कुलुस्सी4

1मालिक लोकनिके अपन दाससब संग न्यायपूर्ण आ निष्पक्ष व्यवहार करबाक चाही। अहाँ जे मालिक छी से ई अवश्य करु कारण अहाँ जनैत छी जे अहाँ एकटा मालिकके सेवा सेहो करैत छी, जे स्वर्गमे छथि। 2लगातार परमेश्वरस प्रार्थना करु। प्रार्थना करैत काल ध्यान करु, आ परमेश्वरक धन्यवाद करु। 3हमरासबके लेल सेहो एक मन भ' क' प्रार्थना करु, जाहिस' परमेश्वर हमरासबके लेल वचनके दुआरि खोलथि , जाहिस' हमसब मसीहके रहस्य सुनाबि सकब, परमेश्वरके सन्देश प्रचार करबाक कारण एखन हम जहलमे छी।4प्रार्थना करु जे हम सुसमाचारके स्पष्टरुपस' बुझा सकब, जेना परमेश्वर हमरा बजौने छथि।5अपन लगपासक लोकसबसंग बुद्धिमानीस' व्यवहार करु जे मसीहमे विश्वास नहि करैत अछि। सब मौका के लाभ उठाउ अहाँके ई करए पड़त। 6जखन अहाँ हुनकासबस' बात करैत छी, अहाँके सदिखन अनुग्रहस' आ रोचक ढंगस' बजबाक चाही। जखन अहाँ ई करब, अहाँ प्रत्येक व्यक्तिक प्रतिक्रिया देबाक सबस' नीक तरीका बुझब।7हमरासंग जे किछु भ' रहल अछि, से तुखिकुस अहाँके बताओत। ओ एकटा एहन संगी सेवक छथि जिनकास' हम प्रेम करैत छी, जे निष्ठापूर्वक हमर मदति करैत छथि, आ हमरासंग प्रभुके काजमे सहकर्मी सेवक छथि, परमेश्वर आ प्रभु हमरासबके एकजुट कएने छथि।8एहि पत्रक संग हम तुखिकुसके अहाँसबलग एहिलेल पठा रहल छी जे हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानिलिअ जे हमसब केहन छी आ किएकत तुखिकुस अहाँसबके मनमे आत्म-विश्वासस' जिअएमे प्रोत्साहित करत।9हम अहाँसबके पठा रहल छी उनेसिमुसक संग, जे एकटा विश्वासयोग्य आ संगी-विश्वासी छथि, जिनकास' हम प्रेम करैत छी। ओ अहाँक ओहि समूहके छथि। तुखिकुस आ उनेसिमुस एत की भ' रहल अछि के विषयमे सब किछु बताओत।10जे अरिस्तर्खुस हमरासंग जहलमे अछि। आ मरकुस जे बरनबासके पितियौत भाइ छथि, अहाँसबके अपन नमस्कार कहैत छथि। अहाँके पहिनेस' आदेश अछि जे जं मरकुस अहाँ लग आओत त' अहाँ हुनका स्वागत करबनि अछि।11यीशु सेहो, जिनका अहाँसब यूस्तुसके नामस' चिन्हब, अपन अभिवादन पठबैत छथि। ई आदमी अरिस्तर्खुस, मरकुस, आओर यूस्तुस एकमात्र खतना भेल यहूदी विश्वासी छै जे परमेश्वरके राज्यके लेल हमर सहकर्मी अछि। ओ हमरा एहि काजमे प्रोत्साहित कएने छथि।12एपाफ्रास, जे अहाँसबके अपन समूहक छथि आ जे मसीह यीशुके सेवक छनि, अहाँसबके अपन अभिवादन पठबैत छथि। ओ अहाँक लेल कतेको बेर इमानदारीस' प्रार्थना करैत छथि। ओ प्रार्थना करैत छथि जे परमेश्वर अहाँके ओहिना बनएमे सक्षम बनाबथि जे परमेश्वर अहाँके बजौने छथि आ ओसब किछु सुनिश्चित करथि जे परमेश्वर चाहैत छथि जे अहाँ करु।13अहाँसब बुझल अछि जे ओ अहाँक लेल एहि तरहें प्रार्थना करैत छथि कारण हम व्यक्तिगत रुपस' एकर गवाही द' सकैत छी। हम अहाँसबके कहैत छी जे ओ अहाँसबलेल, आ लौदीकिया नगरमे रहनिहारसब लेल आ हियरापुलिस नगरमे रहनिहारसबके लेल बहुत मेहनति करैत छथि।14अपनासबके प्रिय वैद्य लूका, जिनका हम प्रेम करैत छी, आ देमास अहाँके अपन शुभकामना पठबैत छथि।15हमर अभिवादन लौदीकियामे रहनिहार संगी-साथीके, नुमफासके, आ नुमफासक घरमे ग्रहण करएबला विश्वासीसबके समूहके दिऔक।16जे व्यक्ति अहाँके ई पत्र पढ़ैत अछि ओ एकरा समाप्त कएलक बाद एकरा लौदीकिया पठा दिऔक जाहिस' केओ एकरा ओतएके विश्वासीसबके समूहके सेहो पढ़ि सकए। संगहि, अनुरोध करु जे हम लौदीकियामे विश्वासी लोकनिके पठएने रही, जाहिस' अहाँसब सेहो पढ़ि सकब।17अहाँके अरखिप्पुसस' बात करबाक लेल आग्रह करए चाही जाहिस' ई सुनिश्चित कएल जा सकए जे ओ ओहि सेवाके पूरा करैत अछि जे परमेश्वर ओकरा प्रभु मसीहक संग एकजुट कएने छलाह।18हम पौलुस अहाँसबके अपन अभिवादन पठबैत छी। हमर लेखकके लिखएके बदला हम स्वयं ई अन्तिम शब्द लिख रहल छी। अहाँ ई नहि बिसरब जे हम जहलमे छी। हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँपर अनुग्रह करथि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67