Acts9
1मुदा साउल, एखनो प्रभु यीशुक चेलासबके धमकी आ हत्या क बात कहैत मुख्य पुजारीक लगमे गेलाह2जा क' दमिश्कके सभाघरसबमे हुनकास' पत्र मंगलनि, जाहिस' जे हुनका एहि पन्थके मानएबला केओ भेटि जाए, स्त्री-पुरुष, ओ ओकरासबके बंदी बनाक' यरूशलेम आनि सकए आ ओत ओकरासबके दण्डित कएल जा सकए।3जखन ओ यात्रा करैत छलाह तखन ओ दमिश्क लग पहुंचला पर अचानक हुनका चारुकात स्वर्गस' एकटा इजोत चमकल।4ओ जमीनपर खसि गेलाह आ एकटा आवाज सुनलनि, “साउल, साउल, अहाँ हमरा किएक सतबैत छी?”5साउल उत्तर देलथिन, “प्रभु, अहाँके छी?” प्रभु कहलथिन, “हम यीशु छी जिनका अहाँ सता रहल छी6मुदा उठू आ दमिश्क नगरमे जाउ, तखन अहाँके ई कहल जाएत जे अहाँके की करबाक छह।”7मुदा साउलके संग यात्रा करएबला लोकसब अवाक भ' क' ठाढ़ भ' गेलाह आ आवाज सुनलक' मुदा केकरो नहि देखलक।8तखन साउल जमीनस' उठलाह, मुदा आंखि खोललनि त' किछु नहि देख सकलनि। तएं ओसब हुनकर हाथ पकड़िक' दमिश्कमे ल' गेलनि।9तीन दिन धरि ओ दृष्टिहीन रहलाह, आ नहि खाइत छलाह आ नहि पीबैत छलाह।10दमिश्कमे हननियाह नामक एकटा चेला छलाह। प्रभु हुनका दर्शनमे कहलथिन, “यौ हननियाह!” ओ जबाब देलनि, “देखू, हम एत छी, प्रभु।”11तखन प्रभु हुनका कहलथिन, “उठिक' सोझका बाट नामक गलीमे जाउ आ यहूदाक घरमे तरसुस निवासी साउल नामक आदमीके खोजू, किएकत' ओ हमरास' प्रार्थना क' रहल अछि।12किएकत' साउल दर्शनमे हननियाह नामक एक आदमीके भितर आबिक' ओकरापर हाथ राखि देलनि जाहिस' ओ फेरु देख सकथि।”13मुदा हननियाह उत्तर देलनि, “प्रभु, हम बहुते लोकस' एहि आदमीक विषयमे सुनने छी जे ओ यरूशलेममे अहाँक पवित्र लोकसबके कतेक सतबैत छथि।14हुनका मुख्य पुजारी सबहक अधिकार अछि आ एत जे सब अहाँक नाम पुकारैत अछि हुनका पकड़एलेल आएल अछि।”15मुदा प्रभु हननियाहके कहलथिन, “अहाँ जाउ, किएकत' ई आदमी परमेश्वरके सेवाके लेल चुनल एक पात्र अछि, जे हमर नाम गैर-यहूदीसब आ राजासब आ इजराएलक सन्तानसबके समक्ष ल' जाएत।16किएकत' हम हुनका देखा देबनि जे ओकरा हमर नामक लेल कतेक कष्ट भोगए पड़तैक।”17हननियाह जाक' ओहि घरमे प्रवेश कएलनि। हुनकापर हाथ राखि ओ कहलनि, “साउल भाइ, प्रभु यीशु जे अहाँ अबैत काल रस्तामे दर्शन देलथिन, हमरा ओहे पठौलनि जे अहाँ फेरुस' देख सकी आ पवित्र आत्मास' परिपूर्ण भ' जाउ।”18तखन तुरन्त साउलके आंखिस' पपड़ी जकां किछु खसल आ ओ देख' लगलाह आ ओ उठलाह आ बपतिस्मा लेलनि।19ओ भोजन कएलनि आ ओकरा बल भेटल। तखन ओ किछु दिन दमिश्कमे चेलासबहक संग रहलाह।20ओ तुरन्त सभाघरसबमे यीशुक प्रचार कएलनि जे ओ परमेश्वरक पुत्र छथि।21हुनकर बात सुनएबला सब आश्चर्यचकित भ' क' कहलनि, “की ई ओहे आदमी नहि अछि जे यरूशलेममे एहि नाम पुकारएबला सबके सतबैत छल? ओ एहि कारणे एतहु आएल छथि जे ओ हुनकासबके पकड़िक' मुख्य पुजारीसबके लग ल' जाए।”22मुदा साउल आओर बेसी सशक्त होइत गेलाह आ एहि कारण दमिश्कमे रहनिहार यहूदीसबके निरुत्तर बना देलक आ यीशु मसीह छथि से प्रमाणित क' देलनि।23मुदा बहुत दिन बित गेलाकबाद यहूदीसब मिलक हुनका मार' के योजना बनौलनि।24मुदा हुनकासबहक योजना साउलके बुझएमे आबि गेलनि। ओसब दिन-राति शहरक फाटकपर पहरामे रहैत छल, जाहिस' ओकरा मारि सकए।25मुदा हुनकर चेलासब रातिमे हुनका एकटा टोकरीमे राखि देवालस' नीचा उतारि देलनि।26जखन ओ यरूशलेम पहुंचलाह तखन साउल चेलासबहक संग रहबाक प्रयास कएलनि, मुदा सब हुनकास' डेराइत छल, कारण हुनका ई विश्वास नहि छलनि जे ओ चेला छथि।27मुदा बरनबास हुनका ल' क' प्रेरितसबलग अनलनि आ ओ हुनकासबके बतौलनि जे कोना साउल प्रभुके बाटमे देखलनि आ प्रभु हुनकासंग बात कएलनि आ कोना दमिश्कमे साउल यीशुक नाममे निर्भीकतास' प्रचार कएलनि।28जखन ओ बांकी प्रेरितसबसंग यरूशलेममे खुला रुपस' रहैत छल, आ ओ प्रभुक नाममे निर्भीकतापूर्वक प्रचार करैत छल।29ओ यूनानी भाषा बाजएबला यहूदीसबसंगे बात आ बहस करैत छल। मुदा ओसब ओकरा मारबाक प्रयासमे रहैत छल।30जखन विश्वासी भाइसबके ई बात पता चललनि त' ओसब हुनका कैसरिया शहर लाबिक' तरसुस शहर पठा देलथिन।31तखन पूरा यहूदिया, गलील आ सामरिया प्रान्तके मण्डलीमे शान्ति भेल। आ, प्रभुक आदर आ पवित्र आत्मामे उत्साह पबैत, मण्डलीके संख्या बढ़ैत गेल।32जखन पत्रुस पूरा क्षेत्रमे घुमैत छलाह तखन ओ लुद्दा गाममे रहनिहार पवित्र लोकसबलग सेहो अएलाह।33ओत' हुनका एनियास नामक एक आदमी भेटलनि जे आठ वर्षस' बिछाओनपर पड़ल छल, कारण ओकरा लकवा मारि देने छल।34तखन पत्रुस हुनका कहलनि, “एनियास, यीशु मसीह अहाँके स्वस्थ करैत छथि। उठू आ अपन बिछाओन ठीक करु।” आ ओ तुरन्त उठि गेल।35लुद्दा आ शारोन गाममे रहनिहारसब ओहि आदमीके देख प्रभु पर विश्वास कएलक।36याफा नगरमे तबीता नामक एकटा विश्वासी स्त्री छलीह, जेकर अनुवाद यूनानी भाषामे “दोरकस अर्थात् हिरणी” मे कएल गेल अछि। ई स्त्री नीक काज आ दयालु काजस' भरल छलीह जे ओ गरीबके लेल करैत छलीह।37ओहि दिनमे ओ बेमार पड़ी क' मरि गेलीह। जखन ओसब ओकरा नहा क' ओकरा उपरका कोठलीमे सुता देलक।38मुदा लुद्दा याफास' समीप छल, आ चेलासब सुनने छल जे पत्रुस ओतए छथि, त' ओसब दूगोटेके हुनकालग आग्रह करए पठौलनि जे, “बिना विलम्ब हमरासबलग आबि जाए।”39तें पत्रुस उठिक' हुनकासबहक संग चलि गेलाह। जखन ओ पहुंचलाह, तखन ओसब हुनका उपरका कोठलीमे ल' गेलनि आ सब विधवासब हुनकालग कनैत ठाढ़ भ' गेलीह आ दोरकस हुनकासबहक संग रहैत जे कुर्ता आ वस्त्र बनौने छलीह से देखा रहल छलीह।40तखन पत्रुस सबके कोठलीस' बाहरक' देलथिन आ ठेहुनियां द' प्रार्थना कएलनि। तेकरबाद ओ लास दिस घुमिक' कहलथिन, “तबीता, उठू।” तखन ओ आंखि खोललीह आ पत्रुसके देख उठिक' बैसि गेलीह।41तखन पत्रुस ओकरा हाथ द' क' उठएलथिन। आ तखन ओ पवित्र लोक आ विधवासबके बजाक' ओ ओकरासबहक जिम्मामे जीवित राखि देलथिन।42ई बात पूरा याफा नगरमे पसरि गेल आ बहुते लोक प्रभु पर विश्वास कएलक।43तखन पत्रुस याफा नगरमे बहुत दिन धरि सिमोन नामक एकटा आदमीक संग रहलाह जे चमड़ाके काज करैत छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.