कुलुस्सी2
1हम ई सब बात लिख रहल छी कारण हम अहाँसबके सूचित करए चाहैत छी जे हम कतेक मेहनति क रहल छी। हम मेहनति करैत छी अहाँसबलेल, ओहि संगी-विश्वासीसब लेल जे लौदीकिया नगरमे रहैत छथि, आ ओहि सब संगी-विश्वासीसब लेल जे हमरास' शारीरिक रुपस' नहि भेटल छथि।2हम एतेक मेहनति करैत छी जे अहाँसब जे हमरास' भेटि धरि नहि कएने छी एक-दोसरके स्नेहस' एक दोसरास एकजुट होबएलेल मनमे प्रोत्साहित करी। हम चाहैत छी जे अहाँ ओहि रहस्यके पूर्ण आ आत्म-विश्वासस' बुझू जे परमेश्वर बितल समयमे नुका देने छलाह। ई रहस्य मसीहक विषयमे अछि।3ई रहस्य जे मसीह छथि, बुद्धिके विचारक संग एहिमे अपना भितर ओसब किछु समाहित अछि जे मूल्यवान धन अछि।4हम अहाँके एहि रहस्यके विषयमे कहि रहल छी किएकत जाहिस' जे केओ जोरदार बहस करैत अछि ओ अहाँके कोनो एहन लोभाबएबला बातपर विश्वास करएलेल मजबूर नहि क' सकए जे सत्य नहि अछि।5अहाँके बुझल होएत जे जे जोरदार बहस करैत अछि ओ गलत अछि कारण हम अपन आत्मामे अहाँक चिन्ता करैत छी आ अहाँक विषयमे सोंचैत छी, भलेहि हम शारीरिक रुपस' अहाँक संग नहि छी। हमरा ई देख बहुत खुशी भ' रहल अछि जे अहाँसब नीक व्यवहार करैत छी आ अहाँसब मसीहमे दृढ़तापूर्वक विश्वास करैत छी।6आब हम अहाँसबके सुसमाचार आ हमरा विषयमे जे सत्य कहलहुं, हम चाहैत छी जे अहाँसब एहन व्यवहार करु जे एहि बातक अनुसार होए जे परमेश्वर अहाँसबके मसीहक संग कोना एकजुट कएने छथि। अहाँके ओहिना व्यवहार करैत रहबाक चाही जेना अहाँ मसीह यीशुके प्रभुक रुपमे ग्रहण कएने रही।7एहि तरहें व्यवहार करबाक अर्थ होइत छै ओकरासंगे स्थिरतापूर्वक एकजुट रहब, ठीक ओहिना जेना कोनो गाछक जड़ि ओकरा माटिपर स्थिरतापूर्वक पकड़ने रहैत छै। एकरापर पूर्णरुपस निर्भर रहब सेहो समाहित अछि, ठीक ओहिना जेना घर अपन नओपर ठाढ़ रहैत अछि। एहिमे इहो सहभागी अछि मसीहपर विश्वासपूर्वक भरोसा करब, जेना की इपाफ्रास अहाँके सिखबैत छलाह, आओर बेसीस' बेसी धन्यवाद देब।8सतर्क रहू जाहिस' जे केओ अहाँके सत्यस' दूर करबाक प्रयास करत, सफल नहि भ' सकए। जे केओ अहाँके छिनएके कोशिस करत ओ मानवीय सोंचके प्रयोग करत जे बेकार आ भ्रमित करएबला अछि। एहन झूठ सुसमाचार ओहिस' अबैत अछि जे पुरना पिढ़ी युवा पिढ़ी के की सिखबैत अछि आ लोक सामान्य रुपस' संसारक सिद्धान्तके विषयमे की सोंचैत अछि, आ मसीहस' नहि।9हम मसीहक जिकिर करैत छी कारण ओ, एक पुरुष, जिनकामे ईश्वरत्वके सम्पूर्णता सदेह वास करैत अछि।10एकर अतिरिक्त अहाँ लग सब पूर्ण जीवन अछि ओना परमेश्वर अहाँसबके मसीहक संग एकजुट कएने छथि, जे सब शासक आ सब अधिकारी आत्मिक प्राणी सहित पर शासन करैत छथि।11जखन परमेश्वर अहाँसबके मसीहक संग एकजुट कएलनि त एहन लागल जेना पिता परमेश्वर अहाँसब खतना क' लेने छथि। हमर ई कहबाक माने ई नहि जे पुरुष शरीरस' अहाँक मासुके काटि देबाक चाही। बल्कि, मासुके काटि देबाक बदला परमेश्वर अहाँक कमजोर आ पापपूर्ण अंगसबके हटा देलनि। परमेश्वर एहि तरहें अहाँसब खतना कएलनि जे मसीह पूरा कएलनि।12ई बुझबाक एकटा आओर तरीका अछि जे परमेश्वर अहाँक लेल की कएने छथि: जखन ओसब अहाँके बपतिस्मा देलक त एहन लागल जेना अहाँ मारि गेलहुं आ लोक अहाँके गाड़ि देलक विश्वासके कारण पिता परमेश्वर अहाँके ओहिमे सहभागी कएलनि जखन मसीह मारि गेलाह आ लोक हुनका गाड़ि देलनि। आ ई एना छल जेना पिता परमेश्वर अहाँसबके जीवित उठएलनि कारण ओ अहाँसबके एहिमे सहभागी कएलनि जखन ओ मसीहके जीबि उठएलनि। ई भेल किएकत अहाँसब मानैत छलहुं जे पिता परमेश्वर सामर्थ्यपूर्ण काज करैत छथि, विशेष क' जखन ओ मसीहके पुनर्जीवित कएलनि।13अहाँ आत्मिकरुपस' मारि गेल छलहुं, कारण अहाँ परमेश्वरक विरुद्ध पाप कएलहुं प्राय आ एहिलेल जे अहाँ गैर-यहूदी छलहुं आ कहियो खतना नहि कएल गेल द्वारा परमेश्वरक लोकक हिस्सा नहि छलहुं। मुदा पिता परमेश्वर अहाँसबके आत्मिकरुपस' जीबि उठएलनि कारण ओ अहाँसबके एहिमे सहभागी कएलनि जखन ओ मसीहके जीबि उठएलनि। एकर माने अछि जे ओ हमरासबके ओहि सब गलत काजके माफ क' देने छथि जे हमसब हुनका विरुद्ध कएलहुं।14जेना परमेश्वरके लग हमरासबके कर्जके अधिकारीक सूची छल अर्थात् हमरासबहक पाप। जखन ओ हमरासबके क्षमा कएलनि, ओ हमरा सब विरुद्ध जे पापक गनती कएल गेल छल, तेकरा मेटा देलनि, आ ओकरा हमरा सब आ हुनका बीच आबएस' रोकलनि। परमेश्वर ई काज तखन पूरा कएलनि जखन मसीह क्रूसपर मारि गेलाह, निश्चितरुपस' जेना ओ ओहि सूचीके क्रूसपर कांटी ठोकि देलनि।15एतबे नहि, परमेश्वर संसारपर आत्मिकरुपस' शासन करएबला शासक आ अधिकारीसबके पराजीत कएलनि, आ सार्वजनिकरुपस' प्रदर्शित कएलनि जे ओ ओकरासबके पराजीत क' क' क्रूसपर विजय प्राप्त कएलनि, जेना ओ कैदी जकां दुनूके चारुकात जुलूस निकालने होथि। परमेश्वर ई तखन कएलनि जखन मसीह क्रूसपर मारि गेलाह।16एहि सब कारण जे परमेश्वर अहाँक लेल कएलनि, एहि बातक चिन्ता नहि करु जे दोसर लोक अहाँके की करबाक चाही। हुनकर अपन न्याय भ' सकैत अछि जे की खाएब आ की पीबए। हुनकर अपन विचार भ' सकैत अछि जे कोन विशेष दिनके पालन करबाक चाही, जाहिमे परमेश्वरके आराधना करबाक दिन, उत्सवके दिन जहिया नव चान उगैत अछि, वा विश्रामक दिन सेहो।17परमेश्वर एहि सब बातक प्रयोग इंगित करबाक लेल कएलनि जे ओ भविष्यक लेल की योजना बनौने छथि, जे मसीह शरीरमे आबएबला छलथि।18अहाँके किछु एहन लोक भेटत जे विनम्रताके नाटक करएमे आनन्दित होइत छथि आ स्वर्गदूतके उपासना करैत छथि आ जे अपन देखल अद्भुत वस्तुके विषयमे बात करब बहुत पसीन करैत छथि। ओसब एना व्यवहार करैत अछि जेना ओसब महान होए ओना कोनो नीक कारणके बिना, कारण ओसब मात्र मानवीय तरीकास' सोंचैत अछि। एहन लोकक बात नहि सुनू जे परमेश्वर जे किछु देब लेल तैयार कएने छथि ओकरा छिनबाक प्रयासमे छथि।19ई लोक मसीहके प्रति निष्ठावान नहि रहए अछि। ओएह छथि जो मण्डलीके नेतृत्व करैत छथि, ठीक ओहिना जेना मनुष्यके सिर ओकरा देहके नेतृत्व करैत अछि। माथ निर्देशित करैत अछि जे कोना पूरा शरीर, प्रत्येक अंगके जरुरतिके वस्तु कोना भेटैत छै आ कोना मिलक' काज करैत छै। शरीरक विकास एहि तरहें होइत छै। ओहिना मसीह मण्डलीके पोषित करैत छथि जाहिस' ओ ओहिना बढ़ए जेना परमेश्वर चाहैत छथि जे ओ बढ़ए।20यदि अहाँ संसारके सिद्धान्तसबके दिसस' मसीहसंगे मरि गेल छी, त' संसारमे जीवन व्यतीत करैत, अहाँसब एहि निर्णयसबके अधीन किएक रहैत छी।21ई नियममे एहन आदेश सहभागी अछि जेना: “किछु वस्तुके महसूस नहि करु!” “किछु खाद्य पदार्थके स्वाद नहि लिअ!” “किछु वस्तु नहि पकड़ू!” 22एहन सब कानून ओहि किछुस जुड़ल अछि जे लोकके प्रयोग कएलापर नाश भ जाएत अछि। एकर बाहेक परमेश्वर नहि, बल्कि लोक ई नियम सिखाबए छै आओर एकर मांग करए छै।23जे लोक परमेश्वरके जेना मन माफिक आराधना करैत छथि हुनका एहि नियमके पालन करब बुद्धिमानी बुझाति छनि, जे विनम्रताके ढोंग करैत अछि, आ जे अपन शरीरक संग खराब व्यवहार करैत छथि स्व-निर्मित धर्मके हिस्साके रुपमे। मुदा, एहि नियमक पालन सेहो पाप करब छोड़एमे कोनो सहायता नहि करत।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.