत।14अहाँसबके कोनो संगी इजराएली आ अहाँसबके शहरमे रहि रहल परदेशी होए, कोनो गरीबी आ दरिद्र भाड़ाके नोकरपर अत्याचार नहि करब।15अहाँसब ओकरा प्रतिदिन सूर्यास्त स' पहिने ओकर मजदूरी अवश्य द' देब। कारण ओ गरीब अछि आ एहि मजदुरीपर निर्भर अछि। नहि त' ओ अहाँसबके विरुद्ध यहोवाक समक्ष प्रार्थना लगाएत, आ अहाँसबद्वारा कएल गेल काजक लागत। 16माय-बाबूके अपन बालबच्चाके लेल आ बालबच्चाके ओकर माय-बाबूके लेल नहि मारब। मुदा प्रत्येक आदमी अपन पापके लेल मारल जएबाक चाही।17परदेशी वा अनाथ, टुगुर टापर सबके न्यायके दमन नहि करु आ नहि विधवाक' ओढ़ना बिछाओन धरौटीक' लेल राखू।18मुदा, अहाँसब स्मरण राखब जे अहाँसब मिस्रमे दास छलीह, आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके छुटकारा देलनि। एहिलेल हम अहाँसबके एहि आज्ञाक पालन करबाक निर्देश दैत छी।19जं अहाँसब अपन खेतमे फसल काटब, आ खेतमे एगो बोझा अनाज बिसरि गेली त' ओहिके ओतहि छोड़ि दिऔ। ई परदेशी, अनाथ, टुगुर वा विधवाक' लेल होएत। जाहिस' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके हाथके सब काजमे अहाँसबके आशीष देथिन।20जं अहाँसब जैतूनक गाछके हिला क' फल गिरबैत छी त' फेरु ओहिके डाढ़ि पर झटहा नहि फेकुं। गाछपर बांकी रहल फल परदेशी, अनाथ, वा विधवाक लेल होएत।21जं अहाँ अपन अंगूरक बगीचामे स' अंगूर तोड़ब त' दोबरा अंगुरक' बगीचाके सोतर नहि करब। जे बंचि जाएत से परदेशी, अनाथ वा विधवाक लेल होएत। 22अहाँ मिस्रमे दासके रुपमे गरीबीमे रहलहुं जाधरि यहोवा अहाँके परमेश्वर अहाँके उद्धार नहि क' लेलखिन। ताहिके लेल हम अहाँके आज्ञा द' रहल छी जे जरुरतिमे भेल लोक प्रति दयालु रहू।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67