Deuteronomy1
1यरदन नदीके पूर्व ओहिपार मरुभूमि आ समथर भू-भागमे सुपके आगु पारान नगर, तोपेल नगर, लाबान नगर, हसेरोत नगर आ दीजाहाबके नगर बीचमे इजराएलीसबके संग मूसाद्वारा कहल गेल वचनसब इएह अछि।2सेईर पर्वतक बाटस' होरेबस' कादेशबर्ने धरि पैदल एगारह दिनके यात्रा अछि।3इजराएलीसब मिश्र छोड़लाके चालीसम वर्षके एगारहम महिनाके पहिन दिनमे, मूसा इजराएलक लोकसबस' यहोवाद्वारा मूसाके इजराएली सबहक लेल देल गेल आज्ञा सबहक' विषयमे बतओलनि।4ई बात तखन भेल जखन परमेश्वर हेशबोन नगरमे रहनिहार एमोरी सबहक' राजा सीहोनके आ एद्रेई नगरमे अश्तारोत नगरमे रहनिहार बाशानक' राजा ओग पर आक्रमण कएने छलाह।5यरदन नदीक ओहिपार मोआब देशमे मूसा ई कहिक' व्यवस्थाके' घोषणा कर' लगलाह,6“होरेब पहाड़के नीचामे यहोवा हमरासबहक' परमेश्वर हमरासबस' कहलनि अछि, ‘जे अहाँसब एहि पहाड़ी देशमे बहुत दिनस' रहि रहल छी।7आब फेरु यात्रा करु, आ एमोरी सबहक' पहाड़ी देशमे आ ओहि ठामक लगपासक यरदन नदीक तराईक' देशमे, पहाड़ी देशमे, तराईमे, नेगेवमे आ ओहि ठामक लगपास समुद्रक कात — कनानी सबहक देशधरि, लबानोनमे आ महानदी यूफ्रेटिस धरि जाउ।8देखू, हम अहाँसबहक आगु देश राखि देने छी। जाउ आ ओहि देशके अपन अधिकारमे लिअ, जे देश यहोवा अहाँसबहक पूर्वज, अब्राहम, इसहाक आ याकूबके, हुनकासबके आ हुनकासबहक भावी सन्तानसबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छलथि।’9ओहि समय हम कहने छलहुं, ‘जे हम एसगरे अहाँसबके ढोबए लेल सक्षम नहि छी।10यहोवा परमेश्वर जेकरा अपनासब आराधना करैत छी से अहाँसबके क गुणा' देलनि आ देखू, अहाँसब आइ आकाशके' तरेगन जकां बहुते छी। 11यहोवा, अहाँसबके पूर्वजके परमेश्वर अहाँसबके हजार गुणा बेसी बनाबथि आ अहाँ सबकेओ अपन प्रतिज्ञाक' अनुसार आशीष देथि!12मुदा हम एसगरे अहाँसबहक' भार, चिन्ता, बोझ आ झै-झगड़ाके कोना उठा सकब?13अहाँसबहक' प्रत्येक कुलस' बुद्धिमान, समझदार आ नीक प्रतिष्ठित अनुभवी आदमीसबके चयन क' क' हम ओकरासबके अहाँसबहक' मुखिया बनाएब।’14अहाँ हमरा उत्तर देलहुं, ‘अहाँ जे बात कहलहुं से हमरासबहक लेल नीक अछि, ओहने करु।’15एहिस' हम अहाँसबहक' कुलस' मुख्य, बुद्धिमान, सुप्रतिष्ठित आ समझदार आदमीसबके चुनिक' ओकरासबके हजारके, सयके, पचासके, दशके उपर नायक नियुक्त क' देलिऐ। प्रत्येक कुलक लेल कुलनायक सेहो नियुक्त कएलहुं।16ओहि समयमे हम अहाँसबहक न्यायकर्तासबके आज्ञा देलिऐ जे, ‘अहाँसबहक भाइसब बीच भेल झगड़ा सुनू, इजराएली भाइसबके बीच होए, आ ओकरासबसंगे रहनिहार विदेशीक' बीच होए ओकरासबहक सत्य तथ्य न्याय करियौ। 17झगड़ाक' न्याय करैत काल अहाँ केकरो पक्षपात नहि करब। छोट वा पैघ दुनूके बात सुनब। कोनो लोकस' नहि डेराएब, कारण जे न्याय त' परमेश्वरक दिसस' होइत अछि। अहाँसबहक' लेल बहुत कठिन मुदा मामिला सब अहाँसब हमरालग ल' क' आएब, आ हम ओहिके सुनब।’ 18ओहि समयमे अहाँसबके हम ओसब काजक' आज्ञा देलहुं जे अहाँसबके करबाक चाही। 19हमसब होरेबस' निकलिक' यहोवा हमरासबके परमेश्वरके आज्ञा अनुसार जे अहाँसब देखने छी, ओहि विशाल आ भयावह मरुभूमि होइत एमोरीसब रहनिहार पहाड़ी देशमे गेलहुं। आ हमसब कादेशबर्ने नगरमे आबि गेलहुं।20हम अहाँसबके कहने छलहुं, जे यहोवा हमरासबहक परमेश्वर हमरासबके देब लागल एमोरी सबहक पहाड़ी देशमे अहाँसब आबि गेल छी।21देखू, यहोवा अहाँके परमेश्वर अहीं सबहक आगुमे एहि देशके राखि देने छथि। यहोवा अहाँसबहक पूर्वजक' परमेश्वर अहाँसबस' जेना कहने छथि, ओहि तरहे ओतए' जाउ आ अधिकार ल' लिअ। नहि डराएब आ नहि हतोत्साहित होएब।22अहाँसब केओ हमरालग आबिक' कहए लगलहुं, ‘जासुसी करबाक लेल हमरासबस' पहिने आदमीसबके पठाएब। ओहि देशमे हमसब कोन बाट द' क' जाएब आ कोना आक्रमण करब, आ कोन-कोन शहरमे पहुंचब से जानकारी हमरासबके देत।’23ई सल्लाह हमरा बहुत नीक लागल, हम अहाँसबमेस' बारह गोटे, सब कुलमेस' एक-एकटा आदमीके चुनि लेलहुं।24ओ बारह गोटे पहाड़ी देशमे चलि गेलाह, एशकोल उपत्यकामे पहुंच गेलाह आ ओत खोज खबरि कएलनि।25ओसब ओतएस' जमीनक किछु उपज अपना हाथमे ल' क' हमरासबलग अनलनि। ओसब हमरासबके इहो बात कहलनि, ‘हमरासबहक यहोवा परमेश्वर हमरासबके देबएबला ओ देश बहुत नीक अछि।’26अहाँसब आक्रमण करएस' अस्वीकारक' देलिऐ, मुदा अहाँसबहक यहोवा परमेश्वरक आज्ञाके विरोध कएलहुं।27अहाँसब अपन तम्बूमे भनभनाइत कहलहुं, ‘यहोवा हमरासबस' घृणा करैत छथि, तएं ओ हमरासबके मिस्र देशस' बाहर निकालिक' हमरासबके एमोरी सबहक हाथमे द' क' हमरासबके नाश क' देथिन।28आब हमसब कत' जा' सकैत छी? ओहि बारहो भाइसबके जेकरा हमसब पठौने छलीऐ अपनासबके मोन निराश क' देलक, ओसब ई कहैत अछि जे ओ लोकसब हमरासबस' पैघ आ बड़का अछि; ओकरासबहक नगरसब पैघ अछि आ आकाश धरि घेराबन्दी कएल गेल अछि। ततबे नहि, हमसब ओतए' अनाकी सबहक पुत्रसबके देखलहुं।’ 29तखन हम अहाँसबके कहलिएनि, ‘भयभीत नहि होउ आ नहि ओकरासबस' डेराउ।30यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर, जे अहाँसबस' पहिने जएथिन, ओ अहाँसबहक लेल लड़ताह, जेना मिस्रमे अहाँसबहक नजरिक सामने अहाँसबहक लेल जे किछु कएने छलाह,31आ उजाड़-स्थानमे सेहो, जत अहाँसब देखलहुं जे अहाँसबहक यहोवा परमेश्वर अहाँसबके कोना ढोअने छलाह, जेना मनुष्य अपन बेटाके ल' क' चलैत अछि, तहिना अहाँसबके ल' गेलहुं जाधरि एहि ठाम नहि आबि गेलहुं।’ 32एहिके बादो अहाँसब अपन यहोवा परमेश्वरपर विश्वास नहि कएलहुं,33जे अहाँसबहक लेल तम्बू टांगिक' जगह ताकए आ अहाँसबके जाएबाला बाट देखाबएलेल, रातिमे आगि आ दिनमे मेघमे यात्रा करएधरि आगु-आगु गेलथि।34यहोवा अहाँसबहक भनभनाएल आवाज सुनिक' क्रोधित भ' गेलाह। ओ शपथ करैत कहलनि,35निश्चय एहि दुष्ट पीढ़िक लोकमेस' केओ नहि जे हम अहाँसबहक पूर्वजसबके देबाक शपथ लेने रही ओ नीक देश देख' नहि पाओत।36‘यपुन्नेके पुत्र कालेब मात्रे ओ देश देख पाओत। हम ओकरा आ ओकरा सन्तानके ओ भूमि देब जाहिपर ओ पयर रखने छथि, किएक त' ओ पूर्णरुपें यहोवाक' पाछु लागल अछि।’37अहाँसबहक कारणे यहोवा हमरापर सेहो क्रोधित भ' कहलनि, ‘जे अहाँ सेहो ओतए' नहि जाए पाएब।38नूनक पुत्र यहोशू जे अहाँके' आगु ठाढ़ अछि, ओ ओतए' प्रवेश करताह। ओकरा प्रोत्साहित करु, किएक त' ओ इजराएलीके ओहि देशके उत्तराधिकारीक लेल नेतृत्व करत।39तहुंमे अहाँके छोट-छोट बच्चासब, जेकरा विषयमे अहाँसब कहने रही जे ईसब कैदी भ' जाएत, जेकरासबके नीक-बेजाएक' कोनो ज्ञान नहि अछि — ओसब ओतए' प्रवेश करत। हम ओकरासबके ओ देश द' देब, आ ओसब ओहि देशपर अधिकार जमाओत।40मुदा अहाँसबहक बात अछि त' घुमिक' लाल समुद्रक दिस उजाड़-स्थानमे आगु बढू।’41तखन अहाँसब हमरा उत्तर देलहुं, ‘हमसब यहोवाक विरुद्ध पाप कहलहुं। हमसब जा' क' युद्ध करब, आ यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक' हरेक आज्ञा मानब जेना ओ कहने छलथि।’ अहाँसबमेस' प्रत्येक आदमी अपन युद्धके हथियार बोकि लेलहुं आ अहाँसब ओहि पहाड़ी देशपर आक्रमण करबाक लेल तैयार छलहुं।42यहोवा हमरा कहलनि, ‘ओकरासबस' कहू, “आक्रमण नहि करु आ युद्ध नहि करु, कारण जे हम अहाँसबहक' संग नहि छी, आ अहाँसब अहाँ अपन शत्रुसबस' हारि जाएब।”43हम अहाँसबस' ई बात कहलहुं, मुदा अहाँसब नहि सुनलहुं। अहाँसब यहोवाके आज्ञाक' विरुद्ध विद्रोह कएलहुं। अहाँ अहंकारी छलहुं आ ओहि पहाड़ी देशपर आक्रमण कएलहुं।44मुदा ओहि पहाड़ी देशमे रहनिहार एमोरीसब अहाँसबहक विरुद्ध आबिक' मधुमख्खी जकां अहाँसबके रेबारलक आ सेईर देशके होर्माके सहर धरि अहाँसबके पराजीत क' देलक। 45अहाँसब घुरिक' यहोवास' मदतिके लेल पुकार करए लगलहुं। मुदा यहोवा अहाँसबके आवाज नहि सुनलनि आ नहि अहाँसबपर ध्यान देलनि।46तएं अहाँसब बहुत दिन धरि कादेशमे रहलहुं।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.