Acts18
1एहि सबहक बाद पौलुस एथेन्स छोड़िक' कोरिन्थ शहरमे चलि गेलाह।2ओत' हुनका पुन्तुस प्रदेशके मूल निवासी अक्विला नामक एकटा यहूदीस' भेट भेलनि जे हाले-सालमे अपन पत्नी प्रिस्किलाके संग इटली देशस' आएल छलाह, कारण रोमी सम्राट क्लौदियुस सब यहूदीके रोम शहर छोड़बाक आज्ञा देने छलाह। पौलुस हुनकासबलग गेलाह।3आ समान काज करबाक कारण हुनकासबहक संग रहैत छलाह आ संगे काज करैत छलाह, कारण ओसब तम्बू बनाबएबला काज करैत छलाह।4पौलुस सब विश्राम-दिन सभाघरमे मण्डली करैत छलाह। ओ यहूदी आ यूनानी दुनूके बुझएबाक प्रयास करैत छलाह।5मुदा जखन सिलास आ तिमुथियुस दुनू मकिदुनियास' कोरिन्थ शहर अएलाह तखन पौलुस वचनके प्रचारमे छलथि, यहूदीसबके गम्भीरतापूर्वक यीशु मसीह छथि से घोषणा करैत आ सिखबैत छलथि।6मुदा जखन यहूदीसब हुनकर विरोध आ अपमान कएलक त' पौलुस अपन वस्त्र झाड़िक' ओकरासबके कहलथिन, “अहाँसबहक लेहू अहीं सबहक माथपर पड़ए, एहिमे हम निर्दोष छी। आब स' हम आन जातिसब लग जाएब।”7तखन ओ ओत' स' विदा भ' तीतुस यूस्तुस नामक आदमीक घर गेलाह जे परमेश्वरक आराधना करैत छलाह। ओकर घर सभाघरके' बगलमे छल।8सभाघरके अधिकारी क्रिस्पुस आ हुनकर घरमे रहनिहारसब लोकक संग प्रभु पर विश्वास कएलनि। आ कोरिन्थके बहुते लोक पौलुसके बात सुनने छल, विश्वास कएलनि आ बपतिस्मा लेलनि।9तखन प्रभु पौलुसके एक राति दर्शनमे कहलथिन, “डेराउ नहि, मुदा, प्रचार करैत रहू आ चुप नहि रहू।10किएकत' हम अहाँक संग छी, आ अहाँपर केओ आक्रमण नहि करत, किएकत' एहि नगरमे हमर बहुत लोक अछि।”11पौलुस डेढ़ साल धरि ओतहि रहलाह आ हुनकासबहक बीच परमेश्वरक वचन सिखबैत रहलाह।12मुदा जखन गल्लियो अखाया प्रान्तके रोमी अधिकारी बनल तखन यहूदीसब पौलुसक विरुद्ध ठाढ़ भ' क' हुनका न्यायक आसनमे ल' गेलनि।13ओसब हुनकापर आरोप लगबैत कहलनि, “ई आदमी लोकसबके धर्म-नियमक विपरीत परमेश्वरक आराधना करबाक लेल सिखबैत अछि।”14जखन पौलुस बाजएबला छलाह तखन गल्लियो यहूदीसबके कहलनि, “हे यहूदीसब, जं ई कोनो अन्याय आ गम्भीर अपराधके बात रहैत त' अहाँसबहक बात सुननाइ उचित होइत15मुदा ईसब शब्द आ नाम आ अहाँसबहक अपन धर्म-नियमक विषयमे प्रश्न अछि, ताहिके लेल अहाँसब एकर निपटारा करु। हम एहि सबबातके लेल न्यायी नहि बनि चाहैत छी।”16एहिलेल गल्लियो ओकरासबके न्यायक आसनस' भगा देलकनि।17ओसब सभाघरके अधिकारी सोस्थिनेसके पकड़िक' न्यायक आसनक' आगुमे मारिपीट कएलक। मुदा गल्लियोक एहिमेस' कोनो बातके गम्भीरतास' नहि लेलनि।18आब पौलुस ओहि ठाम बहुत दिन रहलाके बाद भाइसबके छोड़ि जहाजस' सीरिया प्रान्त दिस प्रस्थान कएलनि आ प्रिस्किला आ अक्विला हुनकासंग सेहो छलनि। ओ किंख्रिया नगरमे अपन कबुलाके अनुसार माथके केश कटबा लेलनि।19जखन ओसब इफिसी शहर अएलाह तखन पौलुस, प्रिस्किला आ अक्विलाके ओतहि छोड़ि देलक, मुदा ओ सभाघरमे जा क' यहूदीसबहक संग धर्म विमर्श करए लगलनि।20जखन ओसब पौलुसके आओर कनिक दिन रहबाक लेल विनती कएलथि त' ओ मना क' देलथिन।21मुदा ओ हुनकासबस' विदा ल' क' कहलथिन, “जं परमेश्वरक इच्छा होनि त' हम फेरु अहाँसबलग घुरिक' आएब।” तखन ओ इफिसी स' जहाजस' विदा भ' गेलाह।22जखन पौलुस कैसरिया शहरमे उतरलाह आ यरूशलेमक मण्डलीके अभिवादन कएलनि आ फेरु अन्ताकिया चलि गेलाह।23ओत' किछु दिन बितओलाक बाद पौलुस ओत' स' विदा भ' क' गलातिया आ फ्रूगिया प्रदेशमे जा' क' सब चेलासबके हौसला बढ़ौलनि।24सिकन्दरिया शहरके निवासी अपुल्लोस नामक एक यहूदी इफिसी अएलाह। ओ पुरुष एक कुशल वक्ता आ धर्मशास्त्रमे पारंगत छलाह।25अपुल्लोसके प्रभुके मार्गपर शिक्षा देल गेल छलनि। आत्मामे उत्साहित रहबाक कारणे ओ यीशुक विषयमे सही बात बजैत आ सिखबैत छलाह, मुदा हुनका यूहन्नाक बपतिस्माक ज्ञान मात्रे छलनि।26अपुल्लोस सभाघरमे निर्भीकतापूर्वक बाजए' लगलाह। मुदा जखन प्रिस्किला आ अक्विला हुनकर बात सुनिक' हुनका अपन घर ल' गेलाह आ हुनका परमेश्वरक मार्ग आओर स्पष्टरुपस' बुझा देलथिन।27जखन ओ अखाया नगर जएबाक इच्छा रखलनि तखन विश्वासीसब हुनका प्रोत्साहित कएलनि आ अखायामे चेलासबके पत्र लिखक' हुनका स्वागत करए' कहलनि। जखन ओ ओत पहुंचलाह तखन ओ परमेश्वरके अनुग्रहस' विश्वास करएबला सबहक बहुत मदति कएलनि।28अपुल्लोस ओत अएलाके बाद, ओ सार्वजनिक बहसमे यहूदीसबके निरुत्तरित क' धर्मशास्त्र द्वारा यीशु मसीह छथि से प्रमाणित कएलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.