Acts11

1आब यहूदियामे रहनिहार प्रेरितसब आ आओर विश्वासी भाइसब जखन ई बात सुनलनि जे आन जातिसब परमेश्वरके वचन ग्रहण कएलक।2आब जखन पत्रुस यरूशलेम घुरिक' अएलाह तखन यहूदीमेस' प्रभुके विश्वास कएने लोकसब जे खतना कएने रहए, ओ हुनकास' विवाद कएलनि;3ओसब कहलथिन, “अहाँसब खतनारहित लोकक संग संगति करैत छलहुं आ ओकरासबहक संग भोजन करैत छलहुं!”4मुदा पत्रुस ओकरासबके एहि विषयके विस्तारस' कहए लगलाह; ओ कहलनि,5“हम याफा नगरमे प्रार्थना करैत काल, दर्शनमे हम देखलहुं जे स्वर्गस' एकटा चदरि जकां वस्तु नीचा उतरि रहल अछि। आ ओ हमरा सोझामे उतरिगेल।6हम एकटक तकैत रहि गेलीह आ सोंचमे पड़ी गेलीह। धरतीक चारि टांगबला जानबर, जंगली जानबर, रेंगएबला जानबर आ आकाशके चिड़ैसबके हम देखली।7तखन हम एकटा आवाज सेहो सुनलीह जे हमरा कहैत छल, ‘पत्रुस; उठू, मारिक' खाउ!’8मुदा हम कहलिऐ, ‘नहि प्रभु; किएकत' हमरा मुंहमे कहियो कोनो अशुद्ध भोजन आ अपवित्र वस्तु नहि पड़ल अछि।’9मुदा ओ आवाज स्वर्ग दिसस' दोसर बेर उत्तर देलक, ‘परमेश्वर जेकरा शुद्ध कएने छथि, तेकरा अशुद्ध नहि कहियौ।’10आ ओहि तरहें तीनबेर भेल, आ हमरा लगस' सब किछु फेरुस' स्वर्गमे उपर ल' गेल।11देखू, तखने ओहि घरके आगुमे तीन आदमी ठाढ़ छलनि जत हमसब ठहरल छलीह। जे कैसरिया शहरस' हमरालग पठाओल गेल छल।12पवित्र आत्मा हमरा बिना कोनो दुबिधाके ओकरासबहक संग जाएलेल आज्ञा देलनि ई छह संगी-विश्वासी भाइसब सेहो हमरासंग गेलथि, आ हमसब कुरनेलियुस नामके ओहि आदमीक' घरमे भितर गेलहुं।13तखन कुरनेलियुस हमरासबके कहलनि जे कोना ओ स्वर्गदूतके अपन घरमे ठाढ़ देखलनि जे कहैत छलथि जे याफा नगरमे आदमीसबके पठाक' पत्रुस कहल जाएबला सिमोनके बजाउ।14ओ अहाँस' एहन बात बाजत जे अहाँके उद्धार करत। अहाँ आ अहाँके समस्त घर-परिवार।15मुदा जखन हम प्रचार करएके शुरु कएलहुं, पवित्र आत्मा ओकरासबपर आएल जेना पेन्तेकुस्तके दिनमे अपनासबपर आएल छलथि।16तखने हमरा प्रभुक' वचन मन पड़ल जे कोना प्रभु कहने छलथि, ‘यूहन्ना सचमुच पानिस' बपतिस्मा देलनि। मुदा अहाँसबहक बपतिस्मा पवित्र आत्मास होएत।’17तखन परमेश्वर ओकरासबके ओएह वरदान देलथिन जेना हमसब प्रभु यीशु मसीहपर विश्वास करैत काल हमरासबके सेहो देने छलथि, त' परमेश्वरके काजक विरोध करएबला हम के छी?”18ई बात सुनिक' पत्रुसके आलोचना करएबलासब प्रतिक्रियामे किछु नहि बाजल, मुदा परमेश्वरक स्तुति करैत कहलकनि, “तखन परमेश्वर गैर-यहूदीसबके सेहो जीवनक लेल पश्चाताप द' देलनि।”19स्तिफनुसके मृत्युके बाद, शुरु भेल सतावके कारणे, फीनिकी प्रान्त, साइप्रस द्वीप आ अन्ताकिया प्रान्तधरि पसरल जे सब छल ओसब यहूदीसबके छोड़ि आन दोसर केकरोस' सुसमाचारक बात नहि बतबैत छलाह।20मुदा ओहिमेस' किछु विश्वासीसब साइप्रस द्वीप आ कुरेन नगरके छलाह जे अन्ताकिया शहरमे आबिक' यूनानी सबस' सेहो बात करैत छलाह आ प्रभु यीशुक विषयमे सुसमाचार प्रचार करैत छलाह।21प्रभुक हाथके सामर्थ्य ओकरासबहक संग छलनि। बहुते लोक विश्वासक' क' प्रभु दिस घुमि गेल।22ई खबरि यरूशलेममे रहल मण्डलीके कानमे पहुंचल, ओसब बरनबासके अन्ताकिया शहर पठा देलनि।23जखन ओ पहुंचल त' परमेश्वरक अनुग्रह देखक' बड़ खुशी भेलाह। आ ओकरासबके पूरा मनस' प्रभुक विश्वासमे रहबाक लेल आग्रह कएलनि।24किएकत' ओ नीक, पवित्र आत्मा आ विश्वासस' भरल छलाह। बहुते आदमीसब प्रभुमे बढ़ल।25बरनबास साउलके ताकएलेल तरसुस शहरमे गेलाह।26जखन ओ हुनका भेटलनि, ओ हुनका अन्ताकिया ल' गेलाह। तएं पूरा साल धरि ओसब मण्डलीके आदमी संग जमा भ' बहुते आदमीके सिखबैत रहलाह। आब चेलासबके पहिने बेर अन्ताकियामे “मसीही” कहल गेल।27एहि दिनमे किछु प्रवक्ता यरूशलेमस' अन्ताकियामे आएल।28ओहिमेस' एकगोटे अगबुस नामक एक व्यक्ति उठिक' पूरा संसारमे बहुत बड़का अकाल पड़एबला अछि से बात पवित्र आत्माके द्वारा कहलनि। ई बात रोमी सम्राट क्लौदियुसक समयमे भेल छल।29एहिलेल, विश्वासीसब अपन क्षमता अनुसार यहूदियामे रहनिहार चेलासबके सेवाके लेल सहायता पठाबके निर्णय कएलनि।30ओसब ई भेटी उठाबएके काज कएलनि। ओसब बरनबास आ साउलके हाथस' यरूशलेम शहरके मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबलग पाइ पठौलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67