Acts10

1कैसरिया नगरमे कुरनेलियुस नामक एकटा आदमी छल, जे रोमी सेनाके इटलीके पल्टनके सेनापति छल।2ओ पूर्ण भक्तिके संग अपन पूरा परिवारक लोकक संग परमेश्वरके भय मानैत छलाह; ओ गरीबसबके दान करैत छलाह आ परमेश्वरस' सदिखन प्रार्थना करैत छलाह।3एकदिन बेरियाके तीन बजे ओ एकटा दर्शनमे स्पष्टरुपस' देखलनि जे परमेश्वरक एकटा स्वर्गदूत हुनकालग आबिक' हुनका कहलथिन, “यौ कुरनेलियुस!”4मुदा कुरनेलियुस स्वर्गदूत दिस एकटक तकैत आ डेराइत कहलनि, “कहल जाए प्रभु?” तखन स्वर्गदूत हुनका कहलथिन, “अहाँक प्रार्थना आ गरीब सबहक लेल अहाँक देल गेल दान परमेश्वरक समक्षमे स्मरणीय चढ़ौनाक रुपमे पुगि गेल अछि।5आब याफा नगरमे किछु आदमीसबके पठाक' सिमोनके बजाउ, जेकरा पत्रुस सेहो कहल जाइत अछि।6ओ सिमोन नामक चमड़ाके काज करएबलाके घरमे ठहरल अछि, जेकर घर समुद्रक कातमे अछि।”7जखन हुनकासंग बात करएबला स्वर्गदूत चलि गेलाह तखन कुरनेलियुस अपन घरक दूटा दास आ हुनकर सेवा करएबला सबमेस' एकटा भक्त सिपाहीके बजौलनि।8ओकरासबके सब बात कहिक' कुरनेलियुस ओकरासबके याफा पठौलनि।9काल्हि भेने दुपहरियामे ओसब नगरक लग पहुंचल तखने पत्रुस प्रार्थना करए' लेल घरके छतपर गेलाह।10तखन हुनका भूख लागि गेलनि आ किछु खाए चाहैत छलाह, मुदा जखन लोकसब किछु भोजन बना रहल कालमे ओ ध्यान मगन भ' गेलाह आ एकटा दर्शन देखलनि,11ओ देखलक जे आकाश खुजल आ एकटा चदरि जकां कोनो चिज, जेकर चारुकातस' खुट बान्हल छल जाहिके धरती दिस उतारल जाइत छल।12ओहिमे सब प्रकारक चारि पयरबला जानबर आ पृथ्वीपर रेंगएबला जानबर आ आकाशके चिड़ैसब छल।13तखने एकटा आवाजमे परमेश्वर हुनका ई कहैत सुनाइ पड़लनि, “पत्रुस, उठू, एहिमेस' मारिक' खाउ।”14मुदा पत्रुस कहलनि, “नहि प्रभु नहि। किएकत' हम कहियो अशुद्ध आ अपवित्र कोनो वस्तु नहि खएलहुं।” 15मुदा फेरुस' आवाज आएल जे; जाहिके परमेश्वर शुद्ध ठहरौने छथि, तेकरा अहाँ अशुद्ध नहि कहए।16आब ई तीनबेर भेल; तखन तुरन्त ओ चदरिके फेरुस' आकाशमे उपर ल' लेल गेल।17जखन पत्रुस एहि बातपर विचारिते छलाह जे ओ देखल गेल दर्शनक' अर्थ की भ' सकैत अछि, तखने, कुरनेलियुसक द्वारा पठाओल गेल आदमीसब सिमोनक घरक पता पुछैत पुछैत ओकर घरक दरबाजापर ठाढ़ भ' गेलाह।18तखन ओसब आवाज देलक आ पुछलक जे की सिमोन, जेकरा पत्रुस कहल जाइत अछि, एत' ठहरल अछि।19पत्रुस एखनो ओहि दर्शनक' विषयमे सोंचि रहल छलाह तखन पवित्र आत्मा हुनका कहलथिन, “देखू, आदमीसब अहाँके ताकि रहल अछि।20मुदा उठिक' नीचा जाउ आ ओकरासबहक संग भ' जाउ। कोनो दुबिधामे नहि रहू, कारण हमहीं ओकरासबके पठओने छी।”21तखन पत्रुस ओहि आदमीसबलग जा क' कहलनि, “देखू, हम ओएह छी जेकरा अहाँसब ताकि रहल छी। अहाँसब कोन कारणे आएल छी?”22ओसब कहलकनि, “कुरनेलियुसक, जे एकटा रोमी सेनापति धार्मिक छथि आ परमेश्वरक भय मानैत छथि, जिनकर विषयमे यहूदीसबहक समस्त जाति सेहो नीक गवाही दैत छनि, हुनका एकटा पवित्र स्वर्गदूतद्वारा आज्ञा देल गेलनि जे अहाँके अपन घर बजबाक' अहाँक उपदेश सुनथि।”23तखन पत्रुस ओकरासबके भितर आबि हुनकासंग रहबाक लेल आमन्त्रित कएलनि। दोसर दिन भिनसरे उठिक' ओकरासबहक संग चलि गेलाह, आ याफास' किछु भाइसब हुनकासंग गेलाह।24तखन दोसर दिन ओसब कैसरिया आबि गेलाह। कुरनेलियुस हुनकासबहक प्रतीक्षामे छलाह; ओ अपन सगा-सम्बन्धी आ अपन घनिष्ट मित्रसबके ओहि ठाम बजा लेने छल।25जखन पत्रुस भितर गेलाह त' कुरनेलियुस हुनकास' भेट कएलनि आ हुनकर पयरपर झुकि भक्ति प्रगट कएलनि।26मुदा पत्रुस हुनका उठएमे मदति करैत कहलथिन, “उठू! हमहूं स्वयं मनुष्य छी।”27जखन पत्रुस ओकरास' बात करैत ओ भितर गेलाह आ देखलनि जे बहुत आदमीसब ओहि ठाम जमा भेल छल।28ओ ओकरासबके कहलथिन, “अहाँसबके बुझले अछि जे कोनो यहूदी लोकसबके गैर-यहूदी जातिके लोकसबस' सम्पर्क करब आ ओकरास' भेट करब कतेक गैरकानूनी अछि। मुदा परमेश्वर हमरा ई देखा देने छथि जे केकरो अशुद्ध आ अपवित्र नहि कहबाक चाही।29ताहिके लेल हम बिना बहस कएने आबि गेलहुं, जखन हमरा बजाओल गेल। तएं आब हम अहाँस' पुछैत छी जे अहाँ हमरा कोन काजस' बजाबए पठएलहुं?”30तखन कुरनेलियुस उत्तर देलनि, “चारि दिन पहिने एहि घड़ीमे हम अपन घरमे तेसर पहर अर्थात् तीन बजे प्रार्थना क' रहल छलहुं। देखलहुं, हमरा सामने एकटा आदमी चमकैत वस्त्र पहिरने ठाढ़ भ' गेलाह।31ओ कहलनि, ‘कुरनेलियुस, अहाँक प्रार्थना सुनल गेल, आ गरीबसबके अहाँक दान परमेश्वर उपस्तिथिमे स्मरण कएल गेल अछि।32तएं केकरो याफामे पठाक' सिमोनके बजाउ जे पत्रुस कहल जाइत अछि। ओ समुद्रक कातमे चमड़ाके काज करएबला सिमोनक घरमे ठहरल छथि।’33तएं हम तुरन्त अहाँके बजाबएलेल किछु आदमीसब पठौली। अहाँ नीक कएलहुं जे आबि गेलहुं। आब हमसब एत' परमेश्वरक समक्ष उपस्थित छी, जे अहाँके प्रभुद्वारा कहल गेल अछि, से सब बात सुनबाक लेल।”34तखन पत्रुस कहए' लगलाह, “हम सत्य कहैत छी, जे परमेश्वर केकरोसंगे पक्षपात नहि करैत छथि।35मुदा हरेक जातिमे जे केओ हुनका भय मानैत अछि आ धार्मिकताके पालन करैत अछि तेकरा परमेश्वर स्वीकार करैत छथि।36जे सन्देश ओ इजराएलक सन्तानसबके पठौलथिन, जे यीशु मसीहक द्वारा शान्तिक सुसमाचार सुनौलथिन, जे सबहक प्रभु छथि।37अहाँसब सेहो ई जनैत छी जे ओ सन्देशके प्रचार गलील प्रान्तस' शुरु भ' क' पूरा यहूदिया प्रान्तमे यूहन्नाके बपतिस्माक पश्चात पसरल।38नासरत निवासी यीशुके परमेश्वर हुनका कोना पवित्र आत्मा आ सामर्थ्यस' अभिषेक कएलथि। ओ नीक काज करैत सबतरि घुरैत छलाह आ शैतानद्वारा सताएल गेल आदमीसबके ठीक करैत छलाह, किएकत' परमेश्वर हुनकासंग छलाह।39हमसब यीशुके सबकाजक साक्षी छी जे यहूदिया आ यरूशलेममे कएलाह। ओ यहूदीसब हुनका क्रूसपर चढ़ाक' मारि देलकनि,40मुदा तेसर दिनमे परमेश्वर हुनका जीवित क' देलथिन आओर प्रत्यक्ष देखएलथि,41सब आदमीके नहि, मुदा ओहि साक्षी सबके जे परमेश्वरद्वारा पहिनेस चुनल गेल छल—ओ हमसब छी आ हमहींसब हुनकर जीबि उठलाक बाद हुनकासंग खाइत आ पीबैत छलहुं।42ओ हमरासबके आज्ञा देलनि जे लोकसबके ई सुसमाचार घोषणा करी आ पूरा गवाही दी जे परमेश्वरद्वारा हुनका जीवित आ मृत सबहक न्यायाधीश बनाओल गेल अछि।43सब प्रवक्तासब हुनकर गवाही देने छथि जे, जे केओ हुनकापर विश्वास करत तेकरा हुनकर नामस' पापक क्षमा भेटतनि।” 44जखन पत्रुस ई प्रचार करी रहल छलाह तखने पवित्र आत्मा ओतए जमा भ' हुनकर सन्देश सुनैत आदमीसबपर उतरि गेलाह।45गैर-यहूदी विश्वासीसबपर सेहो पवित्र आत्मा उतरल देख पत्रुस संग आएल खतना कएल गेल यहूदीसब आश्चर्यचकित भ' गेलाह।46किएकत' ओसब गैर-यहूदीसबके सेहो आन-आन भाषामे बजैत आ परमेश्वरक स्तुति करैत सुनलनि। तखन पत्रुस घोषणा कएलथि,47“की केओ कहि सकैत छी जे ई लोकसबके बपतिस्मा किएक नहि भ' सकैत अछि, ई लोकसब जे अपनेसब जकां पवित्र आत्मा ग्रहण कएने छथि?”48तखन पत्रुस कुरनेलियुस आ ओकरा परिवार एक सदस्यसबके यीशु मसीहके नाममे बपतिस्मा लेबाक आज्ञा देलथिन। तखन ओसब किछु दिन हुनकासबहक संग रहबाक लेल आग्रह कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67