Deuteronomy18
1मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि जे पुजारीसब, जे लेवी छथि, आ समस्त लेवी वंशके इजराएलीसबसंग कोनो भाग आ अंश नहि होएत। यहोवाके आगिमे चढाएल बलिसबके अपन अंशक रुपमे खाए पड़त।2ओकरासबके संगी इजराएलीसबमे ओकरासबके कोनो अंश नहि होएत। यहोवाक' प्रतिज्ञाक' अनुसार यहोवे ओकरासबहक अंश छथि। 3बैल वा भेंड़के' बलि चढाबए बला आदमीसबस' पुजारी सबहक लेल अलग कएल गेल अङ सब इएह अछि, कान्ह, दुनू गाल आ भीतरका भाग।4अपन अनाज, नव दाखमद्य आ तेलके पहिन उपजनी आ हेंड़के भेंड़के ऊन पहिन ऊन पुजारीसबके देब पड़त।5यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओकरासबके अहाँसबके सब कुलमेस' चुनने अछि जे लेवी आ लेवीके सन्तानसब यहोवा नामस' सदाके लेल खड़ा भ' क' सेवा करत।6जं इजराएलीके कोनो शहरमे रहनिहार लेवी निकलिक' अपन पूरा प्राणस' ओहि स्थानपर आराधनाके लेल आबए चाहैत अछि जाहि स्थानके यहोवा चुनताह,7तखन ओकरा ओहि स्थानपर यहोवा अपन परमेश्वरक' सेवा करए जेना हुनकर सारा लेवी भाइसब यहोवाक' आगु ठाढ़ भ' क' सेवा करैत अछि।8अपन परिवारक' सम्पत्ति बेचलाक पर पाइ भेटलाक बादो आराधना स्थानमे सेवा करएबलासब लेवीसब द्वारा आनल गेल बलिदान आ उपहारस' ओकरासबके खाए लेल ओतबे भोजन प्राप्त करत।9मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि जे जखन अहाँसब ओहि देशमे आएब जे अहाँसबके यहोवा अहाँसबके द' रहल छथि, तखन अहाँसब ओतए' के जाति सबहक घृणित काजसबके देखासिखी नहि करब।10अहाँसबमे एहन केओ नहि भेटबाक चाही जे अपन बेटा वा बेटीके आगिमे बलि दैत अछि, जे केओ भविष्यवाणी करैत अछि वा भाग्य कहैत अछि, वा शुभ-अशुभ मुहूर्त्त कहैत अछि, वा जादूगरी करैत अछि।11टोना टापर करएबला, जे केओ आत्माके जादू करैत अछि, वा धामी भगता अछि जे मृतकके आत्माके साथ बात करैत अछि।12किएक त' एहि प्रकारक काज करएबला यहोवाक' लेल घृणित अछि। एहि प्रकारक' घृणित काजसबके कारणे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओकरासबके अहाँसबके आगुस' भगा रहल छथि।13यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' आगु अहाँसबके' निर्दोष रहबाक चाही। 14मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि जे अहाँसब जे जातिसबके बेदखल करब, ओसब जादू-टोना आ शुभ-अशुभ मुहूर्त्त कहएबला सबहक बात सुनत। मुदा यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके एहन करबाक निषेध कएने छथि।15यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके भाइबन्धु क' बीचमेस' हमरा सन एकटा प्रवक्ता ठाढ़ करताह। अहाँसब ओकर बात अवश्य सुनब। 16किएक त' “आजुक बाद यहोवा हमरासब परमेश्वरक' सोर सुनि नहि पडए आ ई भयंकर डराओन आगि फेरु कहियो देख नहि पडए नहि' त' हमसब मरि जाएब।” बात होरेब पहाड पर सभाके दिनमे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर यहोवासंग इएह बिन्ति कएने छलीह। 17तखन यहोवा हमरास' कहलथिन जे ओसब ठीके कहने अछि।18हम ओकरासबहक लेल ओकरासबहक भाइबन्धु सबहक बीचमेस' अहीं जकां एकटा प्रवक्ता ठाढ़ करब। हम अपन वचन ओकरा मुंहमे राखि देबनि आ ओ ओकरासबके जे किछु हम आज्ञा देबनि से ओकरासब से कहतनि। 19हमर नामस' जे केओ हम वचन बाजत आ जे केओ नहि सुनत त' हम ओकर लेखा लेब। 20मुदा जे प्रवक्ता हमर नाम ल' क' अहंकारस' बाजत, जे वचन हम ओकरा बजबाक' आज्ञा नहि देने छी, वा जे आन देवतासबके नामस' बाजत, ओ प्रवक्ता मरल जाए।21अहाँसब अपनेस' पुछब कोन वचन यहोवाके छथि से कोना बुझब?22जखन कोनो प्रवक्ता यहोवाके नाम ल' क' बाजत जं ओ बात नहि होएत आ नहि सत्य ठहरत त' ओ वचन यहोवा नहि बाजल छथि आ ओ ओहि आगमवक्ताक' घमण्ड स' बाजल बात अछि, आ अहाँसब आगमवक्तासबस' नहि डेराउ।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.