2 थिसलुनिका3

1अन्तमे, यौ संगी-विश्वासी भाइ बहिनसब, हमरालेल प्रार्थना करु जाहिस' प्रभुके आओर सुनएबलामे वचन पहुंचए आ आदर पाबए, जेना अहूं संग भेल,2जाहिस' हम विकृत आ अधलाह लोकस' परमेश्वर अपनासबके बचौथिन, सबकेओ लग विश्वास नहि अछि किएकत' सबकेओ मसीहके सन्देशपर विश्वास नहि करैत अछि।3मुदा प्रभु विश्वासयोग्य अछि, जे अहाँके दृढ़ करत आ ओहि दुष्टस ' सुरक्षित राखत।4हमरो प्रभुमे अहाँपर भरोसा अछि जे अहाँक' रहल छी आ जे करब ओ ओएह बात अछि जेकर आज्ञा हम देली।5आब प्रभु अहाँसबके हृदयके परमेश्वरक प्रेम आ मसीहक धैर्य दिस निर्देशित करथि।6आब, संगी-विश्वासी भाइ-बहिनसब हम अहाँसबके अपन प्रभु यीशु मसीहक नामस' आज्ञा दैत छी, जे अहाँसब जे कोनो भाइ अव्यवस्थित तरीकास' व्यवहार करैत अछि, आ ओहि शिक्षाके जे हमरास प्राप्त कएने अनुसार नहि चलैत अछि जे अहाँ हमरास' पौलीह।7किएकत' अहाँसब स्वयं जनैत छी जे हमरासबके पाछु चलल कोना उचित अछि, किएकत' हमसब अहाँसबहक बीच अव्यवस्थित जेना व्यवहार नहि कएलहुं,8आ नहि हम केकरो रोटी मंगनिएमे खएलहुं, बल्कि दिन-राति मेहनति आ दुखके संग काज कएलहुं जाहिस' अहाँमेस' केकरोपर भार नहि पड़ए,9एना एहिलेल नहि की हमरालग अधिकार नहि अछि, बल्कि एहिलेल की हम अहाँलेल स्वयंके एकटा उदाहरणक रुपमे प्रस्तुत क' सकब।10किएकत' जखन हम अहाँसंग छलहुं, तखनो हम अहाँसबके आदेश दैत छलहुं, “यदि केओ काज करएलेल तैयार नहि अछि, त' ओकरा भोजन नहि करए दिऔ।”11किएकत' हम ओहि लोकके विषयमे सुनने छी, जे अहाँसबहक बीचमे आलसीके जीवन व्यतीत करैत अछि, आ काज नहि करैत अछि, बल्कि दोसरक काजमे हस्तक्षेप करैत अछि।12मुदा हमसब प्रभु यीशु मसीहमे एहन लोकसबके आज्ञा दैत छी आ आग्रह करैत छी, जे ओ चुपचाप काज करैत अपने रोटी खाउ।13मुदा भाइसब, उचित काज करैत नहि थाकू।14आब यदि केओ लोक ओहि पत्रके द्वारा कहल गेल बातक बात नहि मानैत अछि, त' ओकरापर ध्यान दिऔ—आ ओकरासंगे संगति नहि करु, जाहिस' ओ लज्जित भ' सकए।15आओर ओकरा शत्रु नहि बुझू, बल्कि ओकरा संगी-विश्वासी भाइ बुझिक' चेता दिऔ।16आब शान्तिक प्रभु स्वयं अहाँसबके सब तरहें शान्ति देथिन। प्रभु यीशु अहाँसबके संग रहथि।17ई शुभकामना हम पौलुस लिखने छी जे हरेक पत्रमे एकटा चेन्ह अछि जे ओहिस हमर अछि। हम एनाहिए लिखैत छी।18हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँसबहक संग बनल रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67