2 थिसलुनिका2

1आब यौ भाइसब, हमर प्रभु यीशु मसीहक आगमन आ हुनकासंग हमरासबके एकत्रित होएबाक विषयमे, हम अहाँस' आग्रह करैत छी,2जे नहि त' कोनो आत्माद्वारा, नहि कोनो वचनद्वारा, आ नहि कोनो पत्रद्वारा, हमरासबके दिसस' एहन बुझाति होए जेना प्रभुके दिन आबि गेल होए, अपन मनमे तुरन्त भ्रमित नहि होउ आ नहि डेराउ।3केओ अहाँके कोनो तरहें धोखा नहि दिए, किएकत' जाधरि परमेश्वरके विरुद्ध विद्रोह आ धर्मत्याग पहिने नहि होए, आ अधर्मी पुरुष मतलब विनाशके पुत्र प्रगट नहि भ' जाए ,4अर्थात् जे विरोध करैत अछि, आ परमेश्वर कहाबएबला सबटा वस्तु आ आराधना करबाक वस्तुस' बढ़िक' स्वयंके उंच करैत अछि। जेकर परिणाम, ओ परमेश्वरके मन्दिरमे बैसिक', ई देखाबए छै जे ओ अपने परमेश्वर अछि। 5की अहाँसबके मन नहि अछि, जे हम अहाँसबके ई सबबात संग थिसलुनिका शहरमे रहैत कहैत छलहुं?6आ आब अहाँसब सेहो जनैत छी जे हुनका के रोकि रहल अछि, जाधरि ओ अपना समयमे प्रगट नहि भ' जाएत।7किएकत' अधर्मके भेद पहिनेस' काज क' रहल अछि, आब जे ओकरा बाधित करैत अछि, ताधरि ओहिना करत, जाधरि ओ बाटस' हटि नहि जाएत ,8आ तखन ओ अधर्मी प्रगट होएत, जेकरा प्रभु यीशु अपन मुंहके सांसस' मारि देताह, आ अपन आगमनके तेजस' नाश क' देत ,9जेकर आगमन शैतानक काजक अनुसार सब शक्ति आ चेन्ह आ झूठ चमत्कार सबहक संग होएत,10आ नाश भ' रहल सबके लेल अधर्मके सब धोखाक संग होएत अछि, ई एहिलेल होइत अछि जे ओसब अपनालेल सत्यके प्रेमके स्वीकार नहि कएलनि के ओसब उद्धार पाबि सकथि।11आ एहि कारणस', परमेश्वर हुनकालग एकटा खराब काज करएबलाके भेज रहल अछि केओ झूठ पर विश्वास करए12जाहिस' ओकरासबके न्याय कएल जा सकए, जे सत्यपर विश्वास नहि कएलनि, मुदा अधर्ममे आनन्द लेलक।13आब यौ प्रिय भाइसब, अहाँसबके जेकरा प्रभुके दिसस' प्रेम कएल गेल अछि हमरा अहाँलेल सदिखन परमेश्वरके धन्यवाद करबाक चाही। किएकत' परमेश्वर अहाँके आत्माके पवित्र आ सत्यपर विश्वास करएमे उद्धारके लेल प्रथम फल के रुपमे चुनने छथि। 14ओ अहाँके हमर सुसमाचारके माध्यमस', हमर प्रभु यीशु मसीहके महिमा प्राप्त करबाक लेल बजौने अछि।15एहिलेल, यौ संगी-विश्वासी भाइ-बहिनसब, दृढ़ रहू आ ओहि परम्पराके जे अहाँके चाहे प्रचारद्वारा वा हमरासबके पत्रद्वारा सिखाएल गेल छल, गहने रहू।16आब स्वयं हमर प्रभु यीशु मसीह, आ हमरासबके पिता परमेश्वर, जे हमरासबस' प्रेम कएलनि आ अनुग्रहके द्वारा हमरा अनन्त उत्साह आ नीक आशा देलनि,17ओसब नीक काज आ वचनमे अहाँसबके हृदयके सान्त्वना देथिन आ मजगूत करथिन।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67