Deuteronomy21

1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे यदि यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके जे देश अधिकार करए लेल द' रहल छथि ओहि देशके' मैदानमे केकरो लाश भेटल आ ई नहि बुझल अछि जे ओकर हत्याराके अछि।2त' अहाँसबके धर्मगुरुसब आ न्यायकर्तासब बाहर निकलिक' लाशस' कोन सहर लग अछि से पत्ता लगबथि।3तखन आदमीके लाशके सबस' नजदीकक शहरके धर्मगुरुसबके मालजालके हेंड़मेस' एकटा बाछी लएक जेकरा कहियो सेवामे नहि लगएने होए, जुआमे कन्हा नहि लगएने होए एकटा बछड़ा लेबए पड़त।4ओ शहरके एल्डरसब ओहिके कहियो नहि जोतल आ नहि बाओग कएल पानिके स्रोत बला उपत्यकामे ल' जा' क' बाछीके गरदनि तोड़ि देत।5यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' सेवा करए लेल आ यहोवाके नाममे आशीर्वाद देब आ हरेक मुद्दामामिला मिलाबए लेल परमेश्वरस' चुनल गेल लेवी कुलके पुजारीसबके आगु आबथि।6मारल गेल आदमीक नजदीकक शहरके सब धर्मगुरुसबके पानिके सोति लग गरदनि तोड़ल गेल ओहि बाछी पर हाथ धोबए पड़त।7आ ओसब ओकरासबके घोषणा करए: हमरासबहक हाथ ई लेहू नहि बहओलक आ नहि हमरासबहक आंखि ई होइत देखलक।8तब धर्मगुरु प्रार्थना करौक जे हे यहोवा, अपन प्रजा इजराएलीके क्षमा करियौ, जेकरा अहाँ छुटकारा देने छी, आ अपन प्रजा इजराएलीके एहि निर्दोषके लेहूके दोषी नहि ठहराउ।9एहि तरहे यहोवाके नजरिमे उचित काज क' क' अहाँसब अपना बीचमेस' निर्दोषक' लेहूके' दोष दूर करब।10मूसा इजराएली लोकसबके कहलनि जे जखन अहाँसब अपन शत्रुसबस' युद्ध करए जाएब आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके विजय दैत छथि आ ओकरासबके अहाँसबके हाथमे द' दैत छथि आ अहाँसब ओकरासबके युद्ध बंदी बनाक' लबैत छी। त'11यदि युद्ध बंदीसबमे कोनो सुन्दर स्त्रीके अहाँ देखक' ओकरा प्रति इच्छा होइत अछि त' ओकरा अहाँ अपनालेल पत्नी बना सकैत छी।12अहाँ ओकरा अपन घरमे आनि लिअ। आ ओ अपन माथ मुंडन क' नेहु काटि लेत।13ओ जे कपड़ा कैदमे पहिरने छल से उतारि दोसर कपड़ा पहिर लेत। आ पूरा एक मास अहाँके घरमे रहिक' अपन मातापिताक' शोक करत। तेकरबाद अहाँ ओकरासंगे सुति सकैत छी आ ओकर पति बनि सकैत छी आ ओ अहाँके पत्नी बनत।14मुदा जं अहाँके ओकरामे कोनो आनन्द नहि भेटल त' अहाँ ओ जत' जाए चाहैत अछि ओतए' जाए दिऔ। मुदा अहाँ ओकरा रुपैयामे नहि बेचब, आ ओकरा दासी जकां व्यवहार नहि करब, किएक त' अहाँ ओकर सतित्व नाश क' देने छी।15मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे यदि कोनो पुरुषके दूटा पत्नी अछि, एकटा प्रिय आ दोसर अप्रिय अछि आ दुनूगोटे ओकरालेल सन्तान जन्मएने होए आ जं अप्रिय पत्नीस' जेठ बेटा जन्मल अछि।16बादमे जाहि दिन ओ पुरुष अपन बेटाके अंशबन्डा करत त' ओ अप्रिय पत्नीक बेटास' पहिने प्रिय पत्नीक बेटाके अधिकार नहि द' सकैत अछि।17मुदा ओ अप्रिय पत्नीक' बेटाके अपन सब सम्पत्तिके दोबर हिस्सा द' क' जेठ छै से प्रमाणित करौक। किएक त' ओ बेटा ओकर शक्तिके पहिन फल अछि। जेठकाके अधिकार ओकरे होएत।18अपन माय-बाबूके आज्ञा नहि मानएबला कोनो जिद्दी आ बदमासके सुधारलाक' बादो अपन मातापिताक' बात नहि सुनत त'19ओकर माता-पिता ओकरा पकड़िक' शहरके द्वारिपर धर्मगुरुसब लग सहरक मुख्य द्वार पर ल' जएबाक चाही। 20सहरक धर्मगुरुसबके ई कहऔक, हमरसबहक ई बेटा जिद्दी आ बदमास अछि। ओ हमरासबहक आज्ञा नहि मानैत अछि। ओ पेटू आ पियकर अछि।21तखन सहरक सब पुरुषसब ओकरा पत्थलस' मारि देत। आ अहाँसबमेस' अधलाहके दूर करब। समस्त इजराएल ई बात सुनिक' डराएत।22मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे यदि केओ मृत्युके योग्य पाप लेल मारल गेल अछि आ अहाँ ओकरा गाछपर लटका देने छै, त'23ओकर लाश भरि राति गाछपर नहि रहबाक चाही। मुदा, अहाँसब ओकरा ओहि दिन माटिमे गाड़ि देब। कारण जे केओ फांसीपर लटकैत छै त' ओ परमेश्वरस' सरापित अछि। एहि आज्ञाक पालन करु आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके अधिकारमे देबएबला देश अशुद्ध नहि करु।  

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67