Acts15

1तेकरबाद, किछु लोक यहूदिया प्रान्तस' अन्ताकिया शहरमे आबिक' संगी विश्वासीसबके शिक्षा दैत कहलथिन, “जखनधरि मूसाक व्यवस्थाके अनुसार खतना नहि कएल जाएत, ताधरि अहाँसबहक उद्धार नहि भ' सकैत अछि।” 2एहिस' पौलुस आ बरनबासके हुनकासबहक संग बेसी मतभेद आ बहस भेलनि। तएं ओसब पौलुस आ बरनबासके अपनामे स' किछु भाइसबके संग यरूशलेम जा' क' एहि प्रश्नके विषयमे प्रेरितसब आ मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबस' भेटक' बात करबाक लेल नियुक्त कएलनि।3एहिलेल ओकरासबके मण्डलीद्वारा पठाओल गेल आ फीनिकी प्रान्त आ सामरिया प्रान्त भ' क' जाइत काल कोनाक' गैर-यहूदीसब प्रभुमे विश्वास कएलनि सुनौलनि। ई सुनि ओत के सब भाइ बहुत खुश भेल।4जखन ओसब यरूशलेम पहुंचलाह त' मण्डली आ प्रेरितसब आ मण्डलीके बूढ़-पुरानसब हुनकासबहक स्वागत कएलनि आ परमेश्वर हुनकासबहक संग कएल गेल सब काजके जानकारी ओसब प्रेरितसबके देलनि।5मुदा किछु विश्वास करएबला आदमीसब जे फरिसीसबके समूहक छल, से ठाढ़ भ' क' कहलकनि, “ओकरासबके खतना करए आ मूसाक व्यवस्था पालन करए लेल आज्ञा देबाक आवश्यक अछि।”6एहिलेल प्रेरित आ मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसब एहि विषयपर विचार-विमर्श करबाक लेल एकठाम जमा भेलाह।7बहुत रास घमर्थन भेलाक बाद पत्रुस ठाढ़ भ' हुनकासबके कहलथिन। “यौ संगी विश्वासीसब, अहाँसब जनैत छी जे बहुत दिन पहिने परमेश्वर अहाँसबहक बीचमेस' हमरा चुनलनि जाहिस' हमर मुंह स' गैर-यहूदीसब सुसमाचारक वचन सुनथि आ विश्वास करथि।8परमेश्वर, जे सबहक हृदयके विचार जनैत छथि, ओकरासबहक गवाही दैत छथि आ ओकरासबके पवित्र आत्मा दैत छथि, जेना ओ हमरासबके पवित्र आत्मा देलनि।9परमेश्वर अपनासब आ ओकरासबके बीचमे कोनो भेद नहि कएलनि, ओकरासबहक हृदयके विश्वासके द्वारा शुद्ध कएलनि।10आब अहाँसब परमेश्वरके किएक परीक्षा लैत छिऐ, चेलासबहक कान्हपर एहन भारी जुआ किएक लगबैत छी जे नहि हमरासबहक पूर्वज आ हमसब पालन करबाक लेल ओतेक बौकार नहि भ' सकलहुं?11मुदा हमरासबहक विश्वास अछि जे प्रभु यीशुक कृपास' हमरासबके उद्धार भेल, जेना ओकरा ओहिना अपनोसब उद्धार पोऔने छी।”12तखन सभाके सब चुप भ' गेलाह आ ओसब बरनबास आ पौलुसक ओहि चेन्ह आ चमत्कार सबहक काजक बात सुनैत रहलाह जे परमेश्वर हुनकासबहक द्वारा गैर-यहूदीसबके बीच कएलनि।13हुनकासबहक बात समाप्त कएलाक बाद याकूब उत्तर देलथिन, “यौ संगी विश्वासीसब, हमर बात सुनू।14सिमोन पत्रुस व्याख्यान कएलनि जे कोना परमेश्वर पहिने गैर-यहूदीसबपर दया क' क' ओकरासबके अपना नामके लेल अपन प्रजा बनओलथि।15प्रवक्तासबके वचन एहि बातस' मिलैत अछि, जेना शास्त्रमे लिखल अछि।16परमेश्वर कहैत छथि, ‘एहि सबहक बाद हम घुरिक' आएब, आ दाऊदक तम्बू जे खसि पड़ल अछि, फेरुस' बनाएब। हम ओकरा ढाहिक' खण्डहर भेल भागके फेरुस' फेरु: निर्माण करब आ ओकरा ठाढ़ करब। 17जाहिस' शेष लोकसब प्रभुके खोजि सकए, जाहिमे हमरा नामस' पुकारल गेल गैर-यहूदीसब सेहो अछि।’ प्रभु ई कहैत छथि जे ईसब काज कएने छथि18जे पहिनेस' ज्ञात अछि। 19याकूब आओर कहैत गेल जे एहिलेल, हमर निर्णय अछि जे हमसब गैर-यहूदीसबके कठिनाइ उत्पन्न नहि करी जे गैर-यहूदीसब परमेश्वरपर विश्वास करैत अछि।20मुदा हमसब ओकरासबके लिखित रुपमे पठाओल जाए जे मूर्तिपूजास', व्यभिचारस', गरदनि मसोरिक' मारल गेल जानबरके मासु आ लेहूस' अलग रहू।21पहिनेके पीढ़ीस' नगरक सब सभाघरमे मूसाके व्यवस्थाके प्रचार करएबला आदमीसब छै, आ सब विश्रामक दिन हुनकर वचनके पढ़ल जाए छै।”22तखन प्रेरितसब आ मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसब आ मण्डलीके सम्पूर्ण लोकसबके नीक लागल जे पौलुस आ बरनबासके संग हुनकासबमेस' चुनलनि आदमीसबके अन्ताकिया पठाओल जाए। तखन ओसब बरसब्बा नामक यहूदा आ सिलासके पठौलनि जे भाइसबके बीचमे प्रमुख छलाह।23ओसब ई बात अपन हाथस' एहि पत्रमे लिखक' पठौने छलाह: “प्रेरित आ मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसब, अहाँक भाइसबके दिसस' अन्ताकिया, सीरिया आ किलिकियामे रहल गैर-यहूदी भाइसबमे, अभिवादन!24हमरासबहक सुनएमे आएल जे किछु लोक हमरासबस' बाहर निकलल, आ हमरासबहक बिना कोनो आदेश, ओसब अहाँसबके एहन शिक्षास' परेशान कएने अछि जे अहाँसबके आत्माके हतोत्साहित करैत अछि।25ई बात भेलापर हमरासबके उचित लागल जे हमसबसंगे बैसिक' अपनासबके प्रिय बरनबास आ पौलुसक संग एहन आदमीसबके चुनिक' अहाँसबलग पठाबी,26जे हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहक नामक लेल अपन जीवन जोखिममे द' देने छथि।27एहिलेल हमसब यहूदा आ सिलासके पठा रहल छी जे ओसब सेहो अपने मुंहस' अहाँसबके ई बात कहताह।28पवित्र आत्मा आ हमरासबके ई उचित लागल जे हमसब एहि आवश्यक बातसब बाहेक पैघ भार अहाँसबपर नहि राखब।29जे अहाँसब मूर्तिसबके चढ़ाएल मासुस' अलग रहू, लेहू, गरदनि मसोरिक' मारल गेल वस्तुसबस' अलग रहू व्यभिचार से सेहो अलग रहू। एहिसबस' स्वयंके बीचक राखब त' नीक करब। बांकी सब शुभ।”30तखन ओ चुनल गेल चारु लोक विदा भेलाह आ अन्ताकियामे अएलाह। लोकसबके जमा क' क' ओसब पत्र हुनकासबके देलथिन।31मण्डलीके लोकसब ओकरा पढ़िक' ओसब प्रोत्साहन भ' गेलाह।32यहूदा आ सिलास दुनूगोटे स्वयं परमेश्वरक प्रचारक छलाह आ बहुत रास बातसबस' विश्वासी भाइसबके प्रोत्साहित कएलनि आ हुनकासबके विश्वासमे मजगूत कएलनि।33ओसब ओत' किछु सप्ताह समय बितओलाक बाद हुनकासबके शान्तिपूर्वक भाइसबके दिसस' पठाओल गेल लोकसबलग पठा देल गेलनि।34मुदा सिलासके ओतहि रहब उचित लागल।35मुदा पौलुस आ बरनबास अन्ताकियामे रहिक' प्रभुके सुसमाचार प्रचार करैत आ सिखबैत रहल।36मुदा किछु दिनक, बाद पौलुस बरनबासके कहलथिन जे आब चलू, आ जाहि नगरमे अपनासब प्रभुक वचन प्रचार कएने रही, ओतएके भाइसबके हाल समाचार पता करी।37बरनबास सेहो यूहन्नाके अपना संग ल' जएबाक इच्छा रखैत छलाह, जेकरा मरकुस कहल जाइत छल।38मुदा पौलुस मरकुसके अपना संग ल' जएबाक उचित नहि बुझलनि, जे हुनकासबके पंफूलियामे छोड़ि गेल छलाह आ बादक काजमे हुनकासबहक संग आगु नहि बढ़लाह।39तखन एक-दोसरस' मतभेद उत्पन्न भ' गेल जे दुनूगोटे एक-दोसरस' अलग भ' गेलाह आ बरनबास मरकुसके अपना संग ल' क' जहाजस' साइप्रस द्वीप चलि गेलाह।40मुदा पौलुस सिलासके छनौट क' क' चलि गेलाह, जखन की विश्वासी भाइसब हुनका प्रभुक कृपामे सोंपि विदा कएलनि।41तखन ओ सीरिया आ किलिकिया क्षेत्रमे जा' क' मण्डलीसबके विश्वासमे मजगूत बनौलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67