Acts4
1जखन पत्रुस यूहन्ना लोकसबस' बातक' रहल छलाह तखन पुजारीसब आ मन्दिरक सिपाहीसबके कप्तान आ सदुकीसब हुनकासबहक लग आबि गेलाह।2किएकत' ओसब बहुत क्रोधित भेल जे ओ बेसी परेशान छलाह किएकत' पत्रुस आ यूहन्ना लोकसबके सिखा रहल छलथि आ यीशुके पुनरुत्थानक' घोषणा क' रहल छलाह।3एहिलेल ओसब ओकरासबके पकड़िक' दोसर दिन अनगुती धरि हिरासतमे राखि देलक, किएकत' सांझ भ' गेल छल।4मुदा सन्देश सुनएबला बहुते लोकसब विश्वास कएलनि; आ विश्वास करएबला आदमीसबके संख्या लगभग पांच हजार छल।5तखन दोसर दिन भोरे यरूशलेममे ओकरासबहक शासक आ बूढ़-पुरान आ शास्त्रीसब एकठाम जौर भ' गेलाह।6ओतए मुख्य पुजारी हन्ना, काइफा, यूहन्ना, सिकन्दर आ मुख्य पुजारी वंशके सबलोक रहए।7ओसब पत्रुस आ यूहन्नाके हुनकासबहक बीचमे बैसाक' पुछलनि, “अहाँसब कोन सामर्थ्यस' आ कोन नामस' ई काज कएलहुं?”8तखन पत्रुस पवित्र आत्मास' भरिक' हुनकासबके जबाब देलनि, “अहाँसब लोकक शासक आ बूढ़-पुरानसबस'।9जं आइ हमरासबपर एकटा बेमारीके नीक कएने विषयमे पुछताछ क' रहल अछि जे ओ कोन तरहें ठीक भ' गेल?10अहाँसब आ इजराएलक सबटा लोकके ई बात बुझा देल जाए जे नासरतक यीशु मसीहक नामस', जिनका अहाँ क्रूसपर चढ़ा देने रहिऐ, आ जिनका परमेश्वर मरलमेस' जीवित क' देलनि, हुनके द्वारा ई आदमी एत अहाँसबहक सोझा स्वस्थ भ' क' ठाढ़ अछि।11यीशु मसीह ओ पत्थल छथि जेकरा अहाँसब, जे राजमिस्त्रीसब, अस्वीकारक' देलिऐ, मुदा एखन हुनका मुख्य पत्थल बना देल गेल अछि।12कोनो दोसरके हाथे उद्धार नहि अछि, किएकत' स्वर्गके नीचा मनुष्यमे कोनो दोसर नाम नहि देल गेल अछि जेकराद्वारा हमसब उद्धार पाबि सकब।” 13जखन पत्रुस आ यूहन्नाके साहस देखलनि, आ ई बुझएमे अएलनि जे ओसब अशिक्षित आ साधारण आदमी अछि, ओसब आश्चर्यचकित भ' गेल, आ फेरु ओकरासबके पहचानि लेलनि, की ओसब यीशुके संगे रहल छथि।14कारण जे ओसब ठीक भेल आदमीके संगे ठाढ़ देखलनि, त' हुनकासबके विरुद्ध किछु नहि कहि सकल।15मुदा ओसब प्रेरितसबके महासभास' बाहर जएबाक आज्ञा देलाके बाद ओसब अपनामे विचार करए' लगलनि।16ओसब एक दोसरास' कहलकनि, “हमसब एहि आदमीके की करिऐ? कारण, यरूशलेममे रहनिहारसबके ई स्पष्ट अछि, जे हुनकासबहक द्वारा एकटा बड़का चमत्कार भेल अछि, आ हमसब एकरा नकारि नहि सकैत छी।17मुदा एहिलेल जे ई लोकसबमे आओर नहि पसरि जाए, ताहिके लेल हुनकासबके चेतावनी देलनि जे आब यीशु नामस' फेरु केकरो' नहि कहए।”18एहिलेल पत्रुस आ यूहन्नाके सभामे बजाक' ओसब हुनकासबके आज्ञा देलनि जे यीशुक नामस' किछुओ नहि बाजए आ नहि कोनो शिक्षा देथि।19मुदा पत्रुस आ यूहन्ना हुनकासबके उत्तर देलनि, “परमेश्वरक नजरिमे परमेश्वरक आज्ञा नहि मानब उचित नहि अछि, अहाँसब एकर न्याय करु।20किएकत' हमसब जे देखलिऐ आ सुनलिऐ ताहि विषयमे बाजब छोड़ि नहि सकैत छी।”21तखन पत्रुस आ यूहन्नाके आओर चेतावनी देलाके बाद ओसब हुनकासबके छोड़ि देलक। लोकक कारणे हुनकासबके कोनो एहन बात नहि भेटलनि जाहिस' ओसब हुनकासबके सजाय द' सकथि, किएकत' जे घटना घटल छल ताहिके लेल सबगोटे परमेश्वरक स्तुति क' रहल छल।22जे आदमी आश्चर्यजनक चमत्कारस' नीक भेल छल, ओकर उमेर चालीस वर्षस' बेसी के रहैक।23सबस मुक्त भ' क' पत्रुस आ यूहन्ना अपन आओर संगीसब लग आबिक' मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरानसब हुनकासबके कहल गेल सब बात कहि देलथिन।24जखन ई बात सुनलक, ओसब संगे परमेश्वर दिस हाक लगौलक' आ प्रार्थना कएलनि, “हे प्रभु, अपने जे आकाश, पृथ्वी आ समुद्र आ ओहिमे जे किछु अछि, तेकरा बनौने छी।25अपने ओएह छी जे पवित्र आत्माके द्वारा अपन सेवक, हमर पिता दाऊदक मुंहस' कहलहुं, ‘आन जातिसब कोन कारणस' क्रोधित भेल, आ लोकसब बेकार बातके कल्पना कएलनि?’26प्रभु आ हुनकर अभिषेक कएल गेलके विरुद्धमे ‘पृथ्वीक किएक राजासब ठाढ़ भेल, आओर शासकसब ओकरासब संगे मिलि गेल जे ओसब प्रभु परमेश्वरके विरोध करए? हुनका ओ मसीह होएब लेल चुनने छथि।’ 27किएकत', सांच्चे राजा हेरोदेस आ रोमी राज्यपाल पन्तियुस पिलातुस दुनूगोटे गैर-यहूदी आ इजराएलक लोकसबसंगे एहि नगरमे जौर भेल रहए जे अहाँसबके पवित्र सेवक यीशुक विरुद्ध छलाह, जिनका अहाँ अभिषेक कएने रहिऐ। 28ओएह करएलेल जे अपने हाथे आ अपनहि योजनानुसार पहिनेस नियारल छल।29आब हे प्रभु, ओकरासबके धमकीपर नजरि रखियौ, आ अपन सेवकसबके निर्भीकतापूर्वक अपनेके सन्देश बजबाक हिम्मत सेहो दिऔ।30एहि कारणे, नीक होबएलेल अपने अपन हाथ पसारैतकाल अपन पवित्र सेवक यीशुक नामस' चमत्कार आ आश्चर्यकर्म होबए दिऔ।”31जखन ओसब प्रार्थना समाप्त क' लेलनि त' ओसब जत' जमा भेल रहए, से ठाम डगमगा गेल, आ ओ सबगोटे पवित्र आत्मास' भरल आ ओसब उत्साहस' परमेश्वरक वचन घोषणा कर' लागल।32विश्वास करएबला सबहक बहुसंख्यक लोकसब एक मनस' रहए, ओकरासबमेस' केओगोटे अपन धन सम्पत्तिके ई हमर अछि से नहि कहैत छल, मुदा ओकरासबहक सबकिछु सझिया छल।33बहुत शक्तिक संग ओ प्रेरितसब प्रभु यीशुक पुनरुत्थानक गवाही द' रहल छल, आ ओकरासबके उपर परमेश्वरके प्रचुर अनुग्रह रहल छल।34हुनकासबमेस' केकरो किछुके कमी रहत नहि छल, किएकत' जतेक गोटे जगह जमीन आ जे घरक मालिक रहए, ओ लोकनि ओकरा बेचक' पाइ लबैत छल35आ ओ प्रेरितसबके चरणमे राखि दैत छल, आ जेकरा-जेकरा जे किछुके आवश्यकता पड़ैत छल, से सबहेके ओहि अनुसार बांटि दैत छल।36तखन साइप्रस द्वीप निवासी लेवी कुलक, यूसुफ जेकरा प्रेरितसबद्वारा बरनबास नाम राखल गेल छल जेकर अर्थ उत्साहके पुत्र होइत अछि।37ओ अपन खेत बेचक' प्राप्त भेल धन प्रेरितसबके चरणमे राखि देलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.