Acts6

1ओहि दिनस' जखन चेलासबहक संख्या बढ़िए रहल छल, तखन यूनानी भाषा बाजएबला यहूदी विश्वासीसबद्वारा इब्रानी भाषा बाजएबला यहूदी विश्वासीसबके विरुद्ध शिकायत करए शुरु क' देलक, किएकत' ओकरासबके विधवासबके दैनिक सेवामे भरि पेट भोजन बांटएमे अनदेखी कएल जाइत छल।2तखन बारहो चेलासब भीड़के बजाक' कहलनि, “हमरासबहक लेल ई उचित नहि जे हमसब परमेश्वरक वचन लोकसबके सिखाएब छोड़ि खिआबएके सेवा शुरु करी।3एहिलेल, हे यौ भाइ बहिनसब, अहाँसबमेस' आदरक योग्य गवाही भेल आ जे पवित्र आत्मा आ बुद्धिस' भरल होअए ओहन सात गोटेके चुनू, जेकरा हमसब एहि काजक जिम्मा द' सकी।4मुदा हमसब सदिखन प्रार्थना आ वचनके सेवामे सदैव आगु बढ़ैत रही।”5हुनकासबहक कथन सबके नीक लगलनि। तखन ओसब विश्वास आ पवित्र आत्मास' भरल स्तिफनुसके चुनलनि, फिलिपुस, प्रुखुरुस, नीकानोर, तीमोन, परमिनास आ, निकुलाउस जे अन्ताकियाक यहूदी मत मानएबला छल।6सारा समूह एहि लोकसबके प्रेरितसबके समक्ष अनलनि आ ओसब प्रार्थना कएलनि आ हुनकासबपर हाथ राखि देलनि।7तखन परमेश्वरक वचन पसरैत रहल आ यरूशलेममे चेलासबहक संख्या बहुत बढ़ि गेल आ बहुत रास यहूदी पुजारीसब मसीहमे विश्वास क' क' आज्ञाकारी भ' गेलाह।8परमेश्वरके अनुग्रह आ सामर्थ्यस' भरल स्तिफनुस लोकसबके बीच बड़का चमत्कार आ चेन्हसब करैत रहलाह।9मुदा किछु लोक जे ओहि स्वतन्त्र दलक सभाघर सबस' छल, ओसब कुरेन नगरके लोक, सिकन्दरिया शहरके लोक आ किलिकिया आ आसियाक लोकसब छल। ओसब उठिक' स्तिफनुसस' वाद-विवाद करए लागल। 10मुदा ओसब ओहि बुद्धि आ पवित्र आत्माके विरुद्ध नहि ठाढ़ भ' सकल, जेकराद्वारा ओ बाजएमे सक्षम होइत छलाह।11तखन ई यहूदीसब गुप्तरुपस' लोकसबके घूस द' क' मनाओन करैत कहबाकलेल कहलकनि, “हमसब स्तिफनुसके मूसा आ परमेश्वरके निन्दाबला बातसब करैत सुनने छी।”12लोकसब आ बूढ़-पुरानसब आ शास्त्रीसबके सेहो भड़का देलक आ ओसब स्तिफनुसके पकड़िक' हुनका महासभाक समक्ष ल' गेल।13ओसब झूठक गवाहसबके आनिक' कहलकनि जे, “ई आदमी एहि पवित्र स्थान आ व्यवस्थाके विरुद्धमे बात करबाक नहि छोड़ैत अछि।14हमसब हुनका ई कहैत सुनने छी जे नासरतक यीशु एहि स्थान के नाश क' देताह आ मूसा हमरासबके जे रीति-रिवाज देने छलाह, तेकरा बदलि देताह।”15यहूदी महासभामे बैसल सबगोटे स्तिफनुस दिस गौरक' तकलनि, हुनकर चेहरा स्वर्गदूतके चेहरा जकां देखलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67