Deuteronomy10
1मूसा इजराएलीसबसंग बजैत रहलाह, जखन चालीस दिन आ राति समाप्त भ' गेल तब यहोवा हमरा कहलखिन, पहिनुका जकां दूटा शिलापाटी गढ़िक' बनबा आ पहाड़पर हमरालग आउ आ लकड़ीक एकटा सन्दूक सेहो बनाउ। 2अहाँ फेकक' तोड़ि देने पहिनुका पाटीमे रहल वचनसब हम एहि पाटीमे लिख देब आ अहाँ ओकरा राखएलेल काठके सन्दूक बनाउ।3तएं हम बबूलक लकड़ीक सन्दूक बनौलहुं आ पहिन पत्थल जकां दूटा पत्थलक पाटी गढ़लहुं आ दुनू पाटी हाथमे ल' क' पहाड़पर गेलहुं।4यहोवा सभाके दिनमे पहाड़पर आगिके बिचमेस' अहाँसबहक देल दस आज्ञा पहिने जकां एहि पाटीमे लिखक' यहोवा हमरा द' देलथिन।5हम पहाड़स' उतरिक' पाटी सबके ओहि सन्दूकमे राखि देलिऐ जे हम यहोवाक' आज्ञास' बनौने रही। एखनो ओ ओहिमे छै।6बादमे इजराएलीसब बेरोत बेने जाकनस' मोसेरा धरि आएल। ओतए' हारून मरि गेलाह आ ओतहि हुनका दफना देल गेलनि। हुनकर बेटा एलीआजर हुनकर जगहपर पुजारीके रुपमे सेवा कर लगलनि। 7ओतए' स' गुदगोदा आ गुदगोदास' पानिक' स्रोत बला भूमि योतबाताके यात्रा कएलनि।8ओहि समयमे यहोवा लेवीके कुलके चुनलनि जे यहोवाक करारक सन्दूकके उठाक' चलबाक लेल, यहोवाक समक्ष ठाढ़ भ' हुनकर सेवा करबाक लेल आ हुनकर नामस' आशीर्वाद देबाक लेला। जे आजुक दिन धरि चलैत आ रहल अछि। 9एहिस' लेवीसबके अपन भाय सबहक संग कोनो भाग आ नहि जमीनक उत्तराधिकार छै। यहोवा ओकर उत्तराधिकार छथि, जेना यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओकरास' कहने छलथि।10“हम पहिने जकां चालीस दिन चालीस राति पहाड़पर रहलहुं।” ओहि समयमे सेहो यहोवा हमर प्रार्थना सुनलनि। यहोवा अहाँसबके नाशकरए नहि चाहलनि।11तब यहोवा हमरा कहलथिन जे उठू, मनुष्य सबहक अगुवाइ करु आ हम ओकरासबहक पूर्वजसबके साथ प्रतिज्ञा कएल देशमे जाक' ओतए' अधिकार करत।12आब, हे इजराएली, यहोवा अहाँके' परमेश्वर अहाँसबस' मांग करैत छथि जे, अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक' डर मानू, हुनकर सबटा मार्गपर चलू, हुनकास' प्रेम करु आ अपन सारा हृदय आ सारा प्राणस' यहोवा अपन परमेश्वरक आराधना करु। 13अहाँसबके भलाइक' लेल आजुक दिन अहाँसब जे आदेश क' रहल छी, यहोवाक आज्ञा आ हुनकर विधिविधान सबहक पालन करु।14देखू, यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरक अधीनमे आकाश, सारा ब्रह्माण्ड, पृथ्वी आ ओहिमेके सब किछु अछि।15केवल यहोवा अहाँसबहक पूर्वजसबस' प्रेम करबाक लेल प्रसन्न भेलाह, जेना आइ अहाँसब देखैत छी जे अहाँसबके, ओकर वंशजसबके, ओकरासबहक बाद, आन लोकसबमेस' चुनलनि। 16एहिस आब अपन हृदयके खतना करु आ आइकेबाद हठी नहि बनू। 17यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर, ओ देवता सबहक परमेश्वर आ प्रभु सबहक यहोवा छथि, महान परमेश्वर, पराक्रमी आ भययोग्य छथि, ओ केकरो पक्षपात नहि करैत छथि आ नहि घूस लैत छथि। 18ओ अनाथ आ विधवाक न्याय करैत छथि, आ परदेशीके भोजन आ वस्त्र द' क' अपन प्रेमक प्रदर्शन करैत छथि।19तएं अहाँसब परदेशीस' प्रेम करु; किएक' त' अहाँसब सेहो मिस्र देशमे परदेशी छलहुं। 20अहाँ यहोवा अपन परमेश्वरक भय मानब। हुनकरे आराधना करब। हुनका पकड़ने रहब, हुनकर नामस' शपथ लेब।21ओ अहाँके स्तुतिके' पात्र छथि आ ओ अहाँके परमेश्वर छथि, जे अहाँसबहक' लेल अहाँसबके अपने आंखिस' देखल ईसब पैघ आ भयंकर काज कएलनि।22अहाँके' सत्तरि गोटे पूर्वज मात्रे मिस्रमे गेल छलाह। कनान देशमे आब यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके आकाशके तरेगन जकां अनगणित बना देने छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.