Acts3

1एकदिन, पत्रुस आ यूहन्ना नियमित प्रार्थनाक समयमे, बेरियामे तीन बजे मन्दिरमे जा रहल छलथि।2आ लोक एकदिन एकटा जनमेस नांगर आदमीके आनिक' सबदिन मन्दिरक' सुन्दर नामक दुआरिपर राखि दैत छल, जाहिस' ओ मन्दिरमे जा रहल लोकसबस' भीख मंगैत छल।3जखन ओ पत्रुस आ यूहन्नाके मन्दिरमे प्रवेश क' रहल देखलक त' ओ हुनकासबस' किछु भीख देबएलेल आग्रह कएलक।4मुदा पत्रुस यूहन्ना संगे ओकरा दिस ध्यानस' तकैत कहलनि, “हमरा दिस देखू।”5एहिस' ओ नेंगरा हुनका दिस तकलनि, एहि आशामे जे हुनकास' किछु भेटत।6मुदा पत्रुस कहलनि, “हमरालग चानी आ सोना त' नहि अछि, मुदा जे किछु हमरालग अछि, से हम अहाँके देब। नासरतके यीशु मसीहके नामस' चलए लागू।”7पत्रुस ओकर दहिना हाथ पकड़िक' उठएलनि आ ओ तुरन्त ओकर पयर आ घुट्ठीमे बल आबि गेल।8तखन ओ आदमी कुदिक' ठाढ़ भ' क' मन्दिरके प्रांगणमे चल' लागल। ओ हुनकासबके संग चलैत उछलैत आ परमेश्वरके स्तुति करैत मन्दिरमे प्रवेश कएलक।9सबलोक ओकरा चलैत आ परमेश्वरक स्तुति करैत देखलक।10ओसब ओकरा सेहो चिन्हलक, जे ई ओएह आदमी अछि जे मन्दिरक' सुन्दर दुआरिपर बैसिक' लोकसबस' भीख मंगैत आबि रहल छल; आ ओकरासंगे जे भेल छल ताहि कारणे ओसब अचम्भित आ आश्चर्यचकित भ' जाइत गेल।11जखन ओ नांगर जे आब चंगा भेल छल से पत्रुस आ यूहन्नाके पकड़ने छल तखन सबलोक बहुत आश्चर्यचकित भ' क' असोरामे हुनकासबहक लग दौड़क' गेल जेकरा सुलेमानक असोरा कहल जाइत छल।12पत्रुस ई देख लोकसबके सम्बोधित कएलनि, “यौ संगी इजराएली लोकनि, अहाँसब एहि बातपर किएक आश्चर्यचकित छी? आ किएक अहाँ हमरासब दिस एतेक नजरि गड़ाक' देखैत छी जेना हमहीं अपन शक्ति वा भक्तिस' एकरा चल' बुलएबला बना देने रहिऐ?13अब्राहम आ इसहाक आ याकूब पूर्वजसबके परमेश्वर, जे हमरासबहक पूर्वजक परमेश्वर छथि, हुनकर सेवक यीशुके आदर प्रदान कएलथि, जेकरा अहाँसब पिलातुसके सामनेमे अस्वीकार कएलहुं जखन ओ हुनका छोड़ि देबाक निर्णय कएने रहए।14अहाँसब ओहि पवित्र आ धर्मी के अस्वीकार कएलहुं आ विनती कएलहुं जे एगो हत्याराके अहाँलेल माफ क' देबाक लेल कहलिऐ।15आ अहाँसब जीवनदाताके मारि देलिऐ, जिनका परमेश्वर मरलमेस' जीवित' देलथिन आ हम एकर गवाह छी।16आब, यीशुके नाममे ओकर अपन विश्वासके कारण ई आदमी जेकरा अहाँ देखैत छी आ जनैत छी, ओकरा स्वस्थ बना देल गेल अछि। यीशुके नाम आ हुनका चलते जे विश्वास अछि, ओ अहाँसबके सान्निध्यमे एहि आदमीके पूर्ण स्वस्थ देलक।17आब हे यौ संगी इजराएली भाइसब, हमरा बुझल अछि जे अहाँसब अज्ञानतामे ई काज कएलहुं, जेना अहाँसबके अगुवासब सेहो कएलनि।18मुदा जे बात परमेश्वर सब प्रवक्तासबके मुंहस' बहुत पहिने कहने छलथि जे हुनकर मसीहके कष्ट भोगए पड़तनि से एहि तरहें पूरा भेल।19एहिलेल, पश्चाताप करु आ घुरि आउ, जाहिस' अहाँक' पाप मेटा जाए।20जाहिस' प्रभुके सामनेस' आनन्द भेटबाक समय आबि जाए। आ अहाँसबके लेल जे नियुक्त कएल गेल मसीह यीशुके पठा सकए।21ओ एकेटा छथि जे स्वर्गके सब वस्तुक पुनर्स्थापनक समय धरि भेटबाक चाही, जेकरा विषयमे परमेश्वर बहुत पहिने अपन पवित्र प्रवक्तासबके मुंहस' घोषणा कएने छलाह।22जेना मूसा अपनासबके पूर्वजसबस' कहलनि, ‘परमेश्वर प्रभु अहाँसबके लेल अहीं सबहक भाइसबके बीचस' हमरे सन एकटा प्रवक्ता ठाढ़ करताह। अहाँसब बातमे हुनकर सब बात सुनब ओ अहाँस' जे किछु कहताह।23मुदा एहन होएत जे कोनो आत्मा ओहि प्रवक्ताके बात नहि सुनत, ओ लोकके बीचस नाश भ' जाएत।’24आ शमूएलस' ल' क' हुनकर बाद आएलसब प्रवक्तासब सेहो एहि दिनके पहिनहिस' घोषणा कएने रहनि।25अहाँसब ओहि प्रवक्तासबके आ ओहि करारके उत्तराधिकारी छी जे परमेश्वर अब्राहमके कहलनि, ‘अहाँक वंशजमे पृथ्वीक सबटा वंशज धन्य होएत।’ 26परमेश्वर अपन सेवक यीशुके चुनलथि आ पहिने अहाँसबलग पठौलथि जे अहाँसबमेस' एक-एकगोटेके अपन दुष्टतास' मोड़िक' अहाँसबके आशीर्वाद देथि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67