Acts5
1मुदा, हननियाह नामक कोनो एकगोटे आ ओकर अपन पत्नी सफीरासंग सलाहेमे एक भाग सम्पत्ति बेचलनि,2आ ओहि बिक्री क' क' पाइके किछु हिस्सा पत्नीके जानकारीएमे अपनासंगमे राखि लेलक आ किछु हिस्सा आनिक' प्रेरितसबके' पयरमे राखि देलक।3एहिपर पत्रुस कहलनि, “यौ हननियाह, अहाँ पवित्र आत्मास' झूठ बजबाक आ जमीन बिक्री कएने मोलमेस' किछु हिस्सा अपने संग राखि लेबाक बात, शैतान कोनाक' तोरा मनमे भरि देलक?4ओ बिक्री नहि होअएधरि की ओ तोहर' अपन नहि छलहुं, आ बिक्री भेलाक बादो ओ तोहर अधिकारमे नहि छलहुं? एहन काज करबाक विचार तोरा मनमे कोनो आएल? एहिस' तों त' लोकके नहि, मुदा परमेश्वरे के ठकने छिऐ।”5ई बात सुनलाकबाद, हननियाह खसि पड़ल, आ अपन प्राण त्यागि देलक, आ ई बात सुनएबलासबके मनमे बहुत डर पसि गेलनि।6तखन किछु युवकसब उठिक' ओकरा कपड़ामे लपेटि देलक आ बाहर ल' जा क' गाड़ि देलकनि।7आब, जे भेल रहैक से जनलाक लगभग तीन घण्टाक बाद ओकर पत्नी सेहो भितर आबि गेलीह।8तखन पत्रुस हुनका कहलकनि, “हमरा कहूं जे अहाँ ओहि जमीनके ओतबे दाममे बेच देलिऐ?” आ ओ पत्रुसके कहलीह, “हं, ओतबेमे।”9तखन पत्रुस हुनका कहलनि, “अहाँसब मिलिक' प्रभुक आत्माके परीक्षा करबाक लेल एना कोनो सहमत भ' गेलिऐ? देखू, अहाँक पतिके दफनएनिहार सबहक पयर दरबाजापर अछि, आ ओसब अहाँके बोकिक' दफनाबएलेल बाहर ल' जाएत।”10तखन तुरन्त ओ पत्रुसके पयरपर खसि पड़लीह आ ओहि ठाम मरि गेलीह। जखन ओ युवकसब भितर आबि गेल त' ओकरो मरल देख ओकरा बाहर ल' जा' क' ओकरा पतिएके बगलमे गाड़ि देलक।11ओतुका सबहे मण्डलीपर एहि बातसबके चर्चा सुनएबलासबके मनमे बड़ अदक पसि गेल।12आब त' प्रेरितसबके हाथस' लोकसबके बीच बहुते आश्चर्य चेन्ह आ आश्चर्यजनक काजसब होअए' लागल। ओसब एक मनस' सुलेमानक असोरापर जमा भेल छल।13मुदा हुनकासबसंग मिलबाक हिम्मत आन अविश्वासीसब केकरोमे नहि छलनि; तथापि यरूशलेमके लोकसब हुनकासबके बहुत आदर करैत छल।14एखनो बहुत बेसी स्त्री-पुरुष विश्वासीसब प्रभुमे जुड़ले जा' रहल छल।15एतधरि जे ओसब बेमारसबके सड़कसबपर आनि बिछाओन आ खटियापर राखि दैत छल, जाहिस' पत्रुस जखन ओहि द' क' जाए त' कमस' कम हुनक छांहो किछुगोटेपर पड़ि जाए ओकरासबके कल्याण भ' जाए।16यरूशलेमके लगपासक नगरस' सेहो बहुते लोकसब बेमारसबके आ अशुद्ध आत्मास' पीड़ित लोकसबके आनए, आ ओसब ठीक भ' जाए।17मुख्य पुजारी आ हुनकासंग जे सब छल जे सदुकी पन्थके रहए, ओसब ईर्ष्यास' भरिक' प्रेरितसबके विरुद्धमे उठि गेल रहए।18आ ओसब प्रेरितसबके पकड़ि सार्वजनिक जहलमे राखि देलक।19मुदा रातिएमे प्रभुक एकटा स्वर्गदूत जहलक दरबाजा खोलिक' सबके बाहर निकालिक' आ कहलनि,20“जाउ आ मन्दिरपर ठाढ़ भ' क' लोकसबके एहि नव जीवनक सन्देशक बातसब सुनबियौ।”21ई बात सुनि भिनसरमे पत्रुस आ यूहन्ना भोरे-पराते मन्दिरमे प्रवेश क' क' शिक्षा देब' लगलथि। मुदा मुख्य पुजारी आ ओकरासंगे रहनिहारसब आएल आ महासभा आ इजराएली सबहक सभाके सब आ धर्म गुरुसबके बजाक', जहलस' प्रेरितसबके सेहो अनबाक लेल अधिकारीसबके पठौलक।22मुदा जे अधिकृत गेल, से हुनकासबके जहलमे नहि भेटने, घुरि आबिक' ओ खबरि देलनि,23“हम त' सबके जहलमे सुरक्षितरुपस' बंद क' ताला लगाक' आ पहरदारसबके दुआरिपर ठाढ़ भेटल, मुदा जखन हमसब दुआरि खोललिऐ त' भितर केओ नहि भेटल।”24जखन मन्दिरक' सेनापति आ मुख्य पुजारी दुनूगोटे ई बात सुनलक त' ओसब अलमलमे पड़ि गेलाह जे प्रेरितसबके की भ' सकैत अछि।25तखन एकगोटे आबिक' ओकरासबके कहलकनि, “देखू, जाहि लोकसबके अहाँसब जहलमे राखि देने रहिऐ से सब मन्दिरमे आंगनमे ठाढ़ भ' क' लोकसबके शिक्षा द' रहल छथि।”26तखन सेनापति अधिकृतसबके संग जा क' ओकरासबके कलबल वापस अनलनि, किएकत' कोनो बल जबरदस्ती कएने, ओकरासबके मनमे डर रहए जे लोकसब ओकरासबके पत्थलस' नहि मारि दितैक।27जखन ओसब ओहि दुनू प्रेरितसबके आनिक' महासभाक समक्ष ठाढ़ कएलक। तखन मुख्य पुजारी हुनकासबस' प्रश्न पुछलक।28कहलकनि, “हमसब त' अहाँसबके कड़ा आज्ञा देलहुं जे एहि नामस' शिक्षा नहि दिऔ, मुदा तइयो, अहाँसब यरूशलेमके अपन शिक्षास' भरि देलिऐ आ ओहि आदमीक' लेहूके दोष हमरासबपर लगाबए चाहैत छी।”29तखन पत्रुस आ प्रेरितसब उत्तर देलथिन, “हमरासबके मनुष्यस' बेसी परमेश्वरक आज्ञा मानब जरुरी अछि।30हमरासबहक पूर्वजके परमेश्वर यीशुके मृत्युस' जीवित उठएलनि, जेकरा अहाँसब क्रूसपर टांगिक' मारि देने रहिऐ।31परमेश्वर हुनकासबके अपन दहिना हाथे उपर उठएलनि जे ओ एकटा राजकुमार आ मुक्तिदाता बनथि, इजराएलक पश्चातापके लेल आ पापक क्षमा करथि।32हमसब एहि बातसबके गवाह छी आ पवित्र आत्मा सेहो गवाह अछि, जे परमेश्वर हुनकर आज्ञा माननिहार सबके देलनि अछि।”33जखन ई बात सुनि महासभा सदस्यसब क्रोधित भ' गेल आ प्रेरितसबके मार' चाहलक।34मुदा महासभामेस' एकटा गमालिएल नामक फरिसी जे व्यवस्थाके विद्वान आ लोकसबमे आदरक' पात्र छल ठाढ़ भ' क' प्रेरितसबके कनिक कालकलेल बाहर जएबाक आज्ञा देलनि।35तखन ओ अपन संगीसबके कहलनि, “यौ इजराएलीसब, एहि लोकसबके संग की करए जा रहल छी, एहि बातमे सावधान भ' जाउ।36किछु साल, पहिने थियूदास स्वयंके केओ छी कहिक' दाबी करैत छल आ संख्यामे लगभग चारि सय आदमी ओकरापर भरोसा कएने छल। ओ मारल गेल, आ जे सब हुनकर आज्ञा मानैत छल, ओसब छिड़िया गेल आ सब स्पष्ट भ' गेल।37एहि आदमीक बाद जनगणनाके समयमे गलीलवासी यहूदा ठाढ़ भेल आ किछु लोकके अपन पाछु लगा लेलक। ओहो नाश भ' गेल आ जे सब ओकरापर भरोसा करैत छल से सब तितर-बितर भ' गेल।38आब हम अहाँसबके एहि मामिलामे ई कहैत छी जे एहि लोकसबस' दूर रहू आ हुनकासबके छोड़ि दिअ, कारण ई योजना आ ई काज यदि मनुष्यक होएत त' ई अपने खतम भ' जाएत।39मुदा जं ई काज करएलेल परमेश्वर कहने छथि त' अहाँसब ओकरासबके नहि रोकि सकैत छिऐ। नहि त' अहाँसब सेहो परमेश्वरक विरुद्ध भ' जाएब।” तएं जे गमालिएल कहलनि ओहिके महासभाके आओर सदस्यसब मानि लेलक।40तेकरबाद सभाके सदस्यसब प्रेरितसबके बजाक' ओकरासबके मारिपीट क' यीशुक नाम नहि लेबाक आज्ञा देलक आ ओकरासबके छोड़ि देलकनि।41एहिलेल ओ प्रेरितसब महासभाक उपस्थितिस' हर्षित होइत बाहर निकलि गेलाह जे यीशुके नामकलेल ओसब अपमानित होएबाक योग्य मानल गेल छल।42तेकरबाद सबदिन मन्दिरमे आ घर-घरमे यीशु मसीह छथि से सुसमाचार ओसब लगातार सिखबैत आ प्रचार करैत रहलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.