Deuteronomy16

1मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि जे अबीब मासक स्मरण करैत यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके फसह पर्व मनाएब, किएकत' अबीब मासमे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके रातिमे मिस्रस' बाहर निकालिक' लओलनि।2जे स्थान यहोवा अपन नामके लेल पवित्र स्थानके रुपमे चुनताह, ओहि स्थानमे यहोवा अपन परमेश्वरक लेल भेंड़ आ हेंड़मेस' फसह-पर्वके बलिदान करब।3अहाँसब एहि' अखमीरी रोटी संग खाएब। सात दिनधरि अहाँसब ओहिके' संग अखमीरी रोटी खाएब। ई क्लेशक रोटी अछि, किएक त' अहाँसब जल्दबाजीमे मिस्र देशस' निकलि गेलहुं। मिश्र देशस' बाहर निकलल दिनके स्मरणमे अहाँसबके जीवनभरि ई खाए पडत। 4सात दिनधरि अहाँसबके बीच अहाँके सबहक सीमाना भीतर कोनो खमीर नहि देखाइ देब चाही। आ अहाँसब पहिन दिन सांझमे बलि चढाएल पशुके मंगलहुं काल्हि भोर धरि नहि रहबाक चाही।5यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके द' रहल कोनो शहरके भीतर फसह-पर्वके बलिदान नहि चढा सकैत छी।6मुदा ओहि स्थानपर बलिदान चढाउ जाहि स्थानके यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अपन पवित्र स्थानक' रुपमे चुनताह। ओतए अहाँसब मिस्रस' निकलल वर्षक समयमे सूर्यास्तक समय सांझमे फसह-पर्वके बलि चढाएब। 7यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके चुनल स्थानमे एकरा पकाक' खाएब। आ दोसर दिन भोरे घुमिक' अपन अपन तम्बू दिस जाएब।8छओ दिन धरि अहाँसब अखमीरी रोटी खाएब। सातम दिन यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक लेल एकटा सभा होएत ओहि दिन अहाँसब कोनो काज नहि करब।9मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे अहाँसब अपनालेल सात सप्ताह गनि लेब। जहियास' ठाढ़ अनाजमे हंसुआ लगाएब तहियास' सात सप्ताहके गनती शुरु करब।10जं ओ सात सप्ताह समाप्त भ' जाएत त' यहोवा अहाँसबहक अपन परमेश्वरके द्वारा देल गेल आशीषक अनुसार अपन हाथस' राजीखुसीके बलि चढ़ाक' यहोवा अपन परमेश्वरक लेल सप्ताहक पर्व मनाएब।11अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आगु आनन्द मनाएब, अहाँसब, अहाँसबके बेटाबेटीसब, अहाँसबके दास-दासीसब, सहर भितरक' लेवीसब, आ परदेशीसब, अनाथसब आ विधवासब जत यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अपन पवित्र स्थान चुनताह।12स्मरण राखब जे अहाँसब मिस्रमे गुलाम छलीह; अहाँसबके एहि विधि सबहक पालन होशियारी पुर्वक करु।13मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे अहाँसबके अपन खरिहान आ अपन दाखकोल्हूस' फसल जमा कएलाक बाद सात दिनधरि झोपड़ीक पर्व मनाएब। 14अहाँ सबकेओ, अहाँसबहक बेटा-बेटीसब, दास-दासीसब, लेवीसब, परदेशीसब, अनाथसब, बिधवासब जे शहरके भीतरमे छी पाबनि मनाक' आनन्दित होएब।15यहोवा अहाँसबके परमेश्वर जे स्थान चुनताह ओतए' सात दिनधरि अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक लेल पाबनि मनाएब, किएक त' अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सब बालीमे आ हाथके सब काजमे अहाँसबके आशीष देथिन आ अहाँसबहक आनन्द पूर्ण होएत।16जे स्थान यहोवा अहाँसबके परमेश्वर चुनताह, ओहि स्थानपर प्रत्येक बर्षमे तीनबेर अहाँसबके सब पुरुषसब परमेश्वरक समक्ष उपस्थित होएब: अखमीर रोटीके पर्वमे, सप्ताहक पर्वमे आ झोपड़ीक पर्वमे। खाली हाथ यहोवाक समक्ष केओ नहि उपस्थित होएब। 17मुदा सब केओ अपन सामर्थ्यके अनुसार देब, जाहिस' अहाँसब ई जानि सकब जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके आशीष देने छथि।18यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके द' रहल प्रत्येक शहरमे अहाँसब अपन कुल अनुसार न्यायकर्ता आ अधिकारीसब भर्ना करु। आ ओसब आदमीसबके निष्पक्ष न्याय करत।19अहाँसब जबरदस्ती केकरो न्याय नहि करु, अहाँसब पक्षपात नहि करु आ नहि घूस लिअ, किएक त' घूस ज्ञानी सबहक आंखि अन्हरा दैत अछि आ धर्मीसबहक बातके टेढ़बाकुल क' दैत अछि।20अहाँसब न्यायक पाछु लागु, न्यायके मात्रे, जाहिस' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर द' रहल देश अधिकारक' क' अहाँसब ओहि देश जीबित रहि सकब।21अहाँसब यहोवा अहाँ अपन परमेश्वरके लेल बनाओल वेदीके बगलमे अशेरा देवीके काठके खम्हा ठाढ़ नहि करु।22आ नहि अहाँसब अपनालेल कोनो मूर्तिके पवित्र पत्थलके खम्हा नहि ठाढ़ करु, जाहिस' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर घृणा करैत छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67