Acts13
1आब अन्ताकियाक' मण्डलीमे उपस्थित प्रवक्ता आ शिक्षकसब छलाह। ओ दुनू बरनबास आ सिमियोन जे करिआ कहबैत छल, आ कुरेन नगरके लूकियुस, दुनू मनेन हेरोदसंगे बढ़ल भाइ आ साउल छलाह।2एकदिन जखन ओ पांचो आदमी सब प्रभुके आराधना करैत छलाह आ उपास करैत छलाह तखन पवित्र आत्मा कहलथिन, “अहाँसब हमरालेल बरनबास आ साउलके ओहि सेवालेल अलग राखू जाहिलेल हम ओकरासबके बजौने छी।”3उपास आ प्रार्थना क' क' बरनबास आ साउलपर हाथ रखलाक बाद ओसब ओकरासबके विदा क' देलनि।4एहिस' बरनबास आ साउल पवित्र आत्माद्वारा पठाओल गेल सिलूकिया नगरमे गेलाह। ओतएस' ओसब पानि जहाजस' साइप्रस द्वीप गेलाह।5जखन ओसब सलामिस नगरमे छलाह तखन ओसब यहूदीसबहक सभाघरमे परमेश्वरक वचनके प्रचार कएलनि। हुनकासबहक' सहायता करए लेल मरकुस यूहन्ना हुनकर सेवक सेहो छलनि।6जखन ओसब पूरा टापू भ्रमण करैत पाफुस नगर पहुंचलाह त' हुनकासबके एकटा यहूदी जादूगर, झुट्ठा प्रवक्ता, जेकर नाम बार-यीशु छल, ओ भेटलनि।7ई जादूगरके सम्बन्ध ओहि द्वीपके राज्यपाल सिरगियुस पौलुसस' छल, जे एकटा बुद्धियार आदमी छलनि। ओ बरनबास आ साउलके बजा लेलक, कारण ओ परमेश्वरक वचन सुनए चाहैत छल।8मुदा एलिमास “जादूगर” (कारण ओकर नामक यूनानी अनुवाद एहने होइत अछि), ओ राज्यपालके' विश्वास करएस' मोड़बाक प्रयास कएलापर विरोधके सामना करए पड़ल।9मुदा पवित्र आत्मास' भरि साउल, जेकरा पौलुस सेहो कहल जाइत अछि, ओकरा दिस एकटक लगाक' तकैत कहलकनि,10“तों, शैतानक बेटा, तोंसब प्रकारक छल आ सब प्रकारक दुष्टतास' भरल छह। तोंसब प्रकारक धार्मिकताक' दुश्मन छह। प्रभुक सोझ मार्गके टेंढ़ बनबएके काज कहियो नहि छोड़बै?11आब देख, प्रभुके हाथ तोरा विरोधमे उठल अछि, आ तों तुरन्ते आन्हर भ' जाएब। किछु कालधरि सूर्यके प्रकाश नहि देखबे।” तुरन्ते एलिमासक आगु धोन्हि पड़ि गेल आ आन्हर भ' गेल, आ ओ चारुभर हथोड़ए लागल जे लोकसबके हाथ पकड़िली आ ओतस' ल' जाए।12जे घटना घटल छल ओहिके देखलाक बाद राज्यपाल विश्वास कएलनि, किएकत' ओ प्रभुक विषयमे शिक्षास' आश्चर्यचकित भ' गेलाह।13आब पौलुस आ हुनकर संगीसब पाफुस स' पानि जहाजस' पंफूलिया क्षेत्रके पर्गा नगरमे आबि गेलाह। मुदा यूहन्ना-मरकुस हुनकासबके छोड़ि यरूशलेम घुरि गेलाह।14मुदा पौलुस आ हुनकर संगीसब पर्गा नगरस' यात्रा क' पिसिदिया क्षेत्रके अन्ताकियामे पहुंचलाह। ओसब ओत' विश्राम-दिनमे सभाघरमे जा' क' बैसि गेलाह।15व्यवस्था आ प्रवक्तासबके पढ़लाक बाद सभाघरके अधिकारीसब हुनकासबके सन्देश पठौलनि, “यौ भाइसब, जं अहाँसबलग एतेक आदमीसबके लेल किछु प्रोत्साहनक वचन अछि त' कहूं।”16तखन पौलुस ठाढ़ भ' क' हाथस' इशारा कएलनि। ओ कहलनि, “इजराएलीसब आ अहाँसब जे परमेश्वरके आदर करैत छी, हमर सुनू!17एहिलेल आदमीसबके परमेश्वर इजराएली हमरासबहक पूर्वजसबके चुनलनि आ मिस्र देशमे रहल तखन ओकरासबहक संख्यामे बहुत महान बनौलनि आ ओकरासबके अपन सामर्थी बांहिस' ओत' स' बाहर निकालि लेलनि।18लगभग चालीस वर्ष धरि ओ निर्जन स्थानमे हुनकासबके व्यवहार सहन कएलनि।19कनान देशमे सात जातिके नाश कएलाक बाद ओ हमरासबहक पूर्वज लोकके ओ भूमि उत्तराधिकारमे द' देलथिन।20लगभग 450 सालमे ई सबटा घटना घटल छल। परमेश्वर हुनकासबके तहियास' ल' क' शमूएल प्रवक्ता धरि न्यायाधीशसब देलथिन।21ओहिके बाद आदमीसब राजाके मांग कएलनि आ परमेश्वर ओकरासबके कीशक पुत्र साउलके जे बिन्यामीन कुलके छलथि 40 वर्ष धरि लेल देलथिन। 22परमेश्वर हुनका हटा देलाके बाद दाऊदके ओकरासबहक राजा बना देलथिन। दाऊदके विषयमे परमेश्वर गवाही दैत' कहलथिन, ‘यिशयके बेटा दाऊद जे हमर मन मुताबिक आदमी अछि, जे हमर सब इच्छाके पालन करताह।’”23“एहि आदमीक' सन्तानमे स' परमेश्वर अपन प्रतिज्ञा अनुसार इजराएलक लेल एकटा उद्धारकर्ता, यीशुके अनने छथि।24यीशुक आबएस' पहिने यूहन्ना सब इजराएलीसब आदमीके पश्चातापक बपतिस्माक घोषणा कएलनि।25जखन यूहन्ना अपन काज समाप्त क' रहल छलाह तखन ओ लोकसबके पुछलनि, ‘अहाँसब हमरा की बुझति छी? हम ओ नहि छी। मुदा सुनू, हमरा बाद एकटा एतेक महान व्यक्ति आबि रहल अछि, जिनकर सेवक होएबाक योग्य हम नहि छी जे हुनकर पयरके जुता खोलि सकी।’”26यौ भाइसब, अब्राहमके वंशके सन्तानसब आ परमेश्वरक भय मानैत छी से सब आदमी, हमरासबहक लेल एहि उद्धारके सन्देश पठाओल गेल अछि।27किएकत' जे यरूशलेममे रहनिहार आ ओकर शासकसब हुनका नहि चिन्हैत छलनि आ हुनका दोषी सेहो ठहरबैत, प्रवक्तासब कहल बातके पूरा कएलनि जे सब विश्राम-दिनमे पढ़ल जाइत अछि।28बिना प्रमाणके ओसब पिलातुसके मारबाक लेल कहलनि।29ओसब हुनका विषयमे शास्त्रमे लिखल सब बात पूरा क' क' हुनका क्रूसपरस' उतारिक' कबरमे राखि देलकनि।30मुदा परमेश्वर हुनका मरलमेस' जीवित क' देलथिन।31हुनकासंग गलीलस' यरूशलेममे आबएबला आदमी हुनका बहुत दिन धरि देखैत रहलाह। ओएह आदमीसब आब जनताक आगु हुनकर गवाह बनि गेल अछि।32एहिलेल हमसब अहाँसबके ई सुसमाचार सुनबैत छी जे परमेश्वर हमरासबहक पूर्वजसबके वचन देने छलथि।33किएकत' परमेश्वर यीशुके जिआक' अपनासब आ अपनासबके सन्तानसबके लेल कएल गेल प्रतिज्ञा पूरा कएलनि। जेना जे दोसर भजनमे सेहो लिखल अछि:“अहाँ हमर पुत्र छी, आइ हम अहाँके जनमौने छी। ”34जे ओ हुनका मृत्युस' जिआ देलनि जाहिस' हुनकर शरीर कहियो नहि सड़ए, परमेश्वर एहि तरहें बजने अछि:“हम अहाँसबके दाऊदस' प्रतिज्ञा कएल गेल पवित्र आ विश्वासपूर्वक आशीर्वाद देब। 35
किएकत' ओ दोसर भजनमे सेहो कहैत छथि जे अहाँ अपन पवित्र जन के नहि सड़ए देब।”36
किएकत' दाऊद जखन अपने पीढ़ीमे परमेश्वरक इच्छा मुताबिक सेवा कएलनि आ ओ मरि गेलाह आ ओ अपन पूर्वजसबके कबरके लगमे गाड़ल गेलाह आ हुनकर शरीर सड़ि गेलनि। 37
मुदा परमेश्वर यीशुके मृत्युस' जीवित कएलखिन, हुनकर शरीर नहि सड़ल।38एहि कारणे, यौ भाइसब, अहाँसब ई बुझए लिअ जे एहि आदमीके माध्यमस' अहाँसब पापक क्षमा होएत आ मूसाक व्यवस्थाके द्वारा निर्दोष नहि ठहराओल जा' सकएबला ओसब चिज स' अहाँके छुटकारा होएत।39जे केओ विश्वास करत से' हुनकाद्वारा निर्दोष ठहराओल जाएत।40एहिस' सावधान रहू नहि त' प्रवक्तासब जे बात कहने छलाह से अहाँसबपर नहि लागू होएत:41“हे तिरस्कार करएबला आदमीसब, देखू, आ आश्चर्यचकित भ' क' नाश भ' जाउ। किएकत' हम अहाँक समयमे एकटा काज क' रहल छी, एहन काज जे जाहिके विषयमे अहाँसब कहियो विश्वास नहि करब, भलेहि केओ अहाँके एकर विषयमे बताबए।” 42जखन ओसब जा रहल छलनि तखन ओसब हुनकास' निहोरा कएलनि जे अगिला विश्राम-दिनमे ई सब बात हुनकासबके कहथिन।43सभाघरके आराधना समाप्त भेलापर बहुते यहूदी आ यहूदी मत मानएबला आन जातिके आदमीसब पौलुस आ बरनबासके' पाछु-पाछु चलए लगलाह। आ ओसब ओकरासबके मना लेलनि जे परमेश्वरक अनुग्रहमे सदिखन रहू से आग्रह कएलनि44तखन दोसर विश्राम-दिनमे प्रभुक वचन सुनबाक लेल करीब सौंसे नगरक आदमी जुटि गेल।45मुदा यहूदीसब आदमीसबके देख ईर्ष्यास' भरि गेल आ पौलुसक कहल बातसबके विरोधमे बाजिक' हुनकर अपमान कएलक।46मुदा पौलुस आ बरनबास निडर भ' क' ओकरासबके कहलथिन, “पहिने अहाँसबके परमेश्वरक वचन कहल जाए। अहाँसब एकरा अपनास' दूरक' क' अनन्त जीवनक अयोग्य बनालेली, देखू, आब हमसब गैर-यहूदीसबके दिस वचन प्रचार करएलेल जाइत छी।47एहिस' प्रभु हमरासबके आज्ञा दैत कहलथिन, ‘हम अहाँसबके गैर-यहूदीसबके लेल इजोतक रुपमे राखि देने छी, जे अहाँसब पृथ्वीक अन्तिम भाग धरि उद्धार आनब।’” 48जखन गैर-यहूदीसब ई बात सुनलक त' ओसब प्रसन्न भेलाह आ प्रभुक वचनके स्तुति कएलनि। जे सब अनन्त जीवनक लेल ठहराओल गेल छल, से विश्वास कएलक।49एहि तरहें प्रभुक वचन समस्त प्रदेशमे पसरैत गेल।50मुदा यहूदीसब नगरक आराधना करएबाली स्त्रीसबके नगरक प्रमुख आदमीसबके पौलुस आ बरनबासके विरुद्धमे भड़का देलक। आ हुनकासबके ओहि नगरक सीमास' बाहर भगा देलकनि।51मुदा पौलुस आ बरनबास ओकरासबहक विरुद्धमे पयरक गरदा झाड़ि देलनि। तखन ओसब अन्ताकिया शहरके छोड़िक' इकुनियुम नगरमे आबि गेलाह।52अन्ताकियाक विश्वासीसब खुशी भ' क' आ पवित्र आत्मास' भरि गेलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.