Acts12

1ओहि समयमे राजा हेरोद अग्रिप्पा मण्डलीके किछु विश्वासीसबके जहलमे राखिक' सतावट शुरु कएलकनि जाहिस' ओ ओकरासबहक संग अत्याचार करए लगलनि।2ओ यूहन्नाके भैया याकूबके तरुआरिस मारि देलनि3ई देखलक बाद जे एहि बातस यहूदी अगुवासब खुशी अछि, त' ओसब पत्रुसके सेहो पकड़ि लेलनि। ईसब अखमीरी रोटीके पवनिक दिनमे भेल छल।4पकड़लाक बाद ओकरा जहलमे राखि देलक, ओकरा पहरा देब लेल चारिटा सैनिकक दलके जिम्मा देलक; जाहिस' फसहके पर्वके बाद हुनका लोकसबके बीच अपन न्याय करएलेल लाबि सकए।5तएं पत्रुसके जहलमे राखल गेल, मुदा मण्डली हुनकालेल परमेश्वरस' बड़ जोरस' प्रार्थना क' रहल छलनि।6आब हेरोद हुनका जहलस' बाहर आनए स' पहिनुका रातिमे पत्रुस दूटा झिझिरस' बान्हल दूटा सिपाहीक बीच सुतल छलनि, दरबाजापर सेहो पहरदार सब नजरि राखि रहल छल।7एकाएक प्रभुक एकटा स्वर्गदूत हुनकालग देखाइ देलक आ जहलक' कोठलीमे इजोत भ' गेल। ओ पत्रुसके पजरामे मारिक' सुतल स' उठएलनि, “जल्दी उठू” आ हुनकर झिझिर हुनका हाथस' खुजिक' खसि पड़ल।8तखन स्वर्गदूत हुनका कहलनि, “अपन कपड़ा सम्हारु आ चप्पल पहिरू।” तएं पत्रुस ओहिना कएलनि। स्वर्गदूत हुनका कहलथिन, “अपन उपरका कपड़ा पहिरक' हमरा पाछु आउ।”9तखन पत्रुस स्वर्गदूतके पाछु-पाछु ओतएस' निकलि गेलाह। मुदा ओकरा ई नहि बुझल छलनि जे स्वर्गदूतद्वारा जे काज कएल गेल छल से वास्तविक अछि। किएकत' ओकरा लगैत छल जे ओ कोनो दर्शन देख रहल अछि।10पहिन आ दोसर सुरक्षा घेरा पार कएलाक बाद, ओसब लोहाके दरबाजा लग आएल जे नगर दिस जाइत छल; ओ दरबाजा अपनेस' खुजि गेल। तखन ओसब बाहर निकलिक' एकटा गलीमे आगु बढ़ैत गेलाह आ स्वर्गदूत अचानक बिला गेलनि।11पत्रुसके जखन महसूस भेल जे की भेल छल त' ओ स्वयंके कहलथिन, “आब हमरा निश्चय बुझा रहल अछि जे प्रभु अपन स्वर्गदूत पठाक' हमरा हेरोदके हाथस' आ यहूदी अगुवासब जे चाहैत छल ओहिस बचा लेलनि।”12जखन हुनका ई बात बुझलनि तखन ओ यूहन्नाक माय मरियमक घर गेलाह, जेकरा मरकुस सेहो कहल जाइत छल, जत' बहुत लोक जमा भ' क' प्रार्थना क' रहल छल।13जखन ओ दरबाजा खटखटौलनि त' रोदा नामक एकटा दासी दरबाजा खोलएलेल आएल14जखन ओ पत्रुसक' आवाज चिन्हलीह त' खुशीके मारए ओ दरबाजा खोलने बिना दौड़क भितर आबिक' कहलनि जे, पत्रुस चौकठिपर ठाढ़ अछि।15एहि बातपर ओसब ओकरा कहलकनि, “अहाँ बताह छी।” मुदा बहुत जोर द' क' बजैत रहल जे ओएह अछि। तखन ओसब कहलनि, “ई हुनकर स्वर्गदूत होएत।”16मुदा पत्रुस केबाड़ी खटखटबैत रहलाह आ ओसब दरबाजा खोलिक' हुनका देख आश्चर्यचकित भ' गेलाह।17तखन पत्रुस हुनकासबके हाथस' चुप रहबाक इशारा कएलनि आ ओ हुनकासबके कहलथिन जे प्रभु हुनका कोना जहलस' बाहर निकालि देलनि। ओ कहलनि, “ई बात याकूब आ संगी विश्वासीसबके कहि देबनि।” तखन ओ ओतएस' विदा भ' क' दोसर ठाम चलि गेलाह।18दोसर दिन अनगुतिए सिपाहीसबके बीचमे बड़का खलबली मचि गेल जे पत्रुस संग की भेल।19हेरोद हुनका खोजि कएलक आ नहि भेटलाक बाद पत्रुसके सुरक्षामे रहल सिपाहीसबस' जांचबूझ कएलनि आ ओकरासबके मारबाक आदेश देलनि। आ ओ यहूदिया प्रान्तस' कैसरिया शहर जा' क' ओतहि रहए लगलाह।20ओहि दिनसबमे, हेरोद सूर आ सीदोनक' आदमीसबपर बहुत पीताएल छलाह। तएं ओसब मिलक' हुनकालग भेटएलेल हुनकर कक्षमे गेलाह। ओसब राजाक सहायक ब्लास्तुस्तके हारि-गुहारि क' मदति करबाक लेल मना लेलक। तखन ओसब मेल-मिलाप करबाक लेल प्रस्ताव कएलक, कारण छल जे ओकरासबहक अनाज राजा हेरोदके देशस' भेटैत छलनि। 21राजा हेरोदद्वारा चुनल गेल एकटा दिन अएलापर हेरोद अपन राजकीय वस्त्र पहिरक' सिंहासनपर बैसल आ सार्वजनिक भाषण देलनि।22भाषण सुनि ओत' जनता सब जोर-जोरस स' कहिते के कहिते रहि गेल जे ई त' मनुष्यके नहि ईश्वरक' बोली अछि।23तुरन्ते प्रभुके स्वर्गदूत हुनका बेमार क' देलथिन, किएकत' ओ परमेश्वरक प्रशंसा नहि कएलनि आ ओकरा शरीरमे कीड़ा फड़ि क' मरि गेल। 24मुदा परमेश्वरक वचन पसरैत गेल आ आदमी सबमे प्रभाव बढ़ैत गेल।25आब जखन बरनबास आ साउल अपन सेवाके काज पूरा क' क' ओसब यरूशलेमस' अन्ताकिया शहर अबैत काल अपने संग यूहन्ना, जेकरा मरकुस सेहो कहल जाइत छल ओकरा ल' क' आबि गेलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67