कुलुस्सी3

1हम पहिने जे कहलहुं ताहिपर घुरि जाउ, जेना परमेश्वर अहाँके जीवित उठएलनि कारण ओ अहाँके एहिमे सहभागी कएलनि जखन ओ मसीहके जीबि उठएलनि। तएं, हम चाहैत छी जे अहाँसब ओहि किछुपर ध्यान दिऔक जे स्वर्गमे अछि, कारण मसीह ओतए छथि। ओ पिता परमेश्वरक बगलमे सिंहासनपर बैसल छथि आ सब किछुपर शासन करैत छथि। 2हम चाहैत छी जे अहाँसब ओहि वस्तुक सोंचू जे परमेश्वर अहाँलेल स्वर्गमे तैयार कएने छथि, नहि की जे अहाँ एत पृथ्वीपर पाबि सकैत छी।3अहाँके एहि तरहें सोंचब चाही कारण जेना अहाँ मारि गेल छी। अहाँ आत्मिकरुपस' मात्र एहिलेल जीवित छी जे परमेश्वर अहाँके मसीहक संग अपना संग घनिष्ट सम्बन्धमे एकजुट कएने छथि, आ पृथ्वीपर एहि समयमे ई नहि देखल जा सकैत अछि।4अहाँ जीवित छी किएकत परमेश्वर अहाँसबके मसीहसंगे एकजुट क' देने छथि जे अहाँसबके जीवन छथि । तएं जखन ओ पृथ्वीपर घुरि जएताह आ सब हुनका देखताह, तखन ओहि समय अहाँ हुनकासंग रहब। तखन, सब देख सकब जे अहाँ सेहो हुनका महिमामे एकटा तेजस्वी प्राणी बनि गेल छी।5कारण ई अहाँक भविष्य अछि, तएं एहि संसारमे अधलाह काज करबाक इच्छाके दुश्मन बुझू जेकरा मारए पड़त। अहाँ जे अधलाह वस्तुक इच्छा क सकैत छी ताहिमे सहभागी अछि व्यभिचार, अशुद्ध काज, गलत भावनाके आनन्द, अधलाह वस्तुक इच्छा, आ जे किछु चाही ताहिस' बेसी चाहैत छी, जे कोनो दोसर देवताके उपासना करएस मिलैत जुलैत अछि।6लोकक ई इच्छा रहबाक कारणे परमेश्वर ओकरापर क्रोधित छथि आ ओकरा सजाय देथिन।7हुनकासब जकां अहाँसबके सेहो अधलाह काज करबाक इच्छा छल जहिया पहिने अहाँसब ओहिमे जीवन व्यतीत करैत रही।8मुदा आब ओना अहाँसब विश्वास कएने छी, अहाँसबके सब दुष्ट व्यवहार छोड़ि दिऔक। एहि अधलाह तरीकामे क्रोधित तरीकास' व्यवहार करब, दोसर पर क्रोधित रहब, दोसरके चोट पहुंचएबाक इच्छा, दोसरक खराब बात करब, आ शर्मनाक बात करब सहभागी अछि। 9एक दोसरास झूठ नहि बजबाक चाही। अहाँ ओ व्यक्ति नहि छी जे पहिने छलहुं, एहन व्यक्ति जे सामान्यत एहि प्रकारक खराब व्यवहार करैत छल। 10अहाँसब आब एकटा नव व्यक्ति छी, एकटा व्यक्ति जाहिमे परमेश्वर अहाँके हुनका बेसी चिन्हबाक काज क' रहल छथि। अहाँ आब एकटा एहन व्यक्ति छी जे परमेश्वरके स्वरुपमे छी, जे अहाँके एहि नव व्यक्तिमे बदलि देलनि अछि।11फलस्वरुप, अहाँसब एकदम नव लोक छी, एहिस' कोनो फरक नहि पड़ैत अछि जे केओ गैर-यहूदी अछि वा यहूदी, वा खतना भेल वा नहि, वा विदेशी अछि वा असभ्य व्यक्ति, वा दास अछि आ की नहि। बल्कि, मसीह मात्र सबस महत्वपूर्ण छै, आ परमेश्वर हुनका अहाँसबके सबसंगे एकजुट क' देने छथि।12परमेश्वर अहाँसबके चुनने छथि, अहाँसबके अपन पवित्र लोकक रुपमे अलग कएलनि अछि आ अहाँसबस' प्रेम करैत छथि। एहि सब बातक कारण आ अहाँसब नव लोक छी होएबाक कारण अहाँसब सदिखन दोसरक संग उचित व्यवहार करबाक चाही। एहिमे सहभागी अछि हुनकर देखभाल करब, हुनकापर दया करब, घमण्ड नहि करब, अभद्रता नहि करब, आ क्रोधित होबएमे बहुत समय लेब।13अहाँके एक-दोसरके सहजहि किचकिचाबए नहि चाही। जखन अहाँ दोसर लोकके ओकर काजके लेल दोषी मानैत छी त ओकरा माफ करए पड़त। अहाँ एक-दोसरके माफ क' क' प्रभु अहाँके कोना क्षमा कएलनि से पालन करबाक चाही।14अन्तमे, जे एखन धरिके सबकिछु हम कहल गेलस बेसी महत्वपूर्ण अछि, ई जे अहाँ एक दोसरास प्रेम करैत छी। एहि तरहें अहाँ स्वयंके एकसंग एकजुट क' रहल होएब जेना परमेश्वर अहाँके बजौने छथि।15जखन अहाँ ई चुनैत छी जे की करबाक चाही तखन अहाँके मनमे ओ शान्ति जे मसीह देने छथि, ओकरा प्राथमिक करारके रुपमे प्रयोग करबाक चाही। अहाँके ई अवश्य करबाक चाही कारण परमेश्वर अहाँके शान्तिक लेल चुनने छथि जखन ओ अहाँके एक दोसरास' लगस' जोड़ैत छथि, ओतबे लगस' जेना अहाँ एक व्यक्तिक शरीर छी। संगहि परमेश्वरके सेहो धन्यवाद देबाक चाही।16जखन अहाँ सोंचैत छी आ काज करैत छी तखन अहाँके पूरा तरहें मसीहक विषयमे सन्देशपर ध्यान देब पड़त। अहाँसबके बहुत बुद्धिमानीस' धर्मशास्त्रक गीत, यीशुक विषयमे गीत आ पवित्र आत्माद्वारा देल गेल आत्मिक गीतके उपयोग क एक-दोसरके सिखाबए' आ निर्देश देब' पड़त। अहाँके परमेश्वरके धन्यवाद आ निश्छलतास' गाबएके चाही।17जखन-कखनो अहाँ किछु कहैत छी वा करब, अहाँके ओहिना व्यवहार करबाक चाही जे जे प्रभु यीशुक प्रतिनिधित्व करैत छथि। संगहि, अहाँसबके यीशुके नामस' परमेश्वरके धन्यवाद देबाक चाही, जे अपनासबके पिता छथि। अहाँ ई मात्र मसीहक कर्मके कारण क' सकैत छी।18पत्नीसबके अपन अपन पतिके संग अपन परिवारक अगुवाके रुपमे व्यवहार करबाक चाही, कारण ई व्यवहार ओहि लोकनिके लेल उचित अछि जिनका परमेश्वर प्रभुक संग एकजुट कएने छथि। 19पतिके सेहो अपन पत्नीस प्रेम करबाक चाही आ हुनकासंग कठोर व्यवहार नहि करबाक चाही।20बच्चासबके सब परिस्थितिमे अपन माय-बाबूके बात मानबाक चाही। परमेश्वरके प्रसन्न करैत अछि आ उपयुक्त जिनका परमेश्वर प्रभुस' एकजुट कएने छथि।21पिता सबके अपन बच्चासबके दिकियाबके नहि चाही। नहि त बच्चाक के हारि मानएके इच्छा भ' सकैत छै।22दाससबके सब परिस्थितिमे शरीर अनुसार मालिक छनि, ओकरासबके हुनकर आज्ञा मानबाक चाही। ओकरासबके मानए पड़तनि जखन हुनकर मालिकके नजरि रहैत छथि तखने नहि, जे केवल पुरुषके प्रसन्न करए चाहैत छथि, ओ एहि प्रकारक व्यवहार करैत छथि। बल्कि ओकरासबके अपन मनस' अपन मालिकके निष्ठापूर्वक भय मानबाक चाही किएकत ओसब परमेश्वरके संग भक्तिके व्यवहार करैत छथि।23अहाँके जे काम करए छी ओकरा पूरे मन लगाक' करब, जेहन की केवल मनुष्यके लेल नहि मुदा अहाँ प्रभुके लेल काम क' रहल छी।24अहाँसबके एहि तरहें आज्ञा मानबाक आ सेवा करबाक चाही कारण अहाँसब जनैत छी जे प्रभु अहाँसबलेल जे किछु रखने छथि से अहाँसबके द' क' न्यायपूर्वक प्रतिफल देताह। स्मरण राखू जे प्रभु मसीह ओ वास्तविक मालिक छथि, जिनका लेल अहाँ काज क' रहल छी।25अहाँके ई मोन राखब जे वास्तविक मालिक के छथि कारण जे केओ अन्याय करत, परमेश्वर ओकरा ओहि गलत काजक अनुपातमे सजाय देथिन। एकर कारण अछि जे परमेश्वर लोकक न्याय एहि बातक आधार पर नहि करैत छथि जे ओ केहन छथि वा के छथि, मुदा जे काज कएने छथि ताहिपर पक्षपात नहि कएल जाएत। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67