Acts16
1पौलुस दरबे आ लुस्त्रा नगरमे यात्रा करैत आबि गेलाह। ओतए तिमुथियुस नामक एकटा प्रभु यीशु मसीहमे विश्वासी छल, जे एकटा विश्वासी यहूदी स्त्रीके पुत्र छल। मुदा ओकर पिता यूनानी छलनि।2लुस्त्रा आ इकुनियुम रहनिहारसब विश्वासीसबके बीचमे नीक गवाहीके लेल प्रख्यात छलाह।3पौलुस अपने संग यात्रापर तिमुथियुसके ल' जाए' चाहैत छलाह; तएं ओहि ठामक यहूदीसबहक कारणे ओ ओकरा ल' क' खतना करएलनि, किएकत' ओसब जनैत छल जे ओकर पिता यहूदी नहि यूनानी अछि।4जखन पौलुस, सिलास आ तिमुथियुस नगरसबमे जाइत छलाह तखन ओसब ओकरासबके आज्ञा मानबाक निर्देश देलथिन जे यरूशलेममे रहनिहार प्रेरित आ मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसब द्वारा निर्णय कएल गेल छल।5एहि तरहें मण्डलीसब विश्वासमे मजगूत होइत गेल आ दिनपर दिन संख्यामे वृद्धि होइत गेल।6पौलुस आ ओकर संगीसब फ्रूगिया आ गलातिया प्रदेशमे भ' क' गेलाह, किएकत' पवित्र आत्माद्वारा आसिया प्रान्तमे वचन प्रचार करएस' मना कएल गेल छल।7जखन ओसब मीसिया क्षेत्र लग पहुंचलाह त' ओसब बितूनिया प्रान्त भ' क' जएबाक प्रयास कएलनि, मुदा यीशुक आत्मा हुनकासबके रोकि देलथिन8एहिस' मीसिया स' होइत ओसब त्रोआस नगरमे आबि गेलाह।9पौलुस रातिमे एकटा दर्शन देखलनि मकिदुनिया प्रान्तके एक आदमी ओतए ठाढ़ भ' क' हुनकास' विनती करैत कहैत छल, जे “हमरासबहक सहायता करबाक लेल मकिदुनिया आउ।”10तखन पौलुस दर्शन देखलनि त' तुरन्त हमसब मकिदुनिया जएबाक लेल तैयार भ' गेलहुं, ई निश्चिन्तता से जे परमेश्वर हमरासबके ओकरासबके सुसमाचार प्रचार करबाक लेल बजौने छथि।11तखन हमसब त्रोआस स' जहाज चढ़िक' सोझे समुत्रा द्वीप दिस बढ़लहुं आ दोसर दिन नियापुलिस शहरमे आबि गेलहुं।12ओतएस' हमसब फिलिप्पी शहरमे गेलहुं, जे रोमी उपनिवेशक मकिदुनिया जिलाक सबस' महत्वपूर्ण शहर अछि आ हमसब एहि शहरमे बहुत दिन धरि रहलहुं।13विश्राम-दिनमे हमसब नगरक' फाटकस' बाहर नदीक' कातमे गेलहुं, जत' हमसब सोंचलहुं जे प्रार्थनाक' स्थान होएत। तखन हमसब बैसिक' संगे आएल महिला सबसंगे बात कएलहुं।14थूआतीरा नगरक बैगनी रंगके विशेष कपड़ा व्यापारी लुदिया नामक परमेश्वरक आराधना करएबला एकटा स्त्री छलीह। प्रभु ओकर हृदय खोलि देलथिन आ ओ पौलुसक' कहल बातपर ध्यान देलथिन।15जखन लुदिया आ हुनकर घरक' लोकसब बपतिस्मा लेलनि तखन ओ हमरासबके आग्रह कएलनि, “जं अहाँसब हमरा प्रभुक प्रति विश्वासयोग्य मानैत छी त' हमरा घरमे आबिक' रहू।” आ ओ हमरासबके निर्णय लेब मना लेलीह।16एकदिन, जखन हमसब प्रार्थनाक स्थानपर जा रहल छलहुं त' एकटा दासी हमरासबके भेटल जेकरामे भविष्यवाणी करएबला दुष्टात्मा छल। आ ओ भविष्यवाणी स' अपन मालिकके बहुत कमाइ करबैत छल।17ई स्त्री पौलुस आ हमरासबहक पाछु-पाछु चलैत हल्ला क' क' कहलनि, “ईसब परमप्रधान परमेश्वरक सेवक छथि। ईसब अहाँसबके उद्धारक मार्गके प्रचार करैत छथि।”18ओ बहुत दिन धरि एहने काज करैत रहल। मुदा पौलुस ओकरास' बहुत खिसियाक' ओकरा दिस घुमिक' कहलथिन, “हम तोरा यीशु मसीहक नामस' आज्ञा दैत छी जे तों ओकरामेस' बाहर निकलि।” तखने ओ दुष्टात्मा ओकरामेस' तुरन्त बाहर निकलि गेल।19मुदा जखन ओकर मालिकसब देखलक जे आब ओकरासबके पाइ कमएबाक आशा खतम भ' गेलनि तएं' ओसब पौलुस आ सिलासके पकड़िक' अधिकारीसबके' लग बजारमे घिसिअबैत ल' गेल।20जखन ओसब ओकरासबके रोमी न्यायाधीशलग आनि कहलनि, “ईसब यहूदी छथि आ हमरासबहक नगरमे उपद्रव मचा रहल छथि।21ओसब एहन रीति-रिवाजक प्रचार करैत छथि जे हमरा रोमीसबके लेल स्वीकार करब वा पालन करब उचित नहि अछि।”22तखन भीड़सब पौलुस आ सिलासक विरोधमे भ' गेल आ रोमी न्यायाधीशसब हुनकासबहक वस्त्र फाड़िक' ओकरासबके लाठी मारबाक आज्ञा देलक।23ओसब ओकरासबके बहुत मारिपीट कएलाक बाद ओकरासबके जहलमे राखि देलक आ जहलके हाकिमके आज्ञा देलक जे ओसब ओकरासबके कड़ा सुरक्षामे राखब।24ई आज्ञा भेटलाक बाद जहलक हाकिम ओकरासबके भितरका जहलके कोठलीमे राखि देलक आ ओकरासबहक पयर हड़ीमे ठोकि देलक।25लगभग अधरतियामे पौलुस आ सिलास परमेश्वरक प्रार्थना आ भजन गाबि रहल छलाह आ आन कैदीसब ओकरासबके सुनैत छल।26अचानक एकटा बड़का भूकम्प भेल जाहिस' जहलके नओ धरि हिल गेल। तुरन्त केबाड़ी खुजि गेल आ कैदी सबहक झिझिरसब सेहो खुजि गेल।27तखन जहलके हाकिमके निन खुजि गेल आ जहलक दरबाजा खुजल देखलक। ओ स्वयंके मारएलेल तरुआरि निकालि लेलक, कारण ओकरा लागल जे कैदीसब भागि गेल।28मुदा पौलुस जोरस' सोर पारिक' कहलथिन, “स्वयंके कोनो नोक्सान नहि करु, किएकत' हमसब एत छी।”29ई सुनिते जहलके हाकिम इजोत मंगबाक' धरफाराइते भितर गेल आ डरस' कंपैत पौलुस आ सिलासक आगु ठेहुनियां रोपि देलक,30आ ओकरासबके बाहर आनिक' कहलनि, “यौ मालिक, हमरा उद्धार पाबएलेल की करबाक चाही?”31ओसब जबाब देलथिन, “प्रभु यीशुपर विश्वास करु, आ अहाँ उद्धार पाएब, अहाँ आ अहाँक' घरक लोक सेहो उद्धार पाबि जाएब।”32ओसब हुनकर घरक सब लोकके प्रभुके सुसमाचार सुनओलनि।33तखने ओहि रातिमे जहलके हाकिम हुनकासबके ल' जा क' हुनकासबहक घाव धो' देलक आ ओकर पूरा घरमे रहल लोकसब तुरन्ते बपतिस्मा लेलनि।34तखन ओ पौलुस आ सिलास दुनूगोटेके अपन घरमे आनि हुनकासबके भोजन करौलनि आ ओ अपन घरक लोकसबके संग बहुत आनन्दित भेल जे ओ परमेश्वरपर विश्वास कएलनि।35दोसर दिन, भोर भेलापर न्यायाधीशसब सिपाहीसबके खबरि पठौलनि जे, “ओहि लोकसबके छोड़ि दिऔ।”36जहलक हाकिम पौलुसके एहि बातक सूचना दैत कहलथिन, “न्यायाधीशसब हमरालग खबरि पठौलनि अछि जे अहाँसबके छोड़ि दी। आब बाहर आबि जाउ आ शान्तिस' जाउ।”37मुदा पौलुस न्यायाधीशके सिपाहीसबके कहलथिन, “हमसब रोमी नागरिक रहितो, ओसब हमरासबके बिना दोषके कोनो छानबिन कएने मारिपीट करौलनि। आ जहलमे बंद क' देलक, की आब ओसब हमरासबके चुपचाप निकाल' चाहैत अछि? नहि, आब ओसब अपने आबिक' हमरासबके बाहर निकालिक' ल' चलथि।”38तखन सिपाहीसब एहि बातसबके सूचना न्यायाधीशसबके देलथिन आ ई सुनि जे पौलुस आ सिलास रोमी छथि त' ओसब बहुत डेरा गेलाह।39तखन न्यायाधीशसब आबिक' हुनकासबस' माफी मांगिक' हुनकासबके शहरस' दूर जएबाक लेल विनती सेहो कएलनि।40पौलुस आ सिलास जहलस' बाहर निकलि लुदियाक' घर पहुंचलाह। पौलुस आ सिलास जखन विश्वासीसबके देखलनि त' ओसब हुनकासबके प्रोत्साहित कएलनि आ फेरु नगरस' विदा भ' गेली।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.