Deuteronomy20

1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे जखन अहाँसब अपन शत्रुसबहक विरुद्ध युद्ध करए लेल जाएब त' ओकरासबहक अनगिनत घोड़ा, रथ आ अहाँ ओकर विशाल सेनाके देख ओकरासबस' नहि डेराएब। किएक त' मिस्रस' निकालिक' लाबएबला यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके संग छथि।2अहाँसबके युद्धमे जाएस' पहिने पुजारीसबके आबिक' सेनाके आगु जा क' एना सम्बोधन करए। 3ओ ओकरासबके कहथिन सुनू हे इजराएल!, अहाँसब अपन शत्रुसबहक विरुद्ध लड़' जा रहल छी। अपन मोनके कमजोर नहि करु। नहि डेराउ आ नहि हड़बड़ाउ। ओकरासबस' भयवित नहि होउ।4कारण, यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके संग जा रहल छथि जे अहाँसबके शत्रुसबहक विरुद्ध लड़त् आ अहाँसबके बचाओत।5अधिकृत सब आदमीसबस' कहऔक, जे आदमी नव घर बनौने छी आ समर्पित नहि कएने छी ओ अपन घर घुरि जाए, ओ युद्धमे मारल गेल त' दोसर आदमी घरके समर्पित करत आ ओहिमे बैसि जाएत।6केओ अंगूरक बगीचा लगएने छी आ ओकर फलके स्वाद नहि चिखने छी? त' घर चलि जाए। ओ युद्धमे मारल गेल त' दोसर आदमी ओहि' फलके उपभोग करत। 7कोनो पुरुष जे महिलाके' संग विवाह करए लेल सगाइ कएने अछि मुदा एखन धरि विवाह नहि कएने छी? त' ओ घर चलि जाए। ओ युद्धमे मारल गेल त' दोसर आदमी ओकरासंगे विवाह क' लेत। 8अधिकृत सबके आदमीसबस' इहो कहऔक, जे एत' केओ डरपोक की कायर छी? त' ओसब घर चलि जाए। किएक त' ओकरा कारणस' ओकर संगी सिपाहीसब युद्धमे हरेस खा' जाएत।9जखन अधिकृत सब आदमीसबस' कहलाक बाद ओसब आदमीसबके लेल सेनापति नियुक्त करए।10जखन कोनो सहरपर आक्रमण करए लेल आगु बढब त' ओतए' के आदमीसबलग पहिने शान्तिके प्रस्ताव राखब।11यदि ओहि नगरके लोकसब अहाँसबके शान्तिक' प्रस्ताव स्वीकार क' क' अहाँसबके लेल नगरके सब मूल द्वार खोलि दैत अछि त' ओहिमे जे आदमीसब भेटत ओकरासबके अहाँसब अपन लेल श्रमिक बनाउ आ ओकरासबके अहाँसबके सेवा करए पडत।12मुदा जं ओसब अहाँसबस' शान्तिक कोनो प्रस्ताव नहि राखि युद्ध करएके इच्छा करैत अछि तखन अहाँसब ओकरासबहक शहरके घेराबंदी क' लिअ।13आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँ सबकेओ सहरपर जीत कराक' अहाँसबके वशमे राखि दैत छथि तखन अहाँसब ओहि सहरक प्रत्येक आदमीके मारि देब।14मुदा स्त्रीसब, छोट-छोट बच्चासबके दासके रुपमे, मवेशी आ शहरमे रहल सब किछु लूटके माल स्वरुप ल' लेब। यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके शत्रुसबस' देल गेल लूटके माल अहाँसब उपभोग क' सकैत छी।15अहाँसब दुर दुरके सहरसबके एना करब, लग पडोसक जातिसबके सहरसबके नहि।16यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके उत्तराधिकार स्वरुप द' रहल सहरसबमे कोनो जीवित प्राणीके नहि छोड़ब।17मुदा, यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' आज्ञा अनुसार हित्ती, एमोरी, कनानी, परिज्जी, हिब्बी आ यबूसीसबके साफे नाश क' देब।18यदि ओकरासबके नहि मारब त' ओसब अपन देवतासबके पूजा करएबलासब घृणित काजसब अहाँसबके सिखाओत, आ अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' विरुद्ध पाप करब।19जखन अहाँसब कोनो शहरके बहुत दिन धरि घेराबंदी क' क' जखन ओहिके जीत लेल ओकरासंगे युद्ध करब, तखन ओतए' के गाछपर कुरहरि नहि चलाएब। कारण, अहाँसब ओकर फल खा' सकैत छी, तएं ओहिके नहि काटब। की चौरीके गाछसब आदमी अछि जेकरा अहाँ घेराबंदी क' क' नाश करब? गाछसब अहाँसबके दुश्मन नहि अछि।20केवल फल नहि देबएबला गाछके अहाँसब नाश क' सकैत छी आ काटि सकैत छी। अहाँसबके संग युद्ध कर' बला सहर जाधरि परास्त नहि भ' जाएत ताधरि घेराबंदीके काजक लेल ओहिके प्रयोग क' सकैत छी।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67