Deuteronomy22
1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे अहाँसबके अपन संगी इजराएलीसबके बैल वा भेंड़ाके भटकि गेल देखैत छी त' नहि देखल जकां नहि करु। अहाँसब ओहिसबके अपन भाइबन्धु लगमे लाबि देब।2यदि अहाँके संगी इजराएली भाइ अहाँके लग नहि रहैत अछि वा अहाँ ओकरा नहि चिन्हैत छी त', अहाँ ओहि जानबरके मालिक संगी इजराएलीके घरमे जाधरि ओ ओकरा नहि तकैत अछि, ताधरि ओकरा राखब। ओहिके बाद अहाँ ओकरा वापस क' देब।3अहाँके संगी इजराएलीसबके गदहा वा वस्त्र वा हेराएल कोनो वस्तुक संग सेहो एहने करब। अहाँ अपनाके नुकाएब नहि।4अहाँ अपन संगी इजराएली भाइक गदहा वा बैल बाटमे खसल देख, नहि देखल जकां नहि करु। अहाँ ओकरा फेरुस' उठएमे मदति करब।5पुरुषके लगाबएबला कपड़ा महिलाके नहि पहिरबाक चाही आ नहि महिलासबहक कपड़ा पुरुषके पहिरबाक चाही। किएकत' एहन काज करएबलाके यहोवा अहाँसबके परमेश्वर घृणा करैत छथि।6यदि संयोगवश बाटके कात गाछपर वा जमीनपर कतौ चिड़ैके खोतामे बच्चा वा अण्डा पर बैसल अछि, त' नवतुरिया बच्चा संगे मायके खोतामे स' नहि उतारि लाएब।7मायके छोड़िक' बच्चा अहाँसब अपनालेल लाबि सकैत छी। एहि आज्ञाक पालन करब जाहिस' अहाँसबके कल्याण होए, आ अहाँसबके जिनगी नमहर होए।8जखन नवका घर बनबैत छी त' घरक' छतपर घेरा जरुर लगाउ, जाहिस' जं' ओतए' स' केओ खसि पड़त त' ओकर लेहूके दोष अहाँसबके घरपर नहि पडत।9अहाँ अपन दाखक बगीचामे दू प्रकारक बिआ बाओग नहि करब, नहि त' अहाँसबके बोअल गेल बिआ मात्रे नहि मुदा पुरे दाखमद्यके फसल पवित्र स्थान द्वारा अशुद्ध भ' जाएत। 10बैल आ गदहाके एके संग जोतल नहि करु।11ऊन आ सुतीक' कपड़ा अहाँसब एके संग नहि पहिरब।12अहाँसब पहिरएबला कपड़ामे चारुकात झुम्का लगाएब।13मानि लिअ कोनो पुरुष विआह क' क' अपनालेल पत्नी लाबिक' ओकरा लग जाइत अछि आ ओहिके बाद ओ ठीक नहि बुझाति अछि।14आ ओकरापर शर्मनाक आरोप लगबैत बदनाम करए लेल ई कहैत अछि, हम एहि महिलाके विआह क' बाद ओकरासंगे सुतला पर ओकरामे कुमारीत्वक कोनो प्रमाण नहि भेटल।15ओहि स्त्रीके माता-पिता सहरक मुख्य द्वार पर धर्मगुरुसब लग ओकर कुमारीत्वके प्रमाण ल' क' आबए।16लड़कीके पिता धर्मगुरुसबस' कहऔक जे हम अपन बेटीके एहि आदमीस' विआह क' देली, आ ओ ओकरा तिरस्कार करैत अछि।17“हमरा अहाँके बेटीमे कुमारीत्वक प्रमाण नहि भेटल।” कहैत ओ हमर बेटीपर शर्मनाक आरोप लगा' रहल अछि, मुदा एत' हमर बेटीके कुमारीत्वक प्रमाण अछि। तखन सहरक धर्मगुरु सबहक आगु कपड़ा पसारि देत।18ओहि सहरक धर्मगुरुसब ओहि आदमीके ल' क' सजाय दिए।19इजराएलीके एक कन्या उपर कलंक लगएलक ताहिस' धर्मगुरुसब ओकरापर एक सय शेकेल चानीके जुर्माना स्वरुप लड़कीके पिताके देब लगाओक। आ ओ ओकर पत्नी होतइ। ओ ओकरा जीवनभरि नहि छोड़ि सकैत अछि। 20मुदा यदि ई दोष सत्य साबित भेल आ लड़कीमे कुमारीत्वक कोनो प्रमाण नहि भेटल।21पिताके घरमे रहैत काल वेश्यावृति क' क' इजराएलमे अपमानके काज कएने अछि, ताहिके लेल ओहि लड़कीके ओकर पिताक घरक' दरबाजापर आनिक' सहरक आदमीसब ओकरा पत्थलस' मारि देऔक। आ अहाँसबमेस' एहि प्रकारक अधलाह काजके दूर राखब। 22यदि कोनो पुरुष कोनो दोसर संग विवाह कएने स्त्रीके संग सम्भोग करैत पकरा जाए त' ओहि पुरुष आ ओहि स्त्री दुनूके मारि देब पडत। अहाँसब एहन अधलाह काजके इजराएलस' दूर राखब। 23यदि कोनो मंगनी भ' गेल कुमारि लड़कीके दोसर पुरुष ओकरा भेटि क' शहरमे ओकर संग सम्भोग करैत भेटैत छै त'24दुनूगोटेके सहरक द्वार पर ल' जा' क' पत्थलस' मारिक' मारि देब। ओ सहर भीतरमे रहितो मदतिक लेल नहि चिचिआएल कारणे ओहि महिलाके पत्थलस' मारिक' मारि देब। अपन पड़ोसीके पत्नीके सतित्व नाश कएलाक कारणे ओहि आदमीके पत्थल मारिक' मारि देब मारब। अहाँसब एहन अधलाह काजके अपनास' दूर राखब।25मुदा यदि कोनो पुरुषके मंगनी कएने लड़कीके बाहर खेतमे भेटि क' ओकरासंगे सम्भोग कएलक त' मात्रे ओहि पुरुषके पकड़िके मारि देब।26मुदा ओहि लड़कीके किछु नहि करब, लड़की मृत्युके' योग्य कोनो पाप नहि कएने अछि। कारण जे ई ओहिना अछि जेना कोनो आदमी अपन पड़ोसीपर आक्रमण क' क' ओकरा मारि दैत अछि।27किएक त' ओ मंगनी भेल कन्या चिचिएलाक बादो बाहर खेतमे बलात्कार भेलापर ओकरा बचाबएबला केओ नहि छल।28यदि कोनो पुरुष मंगनी नहि भेल कन्याके संग बलत्कार करैत पकड़ाइत अछि त'29ओहि आदमीके कन्याक' पिताके पचास शेकेल चानी देब' पड़त, आ ओ ओहि कन्याके बलत्कार कएने कारण ओकरा अपन पत्नी बनाबए पड़त। ओ ओकरा अपन जीवनभरि नहि छोड़ि सकए। 30कोनो पुरुष अपन पिताक' पत्नीके अपन पत्नी बनाक' नहि राखए। ओकरा अपन पिताक' विवाह क' अधिकार नहि छीनबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.