2 Timothy3

1ई जानि लिअ, जे अन्तके दिनमे कठिन समयसब आओत।2किएकत' लोक आत्म-प्रेमी होएत, धन-प्रेमी, घमण्डी, अभिमानी, परमेश्वरके निन्दा करएबला, माय-बाबूके अवज्ञाकारी, अकृतज्ञ, अपवित्र,3प्रेमहीन, मिलाप नहि करएबला, निन्दा करएबला, असंयमी, हिंसक, नीक प्रेम करएबला नहि4विश्वासघाती, लापरवाह, घमण्डी, परमेश्वरस' प्रेम करएके उनटा सुख-विलासके प्रेमी,5भक्तिके रुप धारण करत, मुदा ओकर सामर्थ्यके नकारत। आ एहन लोकसबस' हटिक' रहू।6किएकत' ओकरासबमेस' ओहेसब अछि जे घरसबमे प्रवेश करैत अछि आ मूर्ख स्त्रीसबके मोहि लैत अछि जे पापसबके वशमे अछि, अलग इच्छासबके अगुवाइ द्वारा,7ई स्त्रीसब सबदिन सिखते रहैत अछि, मुदा सत्यके ज्ञानधरि कहियो नहि पहुंचैत अछि।8आ जेना यन्नेस आ यम्ब्रेस जे मूसाके विरोध कएलकनि, ओहिना ई झुट्ठा शिक्षकसब सेहो सत्यके विरोध करैत अछि, आ जाहि पुरुषके मन भ्रष्ट अछि, विश्वासके सम्बन्धमे अयोग्य अछि। 9मुदा ओसब आओर आगु नहि बढ़त, किएकत' ओकरासबके मूर्खइ सबगोटेमे प्रगट होएत, ओहिना ओकरोसबके जे ओहन बनि गेल अछि।10मुदा अहाँ हमर शिक्षाके पाछु चलल छी, आ चालि-चलनि, उदेश्य, विश्वास, धैर्य, प्रेम, सहनशीलता,11सतावसब, आ दुखसब जे हमरासंगे अन्ताकिया शहरमे भेल छल, इकुनियुम शहरमे, लुस्त्रा शहरमे; हम कोना सतावटके सहली। मुदा प्रभु हमरा ओहिसबस' छोड़एलथि। 12आ सांच्चेके ओसब जे मसीह यीशुमे भक्तिस' जीवन जिअ चाहैत अछि सताओल जाएत।13आ अधलाह लोक आ बहुरुपिया आओर अधलाह होइत जाएत, धोखा दैत आ धोखा खाएत।14अहाँ, तथापि, जे किछु सिखने छी ओहिमे बनल रहू आ स्मरण राखू, ई बुझति जे अहाँ ईसब केकरास' सिखली,15आ बचपनेस' अहाँ पवित्र शास्त्रके जनने छी, जे अहाँके ओहि विश्वासके द्वारा जे मसीह यीशुमे अछि, उद्धारके लेल बुद्धिमान बना सकैत अछि।16सब पवित्र शास्त्र परमेश्वर-श्वासित अछि आ सिखाबएलेल, डांटएलेल, आ सुधार करएलेल, आ धार्मिकतामे तालीम देबएलेल लाभदायक अछि,17जाहिस' परमेश्वरके लोक निपुण भ' जाइक, आ सबटा नीक काजके लेल सुसज्जित भ' जाइक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67