Deuteronomy15
1मूसा इजराएली लोकसबके आओर कहलनि जे प्रत्येक सात वर्षके अन्तमे अहाँसब कर्ज माफ क' देब। 2कर्ज माफीके तरीका इएह अछि, प्रत्येक लेनदार जे अपन पड़ोसीके ऋण देने छै, से ओकरा ऋण माफ क' दिऔ; अहाँसब अपन पड़ोसी आ संगी इजराएलीसबस' ऋण फिर्ताके मांग नहि करब किएक त' यहोवाक कर्ज माफीक' समयक घोषणा भ' गेल अछि।3परदेशीस' अहाँ एकर मांगक' सकैत छी, मुदा अहाँसबके संगी इजराएलीसब कर्ज लेने छै त' ओकरा माफ क' दिऔ।4मुदा, अहाँसबके बीच कोनो गरीब नहि रहए किएक त' यहोवा अहाँसबके ओहि देशमे आशीष अवश्य देथिन जे ओ अहाँसबके अपन उत्तराधिकारक स्वरुपमे देथिन।5जं अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक वचनके पूरा मोनस' सुनब आ हम आइ अहाँसबके जे आज्ञासब द' रहल छी, से आज्ञा सबहक पालन करब त'।6कारण, यहोवा अहाँके परमेश्वर अहाँसबके आशीष देथिन, जेना ओ अहाँसबके संग प्रतिज्ञा कएने छलथि। अहाँसब बहुत जातिसबके कर्ज देब, मुदा ओकरासबस' कर्ज नहि लेब। अहाँसब बहुत जातिसबपर शासन करब, मुदा ओसब अहाँसबपर राज नहि करत। 7जं अहाँसबके सहरक भीतर अहाँसबके कोनो संगी इजराएली भाइ गरीब अछि, जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके द' रहल छथि, त' अहाँसब अपन हृदय कठोर क' क' अपन गरीब भाइके लेल मुठ्ठी नहि मुनू।8मुदा अहाँसब ओकरा दिस अपन हाथ अवश्य खोलब आ ओकर आवश्यकताके लेल पर्याप्त कर्ज अवश्य देब।9सतर्क रहू जे अहाँके मोनमे कोनो दुष्ट विचार नहि करब जे सातम साल अर्थात् छुटकाराक' वर्ष लग आबि गेल अछि जाहिस' अहाँ अपन गरीब संगी इजराएली भाइके विषयमे कंजुसी क' क' ओकरा किछु नहि देब त' ओ अहाँसबके विषयमे यहोवास' प्रार्थना लगाओत आ ई अहाँसबके लेल पाप होएत।10अहाँसब ओकरा अवश्य देब, आ जखन अहाँसब ओकरा देब तखन अहाँसबके मोनमे कोनो कष्ट नहि होए, किएक त' एकर बदलामे यहोवा अहाँके सब काजमे आ अहाँसब हाथ राखब ओहि प्रत्येक वस्तुमे आशीष देथिन।11कारण, देशमे गरीब सदिखन रहत; एहिस' हम अहाँसबके आज्ञा दैत कहैत छी जे अहाँसबके अपन संगी इजराएली भाइ, अपन देशमे रहनिहार गरीब सबहक लेल आ दरिद्र सबहक लेल हाथ अवश्य खोलब। 12जं अहाँसबके भाइ, कोनो इब्रानी पुरुष वा स्त्री अहाँसबके हाथमे अपनाके बेचि दैत अछि, आ छओ वर्ष धरि अहाँसबके सेवा करैत अछि, त' सातम वर्षमे अहाँ ओकरा अपनालग स' स्वतन्त्र क' क' पठा देबै। 13जखन अहाँसब ओकरा छुटकारा देब त' ओकरा खाली हाथ नहि पठाएब।14अहाँसब उदारतापूर्वक अपन हेंड़के भेंड़मेस', अपन खरिहान स' आ अपन दाखकोल्हूमे स' ओकरासबके द' क' पठाएब। यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके द्वारा देल गेल आशीषक अनुसार अहाँसब ओकरासबके देबनि।15अहाँसब ई स्मरण राखू जे अहाँसब सेहो मिस्र देशमे दास छलीह आ यहोवा अहाँके' परमेश्वर अहाँसबके छुटकारा देलनि। तएं हम आइ अहाँसबके ईसब काज करए लेल आज्ञा द' रहल छी।16एहन होएत जे जं अहाँसबके नोकर अहाँसबके कहत जे हम अहाँसबके छोड़िक अहाँसबस' दूर नहि जाएब, कारण ओ अहाँ आ अहाँसबके घरस' प्रेम करैत अछि, आ अहाँसबसंगे खुशीस नीक रहब, त'17तखन टकुवारी ल क' अहाँ ओकर कानके दरबज्जामे सटाक' छेद दिऔ, आ ओ आजीवन अहाँसबके दास बनि जाएत। अहाँसब अपन दासीक' संग सेहो एहने करब। 18ओकरा छुटकारा पाबिक' जाए खातिर अहाँसबके कठिनाइ नहि होए, कारण जे ओ छह वर्षस' अहाँसबके सेवा भाड़ाक लोकस' दोबर मोल बरोबरि क' देने अछि। यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सब काजमे आशीष देथिन।19मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि जे अहाँसबके गाई आ भेंड़के हेंड़के पहिन बिआएल नर बच्चासबके अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक लेल अलग राखू। अहाँ अपन हेंड़क' पहिन बियाएलस' कोनो काज नहि करब आ नहि अपन भेंड़ाके पहिन बियाएलके ऊन कतरब। 20जे स्थान यहोवा चुनताह ओतहि अहाँसब अपन परिवारक' संग प्रत्येक वर्ष यहोवा अपन परमेश्वरक समक्ष खाएब।21मुदा यदि ओकरामे कोनो पय छै — उदाहरणके लेल, यदि ओ लंगड़ा वा आन्हर छै, वा ओकरामे आन कोनो प्रकारक' दाग छै, त' अहाँसब ओकरा यहोवा अपन परमेश्वरके लेल बलि नहि देब।22अहाँसब ओहिके अपन सहरक भीतर खाएब। अशुद्ध आ शुद्ध लोकसब एहिके अवश्य खाएब, जेना अहाँसब हरिण वा मृगके खाइत छी।23मात्र एकर लेहू नहि खाएब। ओकर लेहू पानि जकां जमीनपर गिरा देब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.