Acts14
1इकुनियुम शहरमे पौलुस आ बरनबास दुनूसंगे यहूदीसबहक सभाघरमे गेलाह आ एहि तरहें प्रचार कएलनि की यहूदी आ यूनानी दुनूके बहुत रास भीड़ विश्वासमे आएल।2मुदा जे यहूदीसब विश्वास नहि करैत छल, ओसब गैर-यहूदीसबके भड़का देलक आ ओकरा भाइसबके प्रति मन तीत क' देलक।3तएं पौलुस आ बरनबास बहुत दिन धरि ओतहि रहलाह, प्रभुक लेल निर्भीकतापूर्वक प्रचार करैत रहलाह, जखन केओ पौलुस आ बरनबासके हाथस' होबएबला चेन्ह आ चमत्कार काजसब क' क' अपन कृपाक सन्देशके सत्य ठहरौलनि।4मुदा इकुनियुम शहरक आदमी सबमे फुट भ' गेल आ किछु आदमी यहूदीसबहक पक्षमे भ' गेल, मुदा किछु लोकसब प्रेरित सबहक पक्षमे।5मुदा एखन गैर-यहूदी आ यहूदीसब अपन शासकसबके पौलुस आ बरनबासके संग दुर्व्यवहार आ पत्थल मारएके लेल मन बनएलक।6हुनकासबहक एहि बातके ज्ञात भ' गेल आ ओसब लुकाउनिया क्षेत्रके शहरसब, लुस्त्रा आ दरबे आ ओहिके लगपासक क्षेत्रमे भागि गेलाह।7जत' ओसब सुसमाचार प्रचार करैत रहलाह।8लुस्त्रा शहरमे एकटा आदमी रहैत छल, जे लोथ छल आ ओ मायक' पेटस' लोथे जन्मल छल, जे कहियो चलि बुलि नहि कएने छल।9ई आदमी पौलुसके प्रचार सुनलक। पौलुस ओकरापर नजरि गड़ाक देखलथि आ ओकरामे ठीक होएबाक विश्वास छनि से देखलनि।10तएं' ओ जोरस' कहलथिन, “अपन पयरपर सिधा ठाढ़ भ' जाउ।” तखने ओ आदमी छरपि क' एमहर-ओमहर चल' बुलि' लागल।11पौलुसक काज देखक' भीड़सब लुकाउनियाके भाषामे जोर-जोरस' कहए लागल, “मनुष्यक रुपमे हमरासबहक बीचमे देवता उतरि आएल छथि।”12ओसब बरनबासके “ज्यूस देवता”, आ पौलुसके “हिरमेस देवता” कहैत छल, कारण जे ओ प्रमुख प्रचारक छलाह ।13ज्यूसक पुजारी, जेकर मन्दिर शहरक ठीक बाहर छल, ओ आ भीड़सब मिलिक' बलि चढ़ाबके इच्छास' प्रवेशद्वारपर बैल आ फूलक माला ल' क' बलिदान करबाक लेल आएल।14मुदा जखन प्रेरितसब, बरनबास आ पौलुस ई बात सुनलनि त' ओसब अपन कपड़ा फाड़िक' भागिक' भीड़क बीच जा' क' जोरस' भीड़के' सम्बोधन कएलनि 15आ कहलथिन, “मनुष्य लोकनि, अहाँसब ईसब किएक क' रहल छी? हमहूंसब अहींसब जकां मनुष्य छी। हमसब अहाँसबके सुसमाचार सुनबैत छी जे अहाँसब एहि प्रकारक' बेकार बात सबके छोड़िक' आकाश, पृथ्वी, समुद्र आ ओहिमे रहनिहारसब जीवजन्तुके बनाबएबला जीवित परमेश्वर दिस घुमू आ विश्वास करु। 16प्राचीन समयमे परमेश्वर सब जातिके अपन अपन रीति अनुसार चलैत देलथिन।17मुदा तथापि, ओ अपना भलाइके काजक द्वारा मनुष्यक जातिके अपना विषयमे गवाही देनाइ नहि छोड़लनि, आ अहाँसबके स्वर्गस' वर्षा आ फलवन्त ऋतु देलनि, आ अहाँसबके भोजनस' तृप्त कएलनि आ हृदय आनन्दस' भरि देलनि।”18पौलुस आ बरनबास ई सबबात कहिक' भीड़के बलि देबएस' कठिनस' रोकलनि।19मुदा अन्ताकिया आ इकुनियुमक किछु यहूदीसब आबिक' भीड़के मना लेलक। तएं ओसब पौलुसके पत्थल मारलक आ मरि गेल कहिक' नगरस' बाहर घिसिआक ल' गेल।20जखन चेलासब हुनका चारुकात ठाढ़ भेल छलाह तखन ओ उठिक' नगरमे प्रवेश कएलनि। दोसर दिन पौलुस आ बरनबाससंगे दरबे चलि गेलाह।21ओहिके बाद बरनबास दुनूगोटे ओहि दरबे नगरमे सुसमाचार प्रचार कएलनि आ बहुते चेला बनौलनि, तखन ओसब लुस्त्रा, इकुनियुम आ अन्ताकिया घुरि अएलाह।22ओसब चेलासबहक आत्माके मजगूत करैत रहलाह आ हुनकासबके विश्वासमे आगु बढ़बाक लेल आग्रह करैत रहलाह, आ कहैत रहलाह, “हमरासबके परमेश्वरक राज्यमे प्रवेश करएलेल बहुते कष्ट सहए पड़त।”23जखन ओसब मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबके नियुक्त कएलनि आ उपास प्रार्थना कएलनि आ जिनका उपर विश्वास कएने छल हुनकासबके प्रभुके सोंपि देलनि।24तखन ओसब पिसिदिया क्षेत्रस' होएत पंफूलिया क्षेत्रमे अएलाह।25पर्गा नगरमे सुसमाचार प्रचार करैत ओसब अतालिया नगरमे अएलाह।26ओतएस' ओसब पानिक जहाजस' अन्ताकिया गेलाह, जत ओसब काजक' पूरा करए लेल परमेश्वरक कृपामे समर्पित कएल गेल छलाह।27जखन ओसब अन्ताकिया आबिक' मण्डलीके जमा कएलखिन, ओसब ओहे बातसब सुनौलथिन जे परमेश्वर हुनकासबहक संग कएने छलथि आ कोना ओ गैर-यहूदीसबके लेल विश्वासक दुआरि खोललनि।28अन्ताकियामे, ओसब बहुत दिन धरि चेलासबहक संग रहलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.