Deuteronomy23
1मूसा इजराएली लोकसबके दिस कहलनि जे कोनो आदमी यहोवाक सभामे प्रवेश नहि क' सकैत अछि, जे अङ भंग आ कटाएल होए।2कोनो नाजायज बच्चा यहोवाक सभामे नहि भ' सकैत अछि। ओकर दसम पिढ़ी धरि केओ यहोवाके सभाके नहि प्रवेश क' सकैत अछि।3अम्मोनी वा मोआबी यहोवाक सभामे प्रवेश नहि क' सकैत अछि। दस पिढ़ी धरि ओकर कोनो सन्तान यहोवाके सभामे प्रवेश नहि क' सकैत। 4एकर एकटा कारण ई अछि जे ओकर अगुवासब अहाँसबके पूर्वजसबके भोजन आ पानि देबएस' मनाक' देलक जखन ओसब मिस्रस' कनान जा रहल छलनि। एकटा आओर कारण ई अछि जे ओसब मेसोपोटामियाके पतोर शहरस' बोरक पुत्र बिलामके अहाँ इजराएलीसबके सराप देबाक लेल भुक्तान कएलथि। 5मुदा यहोवा अहाँसबके परमेश्वर बिलामके बात नहि सुनलनि। बल्कि, यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सरापके आशीषमे बदलि देलनि, किएकत' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबस' प्रेम करैत छथि। 6अहाँसब अम्मोनी आ मोआबीसबके शान्ति वा समृद्धि जीवनभरि कहियो नहि ताकब।7अहाँसब एदोमीसब स' घृणा नहि करु, किएकत' ओसब अहाँसबके नातेदार अछि। अहाँसब कोनो मिस्रवासी स' घृणा नहि करब, किएकत' अहाँसब ओकरासबहक देशमे परदेशी छलीह।8एदोमीसब आ मिस्रीसब तेसर पीढ़ीके सन्तानसब यहोवाके सभामे भाग ल' सकैत अछि।9जखन अहाँसब अपन दुश्मनके विरुद्ध सेना ल' क' जाएब तखन अहाँसबके हरेक बुराइस' बचए पड़त।10यदि अहाँसबके बीच कोनो आदमी जे अशुद्ध हुअएबला स्वपनदोषके कारणस' शुद्ध नहि अछि त' ओ सेनाक' शिविरस' बाहर जाए। ओ शिबिरमे घुरिक' नहि आबए। 11सांझ पहर पानिस' नहाए' सूर्यास्तके बाद रातिमे ओ फेरु शिविरके भीतर आबि सकए।12शौच करए लेल शिविरस' बाहर कोनो स्थान निश्चित करब।13आ अहाँसबके हातहथियार संगे खन्ती राखब, शौचके बाद जमीनमे खधिया खुनिके ओकरा झांपि देब।14कारण, यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके विजय कराबए आ अहाँसबके शत्रुसबके अहाँसबके अधीनमे करबाक लेल अहाँसबके शिविरमे घुमैत छथि। एहिलेल अहाँसबके शिविर पवित्र होएबाक चाही, जाहिस यहोवाक' अहाँसबके बीचमे कोनो प्रकारके फोहर देख नहि परए नहि' त' ओ अहाँसबस' विमुख भ' जाएत।15कोनो नोकर भागिक' अहाँके शरणमे आएल त' ओकरा ओकर मालिकके वापस नहि करियौ।16जे सहर ओ चुनैत अछि ओहि शहरमे ओकरा अहाँसबके संग रहए दिऔ। ओकरापर अत्याचार नहि करु।17कोनो इजराएलीके बेटी वा बेटासब मन्दिरके वेश्याके काज नहि करए। 18कोनो प्रकारक' मनता पूरा करए लेल वेश्यागमन आ पुरुषगमनस' कमाक' लाओल गेल पाइ यहोवा अहाँसबके' अपन परमेश्वरक' भवनमे नहि आनब। किएकत' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ई दुनू काजके घृणा करैत छथि।19ब्याजपर लगाबएबला पाइ, भोजन, वा कोनो ऋण दैत छी त' अहाँसब अपन संगी इजराएली स' ब्याज नहि लेब।20कोनो परदेशीस' अहाँसब ब्याज ल' सकैत छी, मुदा अहाँ अपन संगी इजराएलीसबस' नहि। जाहिस' अहाँसब अधिकार करए जा' रहल देशमे अहाँसब करएबला काजसबमे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके आशीष देथिन।21मूसा इजराएली लोकसबके दिस कहलनि जे जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक लेल कोनो मन्नत मानैत छी त' ओकरा पूरा करएमे अबेर नहि करु, किएकत' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबस' ई पूरा भेल चाहैत छथि। यदि अहाँसब पूरा नहि करब त' ई पाप होएत। 22मुदा, यदि अहाँसब यहोवास' मन्नत नहि कएने छी त' अहाँसबके कोनो पाप नहि लागत।23जे अहाँसबके मुंहस' बजैत छी से अहाँसब अवश्य पूरा करु, किएक त' यहोवा अहाँसब अपन परमेश्वरक प्रति अपन स्वेच्छास' प्रतिज्ञा कएने छी।24जखन अहाँसब अपन पड़ोसीक दाखक बगीचामे जाएब त' अहाँ मोन भरि अंगूर मुदा टोकरीमे किछु नहि राखू।25अहाँसब अपन पड़ोसीक पाकल अनाज खेतमे जाएब त' अहाँसब अपन हाथस' अनाजके वाल तोड़ि सकैत छी, मुदा पड़ोसीक पाकल अनाजमे हंसुआ नहि लगाउ।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.