1 Timothy1
1पौलुस भरस' लिखल गेल पत्र, जे मसीह यीशुक प्रेरितके रुपमे छथि। परमेश्वर, जे हमरासबके उद्धार करैत छथि, आ प्रभु यीशु मसीह, जिनकापर हमसब आश लगौने छी, से हमरा आज्ञा देलनि।2हे, तिमुथियुस, अहाँ एगो असली संगी विश्वासमे हमरालेल एकटा पुत्र जकां छी। हमर इच्छा ई अछि जे परमेश्वर पिता आ अपनासबके प्रभु मसीह यीशु अहाँपर दया आ कृपा करथि आ अहूंके शान्ति भेटैत रहए।3जेना जे हम अपनेस' आग्रह कएने रही जे हम मकिदुनिया प्रदेशमे जा रहल रही, आ अहूं इफिसुस शहरमे ओतहि रहू जाहिस' अहाँ ओतुका किछु खास लोकके आज्ञा द' सकिऐ जे ओसब सत्यस' उनटा-पुनटा ने सिखाबए। 4ओकरासबके बेकारके पुरना कथासब आ पूर्वजसब असंख्य सूचीसबपर ध्यान देब छोड़ि देबाक निर्देश दिऐक, जे मात्र लोकसबके एक दोसरास' झगड़ा करबाक कारण बनैत अछि। ई बातसब परमेश्वरक योजनाके बढ़ाबा नहि दैत अछि, एहन तखन होइत अछि जखन हमसब परमेश्वरपर भरोसा करैत छी।5आब एहि आज्ञाके मूल बात ई अछि जे निष्कपट मनस', आ शुद्ध विवेक आ निष्कपट विश्वासस' प्रेम होएत अछि हम चाहैत छी जे ओसब गम्भीरतास' सत्य विश्वास करत। ईसब ओकरासबके दोसरोस' जखन हम आग्रह करैत छी इएह किछु पूरा करए चाहैत छी।6ओ झुट्ठा शिक्षकसब एहि नीको शिक्षासबके अस्वीकारक' देलक अछि। ओतहि, ओ बेकारके बात सिखाएब पसीन करैत अछि।7ओ व्यवस्थाके शिक्षक बनबाक इच्छा रखैत अछि जे व्यवस्था परमेश्वर मूसाके देने रहथि, मुदा ओसब ओहि बातसबके नहि बुझति अछि, जेकरा विषयमे ओ बात करैत अछि, वा एहन बातसब जाहिपर जोड़ दैत अछि जे की सत्य अछि।8मुदा हमसब जनैत छी जे परमेश्वर जे व्यवस्था मूसाके देने छथि ओ नीक छै देल नियमसबके सही ढंगस प्रयोग करब नीक अछि।9हम जनैत छी जे परमेश्वर नीक लोकसबके न्याय करबाक लेल व्यवस्था नहि बनबैत छथि बल्कि एहन लोकके न्याय करएलेल जे अधर्मी व्यवहार करैत छथि जेना कोनो व्यवस्था छैहे नहि आ जे केकरो आज्ञा मानएस' अटेरी करैत अछि। परमेश्वर व्यवस्थाके स्थापना ओहि लोकलेल करैत छथि जे परमेश्वरके आदरे नहि करैत अछि आ जे पापी अछि, ओहन लोकसबके लेल जे परमेश्वरके सम्मान नहि दैत अछि आ जे हुनकापर कोनो प्रकारक कोनो ध्यान नहि दैत अछि। ओ व्यवस्थाके स्थापना ओकरासबके लेल करैत छथि जे अपन पितासबके हत्या करैत अछि, ओहि लोकसबके करैत छथि जे अपन मायसबके हत्या करैत अछि, आ जे दोसरो लोकके हत्या करैत अछि।10परमेश्वर एहन लोकक लेल न्याय करएलेल व्यवस्थासब स्थापित करैत छथि जे लैंगिक रुपस' अनैतिक अछि, एहन पुरुष जे दोसरो पुरुषसबके संग यौन सम्बन्ध रखैत अछि, जे लोकसबके अपहरण करैत अछि आ ओकरासबके दासके रुपमे बेचैत अछि, झूठक लेल, जे व्यवस्थाके अदालतसबमे झूठ गवाही दैत अछि, आ हरेक ओहन गतिविधिके लेल जे हमरासबहक सत्य शिक्षाके विपरीत अछि।11ईसब एहि अद्भुत आ महिमामय सुसमाचारस' सहमत अछि, जेकरा परमेश्वर, जेकर हम धन्य कहैत छी, हमरा सोंपि देने छथि जे दोसरोसबके एकर घोषणा करी।12हम अपन प्रभु यीशु मसीहके अनुग्रहके आभारी छिएन्हि एहि काजके करएमे सक्षम बनौलनि, किएकत' ओ हमरा विश्वासयोग्य समझिक' हमरा हुनक सेवा करबाक लेल नियुक्त कएलनि13पहिने हम मसीहके नाम बदनाम कएने रहिऐ, हम हुनकर मण्डलीके सतएने रहिऐ, आ हम ओकरा प्रति बहुत हिंसक व्यवहार कएल। मुदा मसीह हमरासंग दयालु व्यवहार कएलनि किएकत' हमरा ई नहि बुझल छल जे हम जे क' रहल छी से अधलाह अछि। हमरा इहो नहि बुझल छल जे हम जे क' रहल छी ओ गलत अछि, किएकत हमरा हुनकापर विश्वास नहि छल।14परन्च अपनासबके प्रभु हमरालेल बहुतायतस' अनुग्रह कएलनि जेकर हम योग्य नहि छलहुं, ओ हमरा मसीह यीशुपर विश्वास करबाक आ हुनकास' प्रेम करबाक अनुमति कोनो एहन तरहें देलनि जे हुनकास' सम्बन्धित होअए।15सबहेके एहि कथनपर भरोसा करबाक आ स्वीकार करबाक चाही: “यीशु मसीह पापी लोकसबके उद्धार करबाक लेल संसारमे आएल रहथि जाहिस' परमेश्वर ओकरा ओकरासबके पापक लेल दण्ड नहि द' देथि।” जहांधरि हमर बात अछि, हम आन सबगोटेके तुलनामे हम सबस बड़का पापी रही।16मुदा इएह कारण अछि जे मसीह यीशु हमरापर अपन दयालु व्यवहार कएलनि। ओ लोकसबके ई देखब चाहैत छलथि जे ओ ओकरासंगे सब तरहें धैर्य रखैत छथि। हमहीं ओ व्यक्ति छी जे आन सबहक तुलनामे बहुत खराब पापसब कएने छी। एहि दुआरे ओ हमरा एहन लोकसबके लेल एकटा उदाहरणक रुपमे उपयोग कएलनि जे पछाति हुनकापर विश्वास करत आ परिणाम स्वरुप, सदाके लेल जीवित रहत।17परमेश्वर अविनाशी राजा छथि, जे कहियो नहि मरि सकैत छथि आ जिनका केओ देख नहि सकत। ओ एकमात्र सत्य परमेश्वर छथि। तएं आउ हमसब युगानुयुग सदैव हुनका सम्मान आ प्रशंसा करिएन्हि! एहिना होअए!18ई आज्ञा हम अहाँक सामने राखि रहल छी, हमर बेटा समान तिमुथियुस, अहाँक विषयमे पहिनुका भविष्यवाणी अनुसार, जे हुनकाद्वारा अहाँ सुसमाचारके सत्यताके लेल नीकस' लड़ि सकैत छी,19प्रभु यीशुपर सदैव विश्वास करैत रहू आ मात्र ओहि नीक विवेकके पकड़ने रहू जेकरा छोड़ि देने अछि आ एहिलेल ओसब परमेश्वरक संग अपन सम्बन्धके नाशक' देने अछि।20जे सब एहन कएलक ओहिमे हुमिनयुस आ सिकन्दर छथि। हम ओकरा शैतानके नियन्त्रणमे द' देने छिऐ, जाहिस की जखन शैतान ओकरासबके दण्ड दैक त' ओ परमेश्वरके सत्यताके अपमान कएनाइ नहि सिख सकए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.