Deuteronomy12

1मूसा इजराएलीसबके कहलनि जे ईसब विधिविधान आ आदेशसब अछि जे अहाँसब ओहि देशमे होशियारीके साथ मानब जे यहोवा अहाँसबके पूर्वजसबके परमेश्वर अहाँसबके अधिकार करए लेल देत।2जाहि जातिसबपर अहाँसब अधिकार करब, ओकरासबहक देवतासबके पूजा करएबला स्थानसबके, उंचगर पहाड़ आ चतरल गाछीके निचांक पिड़ी सब अवश्य नाश क' देब।3अहाँसब ओकरासबहक वेदीसब तोड़ि देब। ओकरासबहक पवित्र पत्थलसबके टुकड़ा-टुकड़ा क' देब। ओकरासबहक अशेरा देवीके खम्हासबके आगिमे जरादेब। ओकरासबहक देवता सबहक' मूर्तिसब तोड़ि देब आ ओहि स्थानस' ओकरासबहक नामोनिशान मेटा देब। 4अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आराधना जेना ई मूर्तिपूजाके लोकसब अपन देवताके पूजा करैत अछि तेना नहि करब।5मुदा यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सब कुलमेस' जे स्थान अपन नाम राखएलेल आ रहएलेल चुनताह, ओतहि अहाँ सबगोटे जाउ आ हुनका आराधना करु।6ओतहि अहाँसब अपन होमबलि, बलिदान बलि, अपन दशांश आ भेट, प्रतिज्ञा बलि, स्वेच्छा बलि आ अपन भेंड़ा आ भेंड़के हेंड़के पहिन बिआएल बच्चा ल' क' आएब।7ओतहि अहाँसब आ अहाँके परिवारक सदस्यसब यहोवा परमेश्वरक समक्ष भोजन करब आ ओहि सब काजक लेल आनन्द मनाएब, जत' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके आशीर्वाद देने छथि।8आइ जे हमसब एत' मूर्तिपूजाक' रहल छी, से अहाँसब नहि करब; किएक त' एखन सब केओ अपन नजरिमे जे उचित अछि से क' रहल छी।9किएकत' अहाँसब एखन धरि यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अधिकार करए लेल देब जा' रहल छथि, ओतए' अहाँसब एखनो नहि आएल छी।10मुदा जखन अहाँसब यरदन नदीक पार यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके देबएबला देश अधिकारक' क' बसि जाएब, तखन ओ अहाँसबके चारु दिसक शत्रुसबस' विश्राम देथिन जाहिस' अहाँसब सुरक्षित रहब।11तब यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अपन नाम राखएलेल जे स्थान चुनताह, ओतए' अहाँसब हमराद्वारा देल गेल आज्ञासब अहाँके' होमबलि, बलिदानसब, अहाँके दशांश आ विशेष चढ़ौनासब आ अहाँसब यहोवाक' संग कबुला कएल चढ़ौना नीक बलिदानक बस्तुसब लाएब।12अहाँ, अहाँके बेटाबेटीसब, अहाँके दास-दासीसब आ लेवीसब जेकर अपन हिस्सा किछु नहि अछि। यहोवा अहाँसब अपन परमेश्वरक समक्ष आनन्द मनाएब।13अहाँसब ध्यान राखू जे अहाँसब अपन होमबलि जत' मोन होएत ओतए' नहि चढ़ाएब।14मुदा यहोवा अहाँसबके कोनो कुलमेस' चुनल ठाममे मात्रे अहाँसब अपन होमबलि चढाएब, आ ओतहि हम जे आदेश देने छी से सब काज करब।
15मुदा, यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरक स' भेटल आशीष मुताबिक अपन सहर भीतर पशुके मारिक' इच्छा मुताबिक खा सकैत छी। शुद्ध आ अशुद्ध दुनू व्यक्ति एहिके विधिपूर्वक खा सकैत छी, जेना हरिण आ मृगके मांश खाइ छी।16मुदा अहाँसब ओकर लेहू नहि खाएब। अहाँसब ओकरा पानि जकां धरतीपर उझलि देब। 17अहाँसब अपन सहरक भीतर अपन अनाज, नव दाखमद्य, तेलक दशांश, वा अपन भेंड़के हेंड़ वा भेंड़के पहिन बिआएल बच्चा नहि खा' सकैत छी। आ ओहिना अहाँसब अपन मनता मानल बलि नहि खा' सकैत छी, आ अपन स्वेच्छा बलि आ नहि विशेष चढ़ौना।18मुदा यहोवा अहाँसबके परमेश्वरद्वारा चुनल गेल जगहमे हुनका समक्ष अहाँ, अहाँके बेटाबेटी, अहाँके दास दासी आ लेवीसब जे अहाँके सहरक भीतर अछि ओहिके खा' सकैत छी। अहाँ अहाँसबके द्वारा कएल गेलसब काजक लेल यहोवा अपन परमेश्वरक समक्ष आनन्द मनाएब।19होसियार रहुं जे जाधरि अहाँ अपन देशमे रहब ता' धरि लेवीसबके वास्ता करबैक।20जखन यहोवा अहाँके परमेश्वर अपन प्रतिज्ञाक मुताबिक अहाँसबके सीमाना बढ़ोताह, आ अहाँसबके मंगलहुं खएबाक इच्छा भ' क' मोनमे कहब जे हम मंगलहुं खाएब, तखन अहाँसब मोन मुताबिक मंगलहुं खा सकैत छी।21जं यहोवा अहाँके परमेश्वर अपन नाम रखबाक लेल चुनल जगह बहुत दूर अछि त', यहोवाद्वारा अहाँसबके देल गेल भेंड़ा आ भेंड़के हेंड़स' मारिक' हमर आज्ञाके मुताबिक अहाँसब अपन घर भीतर मनचाहा खा' सकैत छी। 22हरिण आ मृग जकां ई खा' सकैत छी। अशुद्ध आ शुद्ध दुनू एक समान विधिपूर्वक एहिके खा' सकैत अछि।23मात्रे ई सुनिश्चित करु जे अहाँ लेहू नहि पीबि, कारण लेहू जीवन थिक। माउसक संग जीवन नहि खएबाक चाही।24अहाँसब एहिके नहि खाएब। अहाँ ओकरा पानि जकां जमीनपर उझलि देब।25अहाँसब एहिके नहि खाएब। यहोवाक' नजरिमे जे उचित अछि से काज करब, जाहिस' अहाँसबके आ अहाँके बादक बच्चासबके भला होअए।26मुदा अहाँसबके द्वारा यहोवाके मानल चढ़ओना जे किछु अछि से यहोवाद्वारा चुनल गेल जगहपर ल' क' आएब।27ओतए' अहाँ अपन होमबलिसब, मंगलहुं आ लेहू, यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक वेदीपर चढाएब। अहाँके बलिदानक लेहू यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरक वेदीपर ढारल जाएत आ मंगलहुं अहाँसब खा' सकैत छी।28अहाँसबके हम जे आज्ञासब देने छी, तेकरा मनन करु आ सुनू, जं यहोवा अहाँके परमेश्वरके नजरिमे जे उचित आ नीक अछि से करब त' अहाँसब आ अहाँसबहक बाद अहाँसबके बच्चासबके लेल नीक होएत।29जखन यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सोझा स' जातिसबके खिहारि देत आ अहाँसब ओकरासबके खिहारिक' ओकरासबहक देशमे रहब।30होसियार रहब, अहाँसबके आगुस' नाश भेलाक बाद आन जातिसबके चालिचलनमे नहि ओझराएब। ओकरासबके देवतासबके विषयमे कोनो खोज-खबरि नहि करब। जेना की ओसब अपन देवता सबहक पूजा कोना करैत अछि? हमहूं तहिना करब।31अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आराधना ओना नहि करब, कारण जे वस्तुके यहोवा घृणा करैत छथि ओसब चीज ओसब अपन देवताके पूजा करैत काल करैत छै। एतधरि जे अपन देवताके खुशी करए लेल अपन बेटा-बेटीके आगिमे झोंकि दैत छै।32हम जे आज्ञासब देने छी, ओकर मनन करु। एहिमे किछु थप घट नहि करु। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67