Acts8

1साउल स्तिफनुसके हत्या देबाक बातस' सहमत छल। ओहि दिन यरूशलेमक मण्डलीपर भयंकर प्रताड़ना शुरु भ' गेल। आ प्रेरितसबके छोड़ि, ओ विश्वासीसब आओर यहूदिया आ सामरियाक प्रदेशमे छिड़िआएल गेल।2परमेश्वरक भक्तजन स्तिफनुसके लास गाड़ि देलनि आ हुनकालेल बहुत विलाप कएलनि।3मुदा साउल मण्डलीके बहुत नोक्सान पहुंचबैत छल। घर-घरमे हुलिक' स्त्री-पुरुष दुनूके घिंचिक' बाहर निकालिक' जहलमे बंद क' दैत छल।4ओहिस जे विश्वासीसब एमहर-ओमहर तितर-बितर भेल छल, ओसब घुमि-घुमिक' वचनके सुसमाचारके प्रचार करैत छल।5फिलिपुस सामरिया प्रदेशके एकटा शहरमे आबिक' मसीहके प्रचार करए' लागल।6आब भीड़सब मिलिक' एक चित भ' ओहि बातपर ध्यान देब' लागल जे फिलिपुस बजैत छल, जे ओसब ओकर सुनिक' आ ओकराद्वारा कएल गेल चमत्कारसब देखैत छल।7किएकत' ओकरासबमेस' बहुते लोकके अशुद्ध आत्मासब जोर-जोरस' चिचिआइत निकलि गेल। बहुते लोकसब जे लकवाग्रस्त आ नांगर छल, सेहोसब चंगा भ' गेल।8एहिस' सामरियाके ओहि शहरके लोकसब बहुत खुश छल।9मुदा ओहि शहरमे सिमोन नामक एकटा खास आदमी बहुत दिनस' जादू-टोना देखाक' सामरियाक' लोकसबके आश्चर्यचकित कएने छल, ओ स्वयंके बहुत पैघ व्यक्ति होएबाक दाबी करैत छल।10छोटस' नमहर सामरी लोकसब ओकर बात मानैत छल आ कहैत छल, “ई आदमी परमेश्वरक ओ शक्ति अछि जेकरा महान शक्ति कहल जाइत अछि।”11ओसब ओकर बात सुनैत छल, कारण जे ओ अपन जादू-टोना देखाक' बहुत दिनस' ओकरासबके आश्चर्यचकित क' देने छल।12मुदा जखन ओसब फिलिपुसक' प्रचार सुनिक' परमेश्वरक राज्य आ यीशु मसीहके नामके सुसमाचारपर विश्वास कएलक त' ओसब स्त्री-पुरुषसब बपतिस्मा लेलनि।13मुदा सिमोन सेहो विश्वास कएलक, आ बपतिस्मा लेलक आ ओ सदैव फिलिपुसक संग सबतरि घुमैत छल आ अद्भुत चेन्ह आ चमत्कारपूर्ण काज होइत देख ओसब चकित भ' जाइत छल।14यरूशलेममे प्रेरितसब जखन ई सुनलनि जे सामरियाक आदमीसब परमेश्वरक वचन स्वीकार कएलक त' ओसब पत्रुस आ यूहन्नाके ओकरासबलग पठौलनि।15ओसब ओत' आबिक' ओकरासबके लेल प्रार्थना कएलनि जाहिस' ओसब पवित्र आत्मा पाबि सकए।16पवित्र आत्मा एखनधरि ओकरासबमेस' केकरोपर नहि आएल छल मुदा ओसब मात्र प्रभु यीशुक नामस' बपतिस्मा लेने छल।17तखन पत्रुस आ यूहन्ना ओकरासबपर हाथ राखि देलनि आ ओहोसब पवित्र आत्मा प्राप्त कएलनि।18आब सिमोन देखलनि जे प्रेरितसबपर हाथ राखि देलापर पवित्र आत्मा भेटैत अछि त' ओ हुनकासबके पाइ दिअएलनि।19ओ कहलनि, “हमरो ई अधिकार दिअ, जाहिस' हम जेकरापर हाथ राखब, ओकरा पवित्र आत्मा भेटिजाए।”20मुदा पत्रुस ओकरा जबाब देलनि, “तोहर चानी सेहो तोरा संगे नाश भ' जाए, कारण तों पाइस' परमेश्वरक वरदान प्राप्त करबाक कोशिस करए' चाहैत छे।21एहि विषयमे तोहर कोनो हिस्सा वा अधिकार नहि छौ, कारण तोहर हृदय परमेश्वरक नजरिमे ठीक नहि छौ।22एहिलेल तों एहि दुष्कर्म लेल पश्चाताप करए आ प्रभुस' प्रार्थना करए, जाहिस' ओ तोहर हृदयके एहि विचारक कारणे तोरा क्षमाक' देथि।23हम देखैत छी जे तोहर कटुताक जहर आ अधर्मके बन्हनमे छी।”24तखन सिमोन उत्तर देलनि, “हमरालेल प्रभुस' प्रार्थना करु, जाहिस' अहाँ जे किछु कहली से हमरासंग नहि भ' जाए।”25जखन ओसब गवाही द' क' प्रभुक वचन प्रचार क' क' यरूशलेम घुर' लगलाह त' पत्रुस आ यूहन्ना सामरिया सबहक बहुते गाममे सुसमाचार घोषणा करैत यरूशलेम घुरि गेलाह।26प्रभुक एकटा स्वर्गदूत फिलिपुसस' कहलथिन, “अहाँ उठिक' दक्षिण दिस ओहि बाटपर जाउ जे यरूशलेमस' गाजा शहरके निर्जन क्षेत्र मार्ग अछि।”27ई सुनि फिलिपुस उठिक' विदा भ' गेलथि। आब इथियोपिया देशके एकटा शासकीय अधिकारी छल, जे इथियोपियाक रानी कन्दकीक मुख्य खजांची छल। ओ यरूशलेम परमेश्वरके आराधना करबाक लेल आएल छलाह।28ओ अपन देश घुरैतकाल अपन रथमे बैसल छलाह आ यशायाह प्रवक्ताके पढ़ि रहल छलाह।29तखन पवित्र आत्मा फिलिपुसके कहलथिन, “ओत' जाउ आ ओहि रथक लगमे रहू।”30तखन फिलिपुस हुनकालग दौड़ल गेलाह आ हुनका यशायाह प्रवक्ताके पढ़ैत सुनलनि आ कहलथिन, “की अहाँ जे पढ़ि रहल छी से अहाँ वास्तवमे बुझति छिऐ?”31आ ओ अधिकारी जबाब देलनि, “जखनधरि केओ हमरा नहि बुझा देत, हम सत्य कोनाक' बुझि सकब?” तएं ओ फिलिपुसके रथमे चढ़िक' अपने संग बैसबाक लेल आग्रह कएलनि।32आब ओ जे शास्त्रक खण्ड पढ़ि रहल छल से ई छल, “हुनका भेंड़ा जकां वध करबाक लेल ल' गेलनि, आ भेंड़ी जकां ओकर ऊन कतरएबला लग चुप रहैत अछि, तहिना ओ मुंह नहि खोललनि। 33ओ अपमानित भेलथि आ हुनका न्याय नहि भेटलनि। हुनकर सन्तानक वर्णन के क' सकैत अछि? किएकत' हुनकर पृथ्वीपरके जीवन समाप्त क' देल गेलनि।”34तखन ओ अधिकारी फिलिपुसस' पुछलथिन, “हम अहाँस' आग्रह करैत छी जे प्रवक्ता केकरा विषयमे ई बात कहि रहल छथि ओ अपने विषयमे की कोनो आन व्यक्तिक विषयमे?”35तखन फिलिपुस अपन मुंह खोलिक' धर्मशास्त्रक एहि खण्डस' शुरु क' क' यीशुक विषयमे सुसमाचार सुनौलनि।36बाटपर जाइत काल ओसब किछु पानि रहल जगह लग पहुंचलाह आ हाकिम कहलथिन, “देखू, एत पानि अछि। हमरा बपतिस्मा लेबएलेल कोनो प्रकारक अवरोध भ' सकैत अछि?”37फिलिपुस कहलथिन, “जं अहाँ शुद्ध मनस' विश्वास करैत छी त' बपतिस्मा ल' सकैत छी।” इथियोपियाइ अधिकारी उत्तर देलथि, “हमरा विश्वास अछि जे यीशु मसीह परमेश्वरक पुत्र छथि।”38तखन इथियोपियाइ अधिकारी रथके रोकबाक आज्ञा देलनि। आ दुनूगोटे फिलिपुस आ हाकिम दुनूगोटे पानिमे उतरि गेलाह आ फिलिपुस हुनका बपतिस्मा देलनि।39जखन ओसब पानिस' बाहर निकललाह त' प्रभुक आत्मा फिलिपुसके ल' गेलथि आ ओ हाकिम आब ओकरा फेरु नहि देखलनि, मुदा हर्षित भ' क' रस्तापर बढ़ैत गेल। 40मुदा फिलिपुस अश्दोदमे प्रगट भेलाह आ ओ ओहि क्षेत्रमे घुमिक' नगरसबमे सुसमाचार प्रचार करैत गेलाह जाधरि ओ कैसरिया नगर नहि पहुंचलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67