Acts7
1तखन मुख्य पुजारी पुछलथिन, “की ई बातसब सत्य अछि?”2तखन स्तिफनुस जबाब देलथिन, “यौ भाइसब आ बाबूसब, हमर बात सुनू: हमरासबहक पूर्वज अब्राहमके हारानमे रहएस' पहिने मेसोपोटामिया देशमे महिमाके परमेश्वर दर्शन देने छलाह।3आ ओ हुनका कहलथिन, ‘अपन देश आ अपन परिजनस' निकलिक', ओहि देशमे आबि जाउ जे हम अहाँके देखाएब।’ 4तखन अब्राहम कसदी देशस' निकलिक' हारानमे आबिक' रहए लगलाह। ओतएस' ओकर पिताक मृत्युके बाद परमेश्वर हुनका एहि देशमे अनलनि, जाहिमे अहाँसब एखन रहि रहल छी। 5मुदा ओहि ठाममे हुनका कोनो जमीन त' दूरक बात पयर राखएलेल जगह धरि नहि देलनि। मुदा ओ प्रतिज्ञा कएलनि जे ओ जमीन हुनका सन्तान दर सन्तान निजी सम्पत्ति होएत मुदा हुनका कोनो सन्तान नहि छलनि। 6मुदा परमेश्वर हुनका एहि तरहें कहलनि जे हुनकर सन्तान दोसरक देशमे परदेशी भ' जएताह आ ओहि ठामक निवासी हुनकासबके दास बनाक' चारि सय वर्ष धरि हुनकासबके संग अधलाह व्यवहार करताह। 7‘मुदा हम ओहि देशके न्याय करब जेकर सेवा ओसब करैत अछि।’ परमेश्वर कहलनि, ‘आ तेकर बाद ओसब बाहर आबि एहि ठाम हमर आराधना करत।’ 8तखन परमेश्वर अब्राहमके खतनाक करार देलनि, आ एहि तरहें अब्राहम इसहाकके पिता भेलाह आ आठम दिन हुनकर खतना कएलनि। इसहाक याकूबके पिता भेलथि आ याकूब बारहटा कुलपतिक पिता भेलथि। 9आओर भाइसब यूसुफस' जरैत छल, तएं हुनका मिस्रमे बेच देलक। मुदा परमेश्वर हुनकासंगे छलथि 10परमेश्वर ओकरा सबटा दुखस' छुटकारा देलथिन। मिस्रके राजा फरओके सोझा ओकरा अनुग्रह आ बुद्धि देलनि आ ओकरा मिस्र आ ओकर पूरा घरके राज्यपाल नियुक्त कएलनि। 11ओकर बाद, पुरे मिस्र आ कनानमे अकाल पड़ि गेल आ एहिस' बहुत कष्ट भेलैक, आ हमरासबहक पूर्वजसबके अन्न नहि भेटलनि। 12मुदा जखन याकूब मिस्रमे अन्न अछि से सुनलनि त' हमरासबहक पूर्वजसबके पहिन यात्रापर पठा देलनि। 13हुनकासबहक दोसर यात्रामे यूसुफ अपन भाइसबके अपन परिचय देलनि आ यूसुफके परिवार सेहो फरओके चिन्हलनि। 14तखन यूसुफ अपन भाइसबके वापस पठाक' अपन पिता याकूब, आ ओ अपन सब प्राणीके मिस्रमे बजा लेलनि जे पचहतरि गोटे रहैक। 15तखन याकूब मिस्र देश चलि गेलथि, आ ओत' हमरासबहक पूर्वजसबके देहान्त भ' गेलनि। 16हुनकासबके मृत शरीर शकेम ल' जा' क' ओतहि कबरमे राखि देलनि जे अब्राहम शकेममे हमोरक बेटासबस' चानीके दाम द' क' किनने रहथि। 17जेना-जेना प्रतिज्ञाक समय लग आबि रहल छल, जे परमेश्वर अब्राहमस' कएने छलथि, आबि मिस्रमे ओहे लोकसब बढ़ैत गेल आ संख्यामे वृद्धि भेलैक।18तखन मिस्रपर एकटा आओर राजा भेलथि जे यूसुफके नहि जनैत छल। 19ओ हमरासबहक परिजनके धोखा देलक आ हमरासबहक पिताक संगे दुर्व्यवहार कएलक, ओकरासबके अपन नवजात शिशुसबके बाहर राखएलेल बाध्य क' देलक जाहिस' शिशुसब जीवित नहि बंचि सकल। 20ओहि समयमे मूसाक जन्म भेलनि। ओ परमेश्वरक नजरिमे सुन्दर छलथि। तीन मासधरि पिताक घरमे हुनक पालन-पोषण भेलनि। 21जखन मूसाके अपन घरस' बाहर राखल गेलनि तखन फरओके बेटी हुनका ल' जा' क' बेटाके रुपमे अपनाक' पोसलीह।22मूसा मिस्रीके सबटा विधामे निपुण छलथि आ अपन बात आ काजमे निपुण छलाह।23मुदा जखन ओ लगभग चालीस वर्षक भेलथि तखन हुनका मनमे भेलनि जे ओ अपन भाइ इजराएलक सन्तानसबस' भेट करथि।24एकदिन, ओ बाहर गेलनि त' एकटा इजराएलीपर अन्याय होइत देख मूसा ओकर बचाव कएलनि आ अन्याय करएबला ओहि मिस्रीके मारिक' जे अत्याचार कएने छल, ओकर बदला लेलनि।25किएकत' ओ सोंचैत छल जे ओकर संगी इजराएलीसब बुझए जे परमेश्वर हुनकर हाथस' हुनकासबके उद्धारक' रहल छथि, मुदा ओसब ई बात नहि बुझलनि।26दोसर दिन, मूसा देखलनि जे दूटा इजराएली अपनेमे झगड़ा क' रहल छल त' ओ ओकरासबके मिलापके प्रयास करैत आग्रह कएलनि आ कहलनि, ‘यौ भैयारी, अहाँसब भाइसब छी। किएक अहाँ एक-दोसरके अन्याय क' रहल छी?’27मुदा जे अपन पड़ोसीपर अन्याय क' रहल छल, मूसाके धकियाक' कहलकनि, ‘यौ, अहाँके हमरासबहक शासक आ न्यायाधीशके बनौलक?28काल्हि ओहि मिस्रीके मारि देलिऐ तहिना अहाँ हमरोसबके ओहिना मारए चाहैत छी?’29तखन, एहि बातके सुनि मूसा मिद्यान देश भागि ओत परदेशी बनि रहि गेलाह, जत हुनका दूटा बेटा जन्मलनि।30चालीस वर्ष बित गेलाकबाद सीनै पर्वतके निर्जन क्षेत्रमे जरि रहल झाड़ीमे एक स्वर्गदूत हुनका सोझा प्रगट भेलथि।31जखन मूसा आगि देखलनि तखन ओ ई देख आश्चर्यचकित भ' गेलाह। जखन ओ ओकरा देखबाक लेल लग पहुंचलापर प्रभुक वाणी भेलनि।32‘हम अहाँक पूर्वजक परमेश्वर छी, अब्राहम इसहाक आ याकूबके परमेश्वर छी।’ तखन मूसा डरे थरथराए लगलथि आ ई देखबाक साहस नहि क' सकलथि।33तखन प्रभु हुनका कहलथि, ‘अपन पयरस' जुता उतारि दिऔ, कारण अहाँ जाहि भूमिप' ठाढ़ छी, ओ पवित्र स्थान अछि।34हम मिस्रमे अपन लोकक कष्ट देखलहुं आ ओकर करुणा सुनलहुं आ ओकरासबके छुटकारा देबएलेल उतरलहुं। ताहिके लेल आब आउ, हम अहाँके मिस्र पठाएब।’35ओएह मूसा, जेकरा इजराएलीसब अस्वीकार कएने छल जे, ‘अहाँके शासक आ न्यायाधीशके नियुक्त कएलक?’ ओहे छलाह जिनका परमेश्वर शासक आ उद्धारकर्ता दुनूके रुपमे पठौलनि ओहि स्वर्गदूतके द्वारा जे झाड़ीमे मूसाके प्रगट भेलाह।36ओएह मूसा मिस्र देश आ लाल समुद्रमे आ निर्जन क्षेत्रमे चालीस वर्ष धरि चमत्कार आ चेन्हक द्वारा मिस्रस' बाहर निकाललनि।37ई ओएह मूसा छथि जे इजराएलक सन्तानसबके कहने रहथि, ‘परमेश्वर अहाँसबके भाइसबमेस' ओ एकटा हमरा जकां प्रवक्ता ठाढ़ करतनि।’ 38ई ओएह मूसा छथि जे ओहि निर्जन स्थानमे ओहि स्वर्गदूतके संग छलथि जे सीनै पर्वतपर हुनकास' बात कएने छलाह आ जे हमरासबहक पूर्वजसबके संग बाजल छलथि। ओ इएह आदमी छथि जिनका हमरासबके देबाक लेल जीवित वचन प्राप्त कएने छलथि।39हमरासबके पूर्वज हुनक आज्ञापालन करएलेल तैयार नहि छलथि, मुदा ओकरा छोड़िक' मिस्र देशमे घुरि जएबाक मन बनौलनि।40ओसब हारूनके कहने छल, ‘हमरासबके लेल एहन देवता बनाउ जे हमरासबके नेतृत्व करथि आ हमरासबके मिस्र देशस' निकालि लएनिहार मूसाके, हमरासबके नहि बुझल अछि जे हुनकासंगे की भेलनि।’41एहिस' ओहि समयमे ओसब बच्छाके मूर्ति बनाक' ओकरा बलि चढ़ाक', अपन हाथके एहि काजक कारणे आनन्दित भेल।42मुदा परमेश्वर तिरस्कार क' क' आकाशके' तारामण्डलक आराधना करबाक लेल ओकरासबके छोड़ि देलनि, जेना प्रवक्तासबके पुस्तकमे लिखल अछि जे ‘हे इजराएलक घरानिसब, अहाँसब हमरालेल निर्जन क्षेत्रमे चालीस वर्ष धरि पशुबलि आ बलिदान चढ़एलिऐ?43अहाँसब मोलोक नाम भेल देवता तम्बू आ अपन तरेगन देवता रिफानके , आ ओकर आराधना करबाक लेल बनौने मूर्तिसब स्वीकार कएलहुं: आ हम अहाँसबके बेबिलोनस' निर्वासित करब।’”44“हमरासबहक पूर्वजसबके संग निर्जन क्षेत्रमे गवाहीके तम्बू छल, ठीक ओएह नमूना सन तम्बू जाहिमे मूसास बात करैत काल परमेश्वर बनाबएके आज्ञा देने छलथि।45ई ओ तम्बू अछि जे यहोशूके अधीन हमरासबहक पूर्वजसब सेहो ग्रहण कएलनि आ जखन ओसब जातिसबपर अधिकार कएलनि तखन अपना संग अनने छलाह। परमेश्वर हुनकासबके हमरासबहक पूर्वजसबके समयस' राजा दाऊदक समय धरि ओतहि रहल।46दाऊद परमेश्वरक नजरिमे अनुग्रह भेटलनि, आ ओ याकूबके परमेश्वरके लेल निवास स्थान बनाबए' लेल इच्छा जाहिर कएलनि।47मुदा राजा सुलेमान परमेश्वरक लेल घर बनौलनि।48मुदा, परमप्रधान हाथस' बनाएल घरमे नहि रहैत छथि, जेना यशायाह प्रवक्ता कहैत छथि।49‘स्वर्ग हमर सिंहासन अछि, आ पृथ्वी हमर पयरक पांवदान अछि। अहाँसब हमरालेल केहन घर बनाएब? सर्वोच्च प्रभु कहैत छथि, आ हमर विश्रामक स्थान कत' अछि? 50की ई सबकिछु हमरे हाथके बनाएल नहि अछि?’51“यौ, अहाँ कठोर हृदय आ बहिर कान भेल लोकसब, अहाँसब सदिखन पवित्र आत्माके विरोध करैत छी; अहाँ सेहो ओहिना विरोध करैत छी जेना अहाँक पूर्वज विरोध कएने छल ।52अहाँसबके पूर्वज कोन प्रवक्ताके सतबैत नहि छल? ओसब ओहि धार्मिक लोकसबके मारि देलक जे पहिनेस' धार्मिक सेवक के आगमनके विषयमे कहने छलाह, जेकरा अहाँसब विश्वासघात क' क' हत्या क' देलिऐ। आ आब अहाँसब हुनकर विश्वासघाती आ हत्यारा भ' गेल छी53अहाँसबके स्वर्गदूतद्वारा देल गेल व्यवस्था भेटल, मुदा ओकर पालन नहि कएलहुं।”54ई बात सुनि महासभाक सदस्यसब बड्ड पीता गेल आ ओसब स्तिफनुसपर पिताक' दांत पीस' लागल।55मुदा ओ पवित्र आत्मास' पूर्ण भ क' स्वर्ग दिस तकलनि आ परमेश्वरक महिमा देखलनि। यीशुके परमेश्वरक दहिनाकात ठाढ़ देखलनि।56स्तिफनुस कहलनि, “देखू, हम आकाश उघरल देखैत छी आ मनुष्यक पुत्र परमेश्वरके दहिनाकात ठाढ़ छथि।”57एहिपर महासभाके सदस्यसब कान झांपि लेलनि, आ जोर-जोरस' चिचिआइत, एकदमस' एकहि बेर ओकरापर झपटल।58तखन ओकरा नगरस' घिसिअबैत बाहर निकालिक' पत्थल मारलक। साक्षीसब अपन उपरका वस्त्र साउल नामक युवकके पयरपर राखि देलनि।59जखन ओसब स्तिफनुसके पत्थल मारि रहल छल तखन ओ पुकार क' रहल छलनि, “प्रभु यीशु, हमर आत्माके ग्रहण करु।”60मुदा ठेहुनियां रोपि जोरस' हाक देलनि, “हे प्रभु, एहि पापके दोषी एकरासबके नहि ठहरबियौ।” ई बात कहिक' ओ प्राण त्यागि देलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.