Acts24
1पांच दिनके बाद, मुख्य पुजारी हननियाह किछु बूढ़-पुरान लोकनि आ तिरतुल्लुस नामक एकटा वकील ओतए अएलाह। ई लोकनि पौलुसपर राज्यपालके समक्ष आरोप लगौलनि।2जखन पौलुस राज्यपालके' समक्ष ठाढ़ भेलाह त' तिरतुल्लुस हुनकापर आरोप लगबैत राज्यपालके कहलथिन, “अहाँक कारणे हमरासबके बहुत शान्ति अछि, आ अहाँक बुद्धिमानी हमरासबहक जातिमे नीक सुधार भ' रहल अछि।3सब प्रकारस' आ सब जगह दुनू ठामस' महामहिम फेलिक्स, हमसब ई सब बातस' धन्यवादके संग स्वीकार करैत छी।4मुदा, आब अहाँके बेसी समय नहि लैत, हम अहाँस' आग्रह करैत छी जे अपन कृपास' हमरासबहक बात संक्षेपमे सुनलजाए।5किएकत' हमसब ई आदमीके दुनियां भरिमे रहनिहार यहूदीसबहक बीच विद्रोह करएबला पाबि गेलहुं। संगहि, ओ नासरी सम्प्रदायक अगुवा छथि।6ई ओहि मन्दिरके अपवित्र करबाक प्रयासमे लागल, तएं हमसब ओकरा पकड़ि लेलहुं। हमसब अपन व्यवस्थाके अनुसार हुनकर न्याय करए चाहैत छलहुं।7मुदा लूसियास, अधिकारीसब आबिक' ओकरा हमरासबहक हाथस' जबरदस्ती निकालि लेलनि,8आरोप लगौनिहारसबके अहाँ लग आबएलेल आज्ञा देलकनि। अहाँ हुनकास' एहिसब बातक विषयमे स्वयं जांचबूझ क' सकैत छी जाहिस' हमसब ओकरा उपर जे आरोप लगा रहल छी से अहाँ ओकरास' बुझि सकैत छी।”9तखन ओकरासंगे आएल आओर यहूदीसब सेहो एहि बातपर सहमत भ' गेलाह जे ईसब आरोप सत्य अछि।10राज्यपाल पौलुसके बजबाक इशारा कएलाक बाद पौलुस बजलनि, “हमरा बुझल अछि जे अहाँ यहूदी जातिके बीचमे बहुत वर्षस' न्यायाधीश छी, तएं हम अपना विषयमे खुशी-खुशी हम अपन बचावमे किछु बाजए सकैत छी।11अहाँ ई पता लगा सकैत छी जे हमरा यरूशलेममे परमेश्वरके आराधना करबाक लेल गेल बारह दिनस' बेसी नहि भेल अछि।12ओसब नहि हमरा मन्दिरमे केकरोसंगे बहस करैत देखलक आ नहि सभाघरमे आ नहि शहरमे दंगा भड़का रहल देखने अछि।13ओसब आब हमरापर आरोप लगा रहल अछि से बात अहाँके ई साबित नहि क' सकैत अछि।14मुदा हम अहाँके आगु ई बात स्वीकार करैत छी जे ओसब जाहि तरहें मार्ग कहैत अछि, हम ओहि तरहें अपन पूर्वजसबके परमेश्वरके सेवा करैत छी। हम ओहि सब व्यवस्थाके प्रति विश्वासयोग्य छी जे धर्म-नियमक अनुसार अछि आ जे प्रवक्तासबके पोथीमे लिखल गेल अछि।15हमरा परमेश्वरपर ओहने भरोसा अछि जे ई लोकनि सेहो स्वयं विश्वास करैत अछि जे धर्मी आ अधर्मी जन दुनूके पुनरुत्थान होबएबला अछि।16एहिमे सेहो हम स्वयं सब किछुमे सदिखन शुद्ध विवेकस' परमेश्वर आ आदमीसबके विषयमे प्रयासरत रहैत छी।17आब किछु वर्षके बाद, हम अपन जातिके गरीबसबके दान आ भेटि ल' क' यरूशलेममे परमेश्वरके चढ़ब आएल छी।18ओसब हमरा ई काज करैत पबैत काल हम मन्दिरमे शुद्ध होबएबला विधि पूरा क' लेने रही, ओत' नहि कोनो भीड़ आ नहि कोनो उपद्रव छल।19मुदा आसिया प्रान्तके किछु यहूदीसब छल, जे जं हमरापर कोनो आरोप अछि त' अहाँक आगु आबिक' आरोप लगा सकैत अछि।20आ फेरु, ई ओएह लोकसब कहथि जे जखन हम यहूदी महासभाक' समक्ष ठाढ़ रही तखन हमरामे की दोष भेटलथि।21इहे एकटा बातक अतिरिक्त जे हम ओकरासबहक बीच ठाढ़ भ' क' जोर-जोरस स' कहने रही, ‘हम आइ अहाँक समक्ष एहि विषयमे हमर न्याय कएल जा रहल अछि। ओ विषय अछि, मृतकके पुनरुत्थान।’”22तखन फेलिक्स, जेकरा प्रभुके मार्गके विषयमे बेसी सटीक जानकारी छल, ओकरासबके विलम्ब कएलक। ओ कहलनि, “जखन सेनापति लुसियास' यरूशलेम अएताह तखन हम अहाँक विषयमे निर्णय करब।”23तखन फेलिक्स सेनापतिके आज्ञा देलथिन जे पौलुसके हिरासतमे राखि दिऔ, मुदा हुनका किछु स्वतन्त्र दिऔ आ हुनका मित्रसबके हुनकर सेवा करबास' मना नहि करियौ।24किछु दिनक बाद फेलिक्स अपन पत्नी द्रुसिल्लाक संग घुरि गेलाह, जे एकटा यहूदी छलीह, आ ओ पौलुसके बजाबएलेल पठौलनि आ ओ हुनकास' मसीह यीशुके विश्वासक विषयमे सुनलनि।25मुदा जखन पौलुस हुनकास' धार्मिकता, संयम आ आबएबला न्यायक विषयमे चर्चा कएलनि त' फेलिक्स भयभीत भ' क' कहलथिन, “एखन चलि जाउ। मुदा जखन मौका भेटत तखन अहाँके बजाबएलेल पठाएब।”26ओहि समयमे हुनका आशा छलनि जे पौलुस हुनका घूस स्वरुप किछु धन देथि, आ तएं ओ बेर-बेर हुनका बजाक' हुनकास' बात करैत छल।27दू साल बितलापर पुरखियुस फेस्तुस फेलिक्सके बाद राज्यपाल बनिक अएलाह, मुदा फेलिक्स यहूदी अगुवासबके अनुग्रह प्राप्त करए चाहैत छलाह, तएं पौलुसके सुरक्षा देब नहि छोड़लनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.