Acts23

1तखन पौलुस सिधा महासभाक' सदस्यसब दिस तकलनि आ कहलथिन, “यौ हमर संगी इजराएली भाइसब, हम अपन विवेक बुझल अनुसार आइधरि एहन जीवन बितओने छी जे परमेश्वरके नजरिमे धर्मी अछि।”2तखन मुख्य पुजारी हननियाह हुनकालग ठाढ़ लोकसबके पौलुसके मुंहपर प्रहार करएलेल आज्ञा देलथिन।3तखन पौलुस हुनका कहलथिन, “हे चुनस' पोतल देवाल! , परमेश्वर अहाँपर प्रहार करएबला छथि। की अहाँसब व्यवस्थाके अनुसार हमरापर न्याय करैत बैसल छी, मुदा व्यवस्थाके विरुद्ध हमरा मारबाक आदेश दैत छी?” 4मुदा ओहि ठाम पौलुसके लगमे ठाढ़ भेल लोकसब कहलनि, “की अहाँ परमेश्वरक मुख्य पुजारीक' अपमान क' रहल छी?”5पौलुस कहलथिन, “हे भाइसब, हमरा ई नहि बुझल छल जे ओ मुख्य पुजारी छथि। किएकत' धर्मशास्त्रमे लिखल अछि, अहाँ अपन प्रजाक कोनो शासक विरुद्ध अधलाह नहि बाजब।” 6पौलुस जखन देखलनि जे महासभाक' एक भाग सदुकी आ दोसर फरिसी छथि, तखन ओ महासभामे जोर-जोरस' बजलाह, “यौ भाइसब, हम फरिसी छी, फरिसीके पुत्र छी। मृतक पुनरुत्थानक निश्चित आशाक विषयमे हमरापर न्याय कएल जा रहल अछि।”7ई बात कहलापर फरिसी आ सदुकी सबहक बीच वाद-विवाद शुरु भ' गेल। आ भीड़ विभाजित भ' गेल।8सदुकीसब कहैत छथि जे पुनरुत्थान, स्वर्गदूत आ दुष्टात्मा किछु नहि होएत अछि, मुदा फरिसीसब ओहिसबके स्वीकार करैत छथि आ मानैत छथि।9तखन एकटा पैघ उपद्रव भेल आ फरिसी दलक किछु शास्त्रीसब ठाढ़ भ' क' वाद-विवाद करए' लगलाह, “हमरासबके एहि आदमीमे कोनो अधलाह नहि भेटैत अछि। मुदा जं ओकरास' कोनो दुष्टात्मा, वा कोनो स्वर्गदूत बाजि गेल होथि त' की होएतै?”10जखन बड़का मतभेद शुरु भेल त' प्रधान सेनापतिके आशंका भेलनि जे पौलुसके हुनकासबहक द्वारा टुकड़ा-टुकड़ा नहि क' दिए, एहि डरस' ओ सिपाहीसबके आज्ञा देलनि जे ओ नीचा जा क' हुनका महासभाक सदस्य सबहक बीचस' जबरदस्ती ल' क' सैनिक गढ़मे ल' जाथि।11मुदा दोसर राति प्रभु हुनका बगलमे ठाढ़ भ' क' कहलथिन, “साहस करु, किएकत' जेना अहाँ यरूशलेममे हमर गवाही घोषणा कएलहुं, तहिना रोमी शहरमे सेहो अहाँके गवाही देब पड़त।”12दोसर दिन अनगुतिए किछु यहूदीसब षड्यन्त्र क' क' ओसब अपनामे सपत धएलनि जे जा' धरि पौलुसके नहि मारि देब ताधरि नहि खाएब आ नहि पिएब।13चालीस स' बेसी यहूदी लोकसब एहि षड्यन्त्रमे सहभागी छल।14ओसब मुख्य पुजारी आ बूढ़-पुरानसब लग जा क' कहलनि, “हमसब अपनामे बहुत पैघ सपत खएलहुं जे जा' धरि पौलुसके नहि मारि देब ताधरि किछु नहि खाएब।15आब अहाँसब महासभाक संग प्रधान सेनापतिके एना सूचित करियौ जे पौलुसक विषयमे आओर गम्भीरतास' जांच करए' जा रहल छी जाहिस' ओ हुनका अहाँसबहक लग नीचा लाबि देताह। रहल बात हमरासबहक त' हमसब ओकरा एत आबएस' पहिने मारबाक लेल तैयार छी।”16मुदा पौलुसके विश्वासमे बहिनके बेटा चुपेचापे बैसारके बात सुनिक' सैनिक गढ़मे जा क' पौलुसके सब बात कहलनि।17तखन पौलुस एकटा सेनापतिके बजाक' कहलथिन, “एहि युवकके प्रधान सेनापति लग ल' जाउ, किएकत' एकरा हुनका किछु कहबाक अछि।”18सेनापति ओहि युवकके ल' क' प्रधान सेनापति लग अनलनि आ कहलनि, “कैदी पौलुस हमरा बजौलनि आ कहलथिन जे एहि युवकके अहाँ लग लाबएमे विनती कएलक। एकरा अहाँस' किछु कहबाक अछि।”19तब, प्रधान सेनापति ओकर हाथ पकड़िक' एक कोन्हमे ल' जाक' पुछलथिन, “अहाँके हमरा की कहबाक अछि?”20तखन ओ युवक जे पौलुसके भगिना रहैक से कहलनि, “यहूदीसब अहाँस' ई विनती करबाक लेल तैयार भ' गेल अछि जे काल्हि अहाँ पौलुसके महासभामे उतारि सकैत छी, जेना ओसब हुनका सम्बन्धमे कोनो बातपर गम्भीरतास' पुछए जा रहल होथि।21तएं अहाँसबके हुनकासबस' मना नहि करबाक चाही, किएकत' एहिमेस' चालीस स' बेसी लोक हुनकर प्रतीक्षामे अछि। ओसब स्वयंके प्रतिज्ञा कएने रहए अछि की जाधरि ओकरा नहि मारि देब धरि नहि खाएब आ नहि पिएब। एखनहु ओसब तैयार अछि, अहाँक आदेश प्रतीक्षामे अछि।”22प्रधान सेनापति ओहि युवकके आज्ञा द' क' विदा क' देलनि, “जे हमरास' कहली से बात केकरो नहि कहब।”23तखन ओ दूटा सेनापतिके बजाक' कहलथिन, “कैसरिया शहर धरि जाएलेल दू सय सिपाही तैयार करु जाहिमे सत्तरि घोड़सवार आ दू सय भालाधारी होएबाक चाही। रातिके नऔ बजे विदा भ' जाएत।”24ओ हुनकासबके सेहो आज्ञा देलथिन जे ओसब पौलुसके ओहि घोड़ापर बैसिक' सुरक्षितरुपस' राज्यपाल फेलिक्स लग ल' जाथि।25तखन ओ सेनापति एकटा पत्र लिखलनि जे एहि रुपमे छल,26“क्लौदियुस लुसियास भरस' महामहिम राज्यपाल फेलिक्सके अभिवादन।27एहि आदमीके किछु यहूदीसब पकड़ि लेलक आ ओकरासब द्वारा मारल जाएबला छल, तखन हम ओकरा सिपाही सबहक संग आबिक' ओकरा बचा लेलहुं, किएकत' हमरा बुझल छल जे ओ रोमी नागरिक छथि।28तखन हम जानए चाहैत छलहुं जे ओसब हुनकापर कोन प्रकारक आरोप लगाओल गेल छल, तएं हम हुनका अपन महासभामे ल' गेलहुं।29हमरा पता चलल जे हुनकापर हुनकासबहक अपन व्यवस्थाके' विषयमे आरोप लगाओल जा रहल छल, मुदा हुनकापर कोनो एहन आरोप नहि छल जे मृत्यु वा जहलमे जएबाक चाही।30तखन हमरा बुझाओल गेल जे ओहि आदमीक विरुद्ध एकटा षड्यन्त्र रचल जा रहल अछि, तएं हम तुरन्त ओकरा अहाँ लग पठा देलिऐ आ ओकरापर आरोप लगौनिहारसबके सेहो निर्देशन देलिऐ जे अपनेके ओकर विरुद्धमे बजथि।”31तखन सिपाहीसब, जे आज्ञा देल गेल छल, पौलुसके ल' क' रातिमे अन्तिपत्रिस नगरमे ल' गेल।32दोसर दिन अधिकांश सैनिक गढ़मे वापस आबि गेल, मुदा ओसब घोड़सवारसबके पौलुसक संग आगु बढ़बाक अनुमति देलक।33घोड़सवार सब कैसरियामे जा क' ओसब पत्र राज्यपालके पहुंचा देलथिन त' ओसब पौलुसके सेहो हुनकालग ठाढ़ क' देलथिन।34तखन राज्यपाल पत्र पढ़िक' पुछलथिन जे पौलुस कोन प्रदेशक छथि। पौलुस जबाब देलक, “हम किलिकिया प्रदेशके छी।”35जखन हुनका पता चललनि जे ओ किलिकियाक' छथि, ओ रोमी शासक पौलुसके कहलथिन, “जखन अहाँक आरोपी सब सेहो एत आओत तखन हम अहाँक बात पूरा सुनब।” तखन ओ हुनका हेरोदेसके महलमे रखबाक आज्ञा देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67