Deuteronomy11
1मूसा इजराएलीसबसंग आओर बजैत गेलाह जे तएं अहाँ यहोवा अपन परमेश्वरस' प्रेम करब आ हुनकर आदेशसब, विधिविधानसब, निर्देशन आ आज्ञासब सदखनि पालन करब।2ध्यान दिऔ, जे हम अहाँसबहक' बच्चासबस' नहि बाजि रहल छी, ओकरासबहक' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक अनुशासन, हुनकर महानता, हुनकर पराक्रमी हाथ आ हुनकर पसरल बांहिके विषयमे अनुभव नहि अछि आ नहि देखने अछि।3ओ चेन्हसब आ कर्मसब जे ओ मिस्रके बीच मिस्रके राजा आ अपन सम्पूर्ण भूमिक लेल कएलनि।4मिस्रके सेना, ओकर घोड़ा आ रथ सबहक संग की कएलकैक, जे ओसब अहाँसबके खिहारैत काल लाल समुद्रक पानि ओकरासबके सदाके लेल डुबाक' कोना यहोवा सखाप क' देलकनि सेहो ओसब नहि देखने अछि।5वा जाबत अहाँसब एहि स्थानपर नहि पहुंचलहुं ताबत धरि ओ अहाँसबहक लेल उजाड स्थानमे की कएलनि। 6ओसब ई नहि देखने अछि जे यहोवा रूबेनक पुत्र एलीआबके पुत्र दातान आ अबीरामके संग की कएने छलाह, कोना धरती अपन मुंह खोलिक' ओकरासबके, ओकरासबहक घराना, ओकरासबहक डेरा आ ओकरासबहक सब मालजालके सारा इजराएलीके आगु कोना खा गेलै। 7मुदा यहोवाक' सबटा महान काज अहाँसब देखने छी।8एहिलेल जे आज्ञा हम आइ अहाँसबके द' रहल छी, तेकरा पालन करु, जाहिस' अहाँसब बलशाली भ' क' ओहि देशके अपन बना लेब।9यहोवा अहाँसबके पूर्वजसबके संग अहाँसबके आ अहाँसबके सन्तानसबके देब' शपथ देने देश, दूध आ मह बहएबला देशमे अहाँसबके जीवनक दिन नमहर होए 10कारण, जाहि देशके अहाँसब अपन कब्जामे लेबएलेल जा' रहल छी, कनान देश मिस्र देश जकां नहि अछि, जत' स' अहाँसब निकलि आएल छी, जत' अहाँसब अपन बिआ बाओग क' सागक खेतके मुताबिक पयर स' पइन बनाक पानि पटबैत छलीह।11मुदा जाहि देशके अहाँसब अपना कब्जामे लेब' जा' रहल छी, ओ पहाड़ी आ उपत्यकाक देश अछि आ आकाशके बरखाक पानि जमीन सिंचैत अछि।12एकटा एहन देश जेकर वास्ता यहोवा अहाँके परमेश्वर करैत छथि। यहोवा अहाँके परमेश्वरक नजरि सालक शुरुस' वर्षक अन्तधरि सदिखन एहिपर रहैत अछि।13जं अहाँसब हमर आज्ञासबके ध्यानस' सुनब जे आइ हम अहाँसबके आज्ञा दैत छी, अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरस' प्रेम करब आ पूरा हृदय आ पूरा प्राणस' हुनकर सेवा करब ,14त' हम अहाँसबके देशमे ऋतु अनुसार वर्षा देब, पहिने वर्षा आ बादक वर्षा देब, जाहिस' अहाँसब अपन अनाज, नव दाखमद्य आ तेल जमाक' सकब। 15हम अहाँके गौचरनमे अहाँसबके मालजालके लेल घास उगा देब, आ अहाँसब पेट भर खाएब आ सन्तुष्ट रहब।16एहिस' अपन विषयमे सावधान रहू जे अहाँसबके मोन धोखामे नहि पड़ए, नहि त अहाँसब आन देवता सबहक आराधना करए लगाब आ ओकरासबहक समक्ष निहुरब।17जाहिस' यहोवाक क्रोध अहाँसबपर प्रज्वलित होएत। आ ओ आकाशके बुन्दक' बंद क' देथिन जाहिस' वर्षा नहि होएत, आ जमीन नहि उपजत, आ अहाँसब ओहि नीक देशस' जल्दिए नाश भ' जाएब जे यहोवा अहाँसबके देब जा' रहल छथि।18तएं हमर ई वचनसब अपन हृदय आ प्राणमे राखू, एकरा अपन हाथपर चेन्हक रुपमे बान्हि लिअ आ कपारमे अंकित क' लिअ।19अहाँसब अपन घरमे रहैत काल, सड़कपर चलैत काल, सुतैत काल आ जगैत काल ओहि सबहक विषयमे अपन बालबच्चासब संग चर्चा करब।20अपन घरक चौकठिपर आ सहरक मुख्य द्वार पर ईसब लिख लिअ।21जाहिस यहोवा अहाँसबके पूर्वजसबके देब कहिक' प्रतिज्ञा कएने ओहि देशमे अहाँसबके आ अहाँके' सन्तानसबके जीवन धर्ति आ आकाश रहैत धरि दिर्घायू होए।22जं अहाँसब ईसब आज्ञा सबहक पालन करब जाहिस' अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरस' प्रेम करब, हुनकर सब बाटपर चलब आ हुनकास' लिप्त रहब।23तखन यहोवा ईसब जातिके अहाँसबके आगुस' भगा देताह आ अहाँसब अपनास' बड़का आ बलवान जातिसबके भगा देब।24पयरक तरबास छुवल सब जमीनपर अहाँसबके' होएत। उजाड स्थानस' ले क' लेबनान धरि, महानदी यूफ्रेटिस स' ले क' पश्चिमी समुद्र धरि अहाँसबके सीमाना होएत। 25अहाँसबके सामने कोनो मनुष्य ठाढ़ नहि भ' सकत। यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबस' जेना प्रतिज्ञा कएने अनुसार अहाँसबके भय आ त्रास सारा देश उपर राखि देताह, जत' अहाँसब जाएब।26देखू, हम आइ अहाँसबके आशीष आ सराप दुनू राखि देने छी।27आइ हम अहाँसबके आदेश दैत छी की यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक आज्ञाक पालन करब त' आशीषित होएब।28आ जं अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आज्ञाक पालन नहि करब, मुदा आइ जे हम अहाँसबके आज्ञा दैत छी, ओहि मार्गस' हटि क' नहि चिन्हएबला आन देवता सबहक पाछु लागि जाएब त' अहाँसबके सराप भेटत।29जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके ओहि देशमे प्रवेश कराओत त' जेकरा अहाँसब अपना कब्जामे लेब' जा रहल छी, तखन अहाँसब गिरिज्जीम पहाड़पर आशीष आ एबाल पहाड़पर सराप राखब।30अहाँसबके मालूम अछि जे ईसब यरदन नदीक ओहिपार, रस्तास' पश्चिममे, अराबामे रहनिहार कनानी सबहक देशमे, गिलगालके नगर लग, मोरेक' बड़का झमटगर गाछ सबहक' कातमे अछि।31किएक त' अहाँसब यरदन नदीपार' ओहि देशमे जएबाक लेल पैसब जे अहाँ यहोवा सबहक परमेश्वर अहाँसबके द' रहल छथि आ अहाँसब ओहि देशमे अधिकार करब आ ओहि देशमे रहब।32आइ जे विधिविधान आ आदेश हम अहाँसबके आगु राखि रहल छी से अहाँसब पालन करब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.