Deuteronomy19

1मूसा इजराएली लोकसबस आओर बजलाह जे जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओहि जातिसबके नाश क' क' ओकरासबहक देश यहोवा अहाँसबके द' देथिन आ जखन अहाँसब ओकरासबहक बाद आबिक' ओकरासबहक सहर आ घरमे रहए लागल।2अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके अधिकारमे द' रहल छथि ओहि देशमे तीनटा सहर चुनब।3यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके अधिकारमे देब जा' रहल देशके तीन भागमे बांटिक' ओहि शहरसबमे जाएलेल सड़क बनाएब जाहिस' जानमारा सब ओतए' सुरक्षित भागि सकए।4केकरो मारिक' अपन जान बचाबएलेल ओतए' भागिक' जाएबाला आदमीके लेल ई नियम अछि — जे घटनाके समय अपन' पड़ोसीके बिना शत्रुताके अनजानेमे हत्या क' दैत अछि।5जेना, कोनो आदमी अपन पड़ोसीक' संग जाड़नि क' लेल जंगलमे गेल, ओ गाछ काटए' लेल कुरहरि उठओलक आ कुरहरि बेटस' छुटिक' पड़ोसीके लागि गेल आ ओ पडोसी मरि जाइत अछि तखन ओ आदमी एहिमेस' कोनो शहरमे भागिक' ओ अपन जान बचा सकैत अछि।6नहि त' रस्ता लम्बा होएबाक कारण खूनक' बदला लेबएबला क्रोधक बाइमे आ' क' जान लेनिहारक पाछु क' क' ओकरा मारि सकए। भलेहि ओ आदमी मरएके योग्य नहि छल, किएक त' ओकरा पहिने अपन पड़ोसीस' शत्रुता नहि छल।7एहिलेल अपनालेल तीनटा सहर चुनि लिअ से हम अहाँसबके आज्ञा दैत छी।8यदी यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सीमा बढ़बैत छथि, जेना ओ अहाँसबके पूर्वजसबके प्रतिज्ञा कएने छलथि, आ अहाँ सबकेओ सबटा देश द' देताह जे ओ अहाँसबके पूर्वजसबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह।9यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके प्रेम क' क' सदिखन हुनकर मार्गमे चलिक' हम आजुक दिन अहाँसबके आज्ञा देल नियम सबहक पालन कएने छी तखन अहाँसबके एहि तीनू सहरक' अतिरिक्त अपनालेल तीनटा सहर आओर बनएबाक पडत।10ई एहिलेल करु, नहि' त' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके उत्तराधिकार स्वरुप देने देशमे निर्दोषके लेहू बहत आ अहाँसबपर खूनक लेहूके दोष लागत।11मुदा जं केओ अपन पड़ोसीस' घृणा करैत अछि, ओकरा मारि लेल बांट जोहैत रहैत अछि, ओकरा विरुद्ध उठिक' ओकरापर जानलेवा आक्रमण क' क' मारि दैत अछि, आ तखन ओ शरणके शहरमेस' कोनो शहरमे भागि के जाइत अछि।12यदि जे एना भेल तखन ओकर शहरके धर्मगुरु लोकनि आदमीके पठाक' ओतए' स' वापस आनिक' लेहूके बदला लेबएबला रिश्तेदारक हाथमे द' दिऔ, जाहिस' ओकर मृत्यु भ' जाए।13अहाँसब ओकरापर दया नहि देखाउ। मुदा, अहाँसबके इजराएलस' निर्दोषक' खूनक दोष हटाउ, जाहिस अहाँसबके कल्याण होए। 14यहोवा अहाँसब परमेश्वर अहाँसबके अधिकारमे देब जा' रहल देशमे अहाँसबके अपन भागमे पूर्वजसबके द्वारा राखल गेल सिमाना छोड़ि के अपन पड़ोसीक' सांधसिमाना नहि हटाउ। 15एकल गवाहके गवाहीके आधार पर कोनो अधर्म वा पापके लेल केकरो दण्डित नहि करु। दू वा तीन गवाहके गवाहीक आधार पर मात्रे कोनो बातक अभियोग लगा सकैत छी। 16मानि लिअ जे केकरोपर दोष लगाबए खातिर कोनो अधर्मी गवाह गवाही देबएलेल ठाढ़ भ' जाइत अछि।17तखन वादी आ प्रतिवादी दुनूगोटेके यहोवाक समक्ष, तत्कालिन पुजारी आ न्यायकर्ता सबहक समक्ष ठाढ़ होबए पडत।18न्यायकर्ता लोकनिके ओकरासबके गम्भीरतास' पुछताछ कर' पड़तनि। यदि, गवाह झूठ गवाह अछि आ अपन भाइपर झूठ आरोप लगबैत अछि। त'19तखन ओ अपन भाइके संग जे करए चाहैत छल अहाँ ओकरासंगे ओहने करु। आ अहाँसबके अपना बीचमेस' अधलाह काजके दूर कर' पडत।20जे भेल अछि से सुनिक' आओर सब डर जाएत। आ तहियास' अहाँसबके बीच एहन अधलाह काज नहि रहत।21अहाँसब दया नहि देखाएब। जिनगीक' बदला जिनगी, आंखिक' बदला आंखि, दांतक' बदला दांत, हाथके' बदला हाथ, पयरक' बदला पयर होएत। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67