1 थिसलुनिका1

1पौलुस, सिलवानुस आ तिमुथियुसके दिसस' थिसलुनिका शहरके मण्डलीके नाम लिखल गेल पत्र, जे पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीहद्वारा पाओल गेल छल। कृपा आ शान्ति अहाँपर बनल रहए। 2अपन प्रार्थनामे लगातार अहाँके नाम लैत, हमसब अहाँसबके लेल, सदिखन परमेश्वरके धन्यवाद दैत छी,3अहाँसबके विश्वासक काज, प्रेमक परिश्रम आ अपनासबके परमेश्वर आ पिताके समक्ष हमरासबके प्रभु यीशु मसीहमे आशाक दृढ़ताके मन पाड़ैत4परमेश्वरक प्रिय भाइ बहिनसब, ई जानि लिअ जे अहाँसब चुनल गेल छी। 5किएकत' हमरासबहक सुसमाचार अहाँसबहक समक्ष मात्र वचनमे नहि, बल्कि सामर्थ्य आ पवित्र आत्माद्वारा आ पुरे आश्वासनस' सेहो आएल अछि जहिना अहाँसब जनैत छी जे हमसब अहाँसबहक बीच अहाँसबहक लेल केहन लोक छलहुं।6आ पवित्र आत्माके आनन्दस' महासंकटमे वचन ग्रहण कएलापर अहाँसब हमरासबहक आ प्रभुक अनुसरण करएबला बनि गेलहुं।7परिणाम स्वरुप मकिदुनिया आ अखाया प्रान्तमे रहनिहार विश्वासीसब अछि जे अहाँसबहक लेल एकटा उदाहरण बनि गेल छलहुं।8कारण, प्रभुक वचन मात्र मकिदुनिया आ अखायामे अहाँसबद्वारा नहि सुनाओल गेल छल, बल्कि परमेश्वर प्रति अहाँके विश्वास सबठाम पहुंच गेल अछि। तएं, हमरा लोकनिके किछु कहबाक आवश्यकता नहि अछि।9ओहि प्रान्तके विश्वासीसब हमरासबके विषयमे कहैत छथि जे अहाँसब हमरासबके कोना स्वागत-सत्कार कएलहुं आ अहाँसब मूर्तिस' परमेश्वर दिस घुमि जीवित आ सत्य परमेश्वरक सेवा कएलहुं।10आ अपन पुत्रके स्वर्गस' आगमनके प्रतीक्षा करु, जे यीशु, हुनका मृतकमेस' जीवित कएने छथि, ओ हमरासबके आबएबला प्रकोपस' बचओताह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67