Acts19
1अपुल्लोस कोरिन्थ शहरमे रहि रहल समयमे पौलुस उपरका क्षेत्र होइत इफिसुस शहरमे अएलाह आ ओत हम किछु चेला भाइसबस' भेट कएलनि।2पौलुस ओकरासबके पुछलनि, “जखन अहाँसब विश्वास कएलहुं त' की पवित्र आत्मा अहाँसबके प्राप्त भेल।” ओसब हुनका उत्तर देलनि, “नहि, पवित्र आत्मा की होइत अछि एखन धरि हमसब नहि सुनने छी।”3एहिपर पौलुस फेरु पुछ्लनि, “तहन अहाँसब कोन बपतिस्मा लेलहुं?” ओसब कहलनि, “यूहन्नाके बपतिस्मा।”4एहिपर पौलुस ओकरासबके कहलनि, “यूहन्नाक बपतिस्मा पश्चातापक बपतिस्मा छल। ओ लोकसबके कहैत छलथि जे अहाँसब ओहि एक पर विश्वास करब जे हमरा बादमे आबएबला छथि, जे यीशु छथि।”5जखन लोकसब एहि बातके सुनलनि, ओसब प्रभु यीशुके नामस' बपतिस्मा लेलनि।6ओहिके बाद जखन पौलुस ओकरासबपर अपन हाथ रखलखिन, त' पवित्र आत्मा ओकरासबपर उतरलनि आ ओसब आन भाषा बाजए लागल आ प्रभुस' पाओल सन्देश भविष्यवाणी करए लागल।7ओ आदमीसब करीब बारह गोटे छल।8ओत पौलुस तीन महिना धरि सभाघरमे जा' क' ओहि ठामके लोकसबके निर्भयतापूर्वक परमेश्वरक राज्यके विषयमे बहसके संगे-संगे मनबैत रहल।9मुदा जखन किछु अड़िअल आ उटपटांग यहूदीसब सुसमाचार नहि मानलक आ समुचे सभाके आगु प्रभुके मार्गके विरोध करए लागल। एहिस' पौलुस ओकरासबके छोड़ि अपन चेलासबहक' संग ओतएस' चलि गेलाह, तुरन्नुसके भवनमे प्रतिदिन शिक्षा देब लगलाह।10ई दू वर्ष धरि सदैव चलैत रहल, एहिस' आसिया प्रदेशके सबलोक यहूदी आ यूनानीसब प्रभुके वचन सुनलक।11परमेश्वर पौलुसक हाथके माध्यमस' असाधारण चमत्कारसब करैत छलाह।12एत' धरि जे लोकसब गमछा आ रोमाल हुनका छुआक' ल' जाइत छल आ बेमार आदमीसबके छुअबैत रहथि आ ओसब बेमारीस' छुटकारा भ' जाइत छल आ ओकरासबमेस' दुष्टात्मासब सेहो बाहर निकलि जाइत छल।13मुदा एक बेर, ओहि ठाम किछु झारफुक करएबला यहूदीसब सेहो घुर बुलि करैत छल। ओसब प्रभु यीशुके नामस' दुष्टात्मा निकालएके कोशिस क' रहल रहथि। ओसब एहि तरहें कहैत छल, “यीशु नामस' जेकर प्रचार आ दाबी पौलुस करैत छथि, हम तोरा आज्ञा दैत छी बाहर निकलि जो।”14ओहि सबमेस' यहूदीसबहक मुख्य पुजारी स्कीवाक सातटा बेटासब सेहो छल जे एहन काज करैत छल।15मुदा एक दुष्टात्मा ओकरा जबाब देलक जे हम यीशुके जनैत छी, हम पौलुसके सेहो जनैत छी, मुद्दा तोंसब के छह?16तखने दुष्टात्मा लागल मनुष्य कुदिक' ओकरासबके पकड़िक' बजारि देलक आ ओकरासबपर प्रबल भ' क' मारए-पिटए लागल जाहिस' ओसब ओहि घरमेस' नंगटे आ घरस' जान बचाक' भागए पड़ल।17ई घटनाके विषयमे यहूदीसब, यूनानीसब आ इफिसुसमे रहनिहार सबलोक सुनलक आ सबके बुझल भ' गेल। जाहिस' सबमे प्रभुके प्रति डर, भय स' भरि गेल आ प्रभु यीशुके नाम प्रति सम्मान सेहो बहुत बढ़ि गेल।18बहुते प्रभुके विश्वासीसब आबिक' अपन अपन कएल गेल अधलाह काजके स्वीकार कएलनि आ मानि लेलक।19जादू-टोना करएबला बहुते लोक अपन पुस्तक के एकठाम आनि सबके सामनेमे जरा देलथिन। तखन ओसब ओकर मोल अनुमान लगएलक, आ जेकर मोल पचास हजार चानीके सिक्का बरोबरि होइत रहथि।20एहि तरहें प्रभुक वचन पसरैत आ सामर्थीरुपस' बढ़ैत गेलनि।21आब इफिसुसमे सेवाके काज कएलाक बाद पवित्र आत्मा पौलुसके प्रेरणा स' मकिदुनिया आ अखाया प्रान्त होइत यरूशलेम जएबाक निर्णय कएलनि; आ ओ कहलखिन, “ओत से हम रोम शहर सेहो जाएब।”22पौलुस दूगोटे तिमुथियुस आ इरास्तुस मकिदुनिया पठौलक जे हुनकर सेवा करैत छल, मुदा ओ किछु दिन आसिया प्रान्तमे रहि गेल।23एहि समयमे इफिसुस शहरमे प्रभुके मार्गके ल' क' बहुत बड़का खलबली मचि गेल।24देमेत्रियुस नामक एक सोनार, जे अरतिमिस देवीके मूर्ति बनबएके काज करैत छल, आ कारीगरसबके सेहो बहुत काज दिअबैत छल।25ओहि पेशास' सम्बन्धित आदमीसबके भीड़के ओ कहलकनि, महाशय, अहाँसबके बुझल अछि जे एहि व्यापारस' हमरासबहक कमाइ नीक होइत अछि।26अहाँसब देखैत आ सुनैत छी जे, इफिसी मे मात्रे नहि भ' क' लगभग पूरा आसियामे, पौलुस बहुत लोकसबके मना क' अपना दिस मोड़िलेने अछि। आ कहैत अछि जे हाथस' बनाओल गेल मूर्तिसब देवी देवता नहि अछि।27एहिस' अपनासबके व्यापार क मात्रे खतरा नहि, मुदा महान देवी अरतिमिसक मन्दिरके प्रतिष्ठामे सेहो आंच आबि जाएत। जाहिस' जेकरा पुरे आसिया आ सारा संसार पूजा करैत अछि ओकर महानता नाश भ' जाएत।28लोकसबके भीड़ देमेत्रियुस कहने बात जखन सुनलक त' क्रोधित भ' क' “इफिसी सबहक अरतिमिस देवी महान छथि।” से जोर-जोरस स' बाजए लागल।29समुचे नगरमे होहल्ला मचि गेल, आ ओसब एकजुट भ' क' गयुस आ अरिस्तर्खुसके, जे मकिदुनियास' छल, आ पौलुसके साथे यात्रामे छल, दुनूके पकड़िक' रंगशाला दिस ल' गेल।30पौलुस लोकसबके बीचमे जा' क' किछु कहए' चाहैत छलाह मुदा विश्वासीसब हुनका रोकि लेलनि।31रोमके आसिया प्रान्तके बड़का अधिकारीसब जे पौलुसके मित्र छलाह, ओसब सेहो हुनका रंगशालामे नहि जएबाक लेल आग्रह करैत सतर्क होबए सन्देश पठौलनि।32ओत' रंगशालामे केओ किछु बजैत छल त' केओ किछु, किएकत' ओत' भीड़मे बहुत हल्ला भ' रहल छल आ केओ की बजैत छल से नहि बुझाति छल। ओहिमेस' बहुत लोकसबके ईहो बुझल नहि छल की ओसब किएक जमा भेल अछि।33तखन भीड़मेस' किछु यहूदीसब सिकन्दरके आगु क' देलक, जेकरा यहूदीसब ओ अपन अगुवा बनएने छल। सिकन्दर अपन हाथ उठाक' भीड़के शान्त रहबाक इशारा करैत बचाबमे किछु बाजएके इच्छा कएलनि।34मुदा जखन भीड़के लोकसबके बुझएमे आएल जे ओ त' यहूदी अछि, ओसब एकहि स्वरमे करीब दू घण्टा धरि “इफिसीके अरतिमिस देवी महान छथि।” से नारा लगबैत रहि गेल।35नगरक हाकिम भीड़के शान्त करओलाक बाद कहए लगलाह, “यौ इफिसीके लोकसब, ई बात सबलोक जनैत अछि जे इफिसी नगर महान अरतिमिस देवीके मन्दिर आ स्वर्गस' खसल हुनकर मूर्तिके रक्षक अछि।36अहाँसब देखैत छी जे एहि बातक केओ नहि काटि सकैत अछि, अहाँसबके शान्त रहबाक चाही आ बिना सोंच-विचार कएने किछु नहि करबाक चाही।37अहाँसब एहन आदमीके पकड़िक' एत' लएने छी जे नहि त' मन्दिरके लुटेरा अछि, नहि त' अपनासबके देवीके अपमान कएने अछि।38एहिलेल जं' केकरो देमेत्रियुस स' आ ओकर संगी कारीगरसब स' कोनो उपराग छै त' अदालत खुला अछि आ ओत न्यायाधीशसब सेहो छथि। तें ओसब ओत' एक-दोसरपर अभियोग साबित करओ।39मुदा एहि बाहेक कोनो आन बात अछि त' ओहिके निर्णय नियमित सभास' कएल जाएत।40किएकत' आजुक एहि हुल-दङ्गाके दोष हमरासबहक उपर आबि सकए। किएकत' एहि हुल-दङ्गाके रोमी अधिकारीसब लग स्पष्टीकरण देबएलेल हमसब असमर्थ छी।”41एतेक बात कहिक' ओ सभाके विसर्जन क' देलकनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.