Deuteronomy17

1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे अहाँसब यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक लेल कोनो प्रकारक दोष भेल वा अधलाह बैल वा भेंड़ाके बलि नहि करब, किएक त' ई यहोवा अहाँसबके परमेश्वरलेल घृणित बात अछि।
2यहोवा अहाँसबके परमेश्वर द' रहल कोनो शहरमे अहाँसबहक बीचमे रहनिहार कोनो पुरुष वा स्त्री जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक नजरिमे अधलाह काज करैत देखब वा सुनब जे हुनकर करारक उल्लंघन करैत अछि।3जे केओ जा क' यहोवाके आदेशके विरुद्ध आन देवताके, चाहे सूर्य, चन्द्रमा, वा आकाशके आन कोनो वस्तुके पूजा करैत छै वा ओकरा सामने झुकैत अछि, जे हम एहन कोनो आज्ञा नहि देने छी।4आ जं अहाँसबके ई बात कहल गेल अछि, वा जं अहाँसब सुनने छी, तखन अहाँसब एकर सावधानीपूर्वक जांच करु। जं ई सत्य आ निश्चित अछि जे इजराएलमे एहन घृणित काज भेल अछि त' अहाँसब ई काज करब।5एहि प्रकारक दुष्टकाज कएने पुरुष वा स्त्रीके शहरके मुख्य द्वारके बाहर आनिक ओकरा पत्थल मारिक' मारि देब। 6दू वा तीन गवाहके गवाहीमे मात्रे मारब। मुदा मात्र एकटा गवाहके गवाहीपर नहि मारब। 7ओकरा मार लेल गवाह सब सबस' पहिने हाथ उठओताह, आ तेकरबाद आओर लोकसब हाथ उठाओत। आ अहाँसबके बीचमेस' अधलाह काजके खतम करब।
8मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे अहाँसबके शहरमे हत्या वा आकस्मिक मृत्युके प्रश्न, एक व्यक्तिक अधिकार आ दोसर व्यक्तिक अधिकारक, एक प्रकारक नुकसानक प्रश्न, वा दोसर प्रकारक मामिला, वादविवादक विषय अछि यदि कोनो एहन मामिला उठैत अछि जे अहाँके लेल न्याय करब बहुत कठिन अछि त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अपन पवित्र स्थानक रुपमे चुनताह ओहि स्थानपर जाएब। 9अहाँसब पुजारीसब लग जाएब, जे लेवी कुलके छथि आ ओहि समयमे सेवा करएबला न्यायाधीशलग जाएब। अहाँसब हुनकासबहक सलाह लेब, आ ओसब अहाँसबके न्यायक' देत।10यहोवाक' चुनल गेल स्थानपर जा' क' ओहिना करब जे ओसब अहाँसबके करएके आदेश अनुसार सब किछु करएमे सावधानी अपनाएब।11ओ लेवीय पुजारी आ न्यायीसब जे व्यवस्था सिखबैत छथि, ओकर पालन करु, आ ओसब जे निर्णय दैत छथि, ओहि अनुसार करु। ओसब जे कहैत छथि ताहिस' दहिना वा बामा दिस नहि जाएब।12जे केओ घमण्डी ओतए' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' सेवामे ठाढ़ रहल पुजारी वा न्यायकर्ताक बात नहि सुनैत अछि त' अहाँसब ओ मनुष्यके मारि देब। अहाँसब इजराएलस' खराब खतम करब।13सब लोक ई सुनत आ डराएत, आ फेरु अहंकारके काज नहि करत।14जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर द' रहल ओहि देशमे पहुंच क' देशपर कब्जा क' क' ओतए' रहए लागब आ तखन अहाँसब कहब जे हम अपनासबपर एकटा राजा राखब, जेना हमरासबहक चारुकातक' जातिसब कएने अछि।15तखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके द्वारा चुनल गेल व्यक्तिके अहाँसब अपनालेल राजा बनाएब। अहाँसब संगो इजराएलीसबमेस' केकरो अपनालेल राजा बनाएब। अहाँ अपनालेल कोनो विदेशीके राजा नहि बनाएब, जे अहाँसबके भाइबन्धु नहि होए।16मुदा ओ राजा अपनालेल घोड़ाक संख्या नहि बढ़ाबए आ नहि लोकसबके घोड़ाक संख्या बढ़ाबए मिस्रमे फेरु पठाबए किएकत' यहोवा अहाँसबस' कहने छलाह, अहाँसब फेरु कहियो ओहि बाट घुरिक नहि जाएब।17ओ अपनालेल बहुत पत्नी नहि लाबए, नहि त' ओ पत्नीसब यहोवास मन मोड़ी लेत। ओ अपनालेल बेसी मात्रामे चानी-सोना जमा नहि करए।18जखन ओ राजा बनि सिंहासन पर बैठैत छथि तखन हुनकालग परमेश्वरके व्यवस्था आ शिक्षाके पुस्तकके एकटा प्रति होएबाक चाही जे लेवीय पुजारीसबद्वारा राखल मूल प्रतिस' बनाओल गेल छल।19व्यवस्थाके सब बात आ सब बिधिबिधान ओकरासंगे रहएके चाही, आ ओ ओहिके अपन जीवनभरि पढ़ैत रहए, जाहिस' ओ यहोवा अपन परमेश्वरक आदर करएके सिख सकए, आ ओ एहि सबहक पालन कर सकए।20राजा अपनाके अपन संगी इजराएलीसबस' श्रेष्ठ नहि बुझए, आ परमेश्वर जे आज्ञा दैत अछि से करबामे कहियो असफल नहि होउ। जाहिस ओ आ ओकर सन्तानसब इजराएलक बीचमे ओकरासबहक राज्य बहुत दिन धरि चलाबि सकए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67