2 थिसलुनिका1

1पौलुस, सिलवानुस , तिमुथियुस, के दिसस' थिसलुनिकाके मण्डली जे हमरासबके पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीहमे भेटएबला थिसलुनिका नगरके सबके मण्डलीके नाम लिखल ई पत्र अछि। 2पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीहद्वारा अहाँसबके अनुग्रह आ शान्ति भेटए।3यौ प्रिय भाइ-बहिनसब, जेना कर्तव्य सेहो अछि, भाइसब, हमरासबके अहाँसबके लेल सदिखन परमेश्वरके धन्यवाद देबाक चाही, कारण अहाँसबके विश्वास एतेक बढ़ि रहल अछि, आ अहाँसबमेस' प्रत्येकके एक-दोसरके प्रति प्रेम एतेक बढ़ि रहल अछि।4एहि कारण हमसब परमेश्वरक मण्डलीसबके बीच अहाँसबके दृढ़ता आ विश्वासक विषयमे घमण्ड करैत छी, जे अहाँसब ओहि सब सताव आ कष्टके सहैत छी,5जे परमेश्वरके धार्मिक न्यायक प्रमाण अछि, जाहिस' अहाँसब परमेश्वरके राज्यके योग्य भ' सकब, जेकरालेल अहाँसब दुख सेहो उठबैत छी।6यदि सांचोमे परमेश्वरके लेल धर्मी बात ई अछि जे अहाँसबके कष्ट देनिहार सबके क्लेश घुरा देथिन,7आ अहाँसबके शान्ति देथि, त' जहिया प्रभु यीशु अपन शक्तिशाली स्वर्गदूतसबके संग स्वर्गस' धधकैत आगिमे प्रगट होएताह त' हमरासबके संग सताओल जा रहल छथि। 8जे ओकरासबके दण्ड देथिन जे सब परमेश्वरके नहि चिन्हने छनि आ हमरासबके प्रभु यीशुक सुसमाचारके नहि मानने अछि ,9जाहि दिन प्रभु यीशु घुरिक' अओताह त' ओसब दण्ड चुकाओत—जे प्रभुके उपस्थिति आ हुनकर शक्तिके महिमास' दूर भ' क' सदाके लेल विनाश होएत ,10जखन ओ अपन सब पवित्र लोकक द्वारा प्रशंसा पाबएलेल घुरिक' आओत आ विश्वास करएबलासबपर आश्चर्यचकित होएताह, कारण अहाँसब हमरासबके गवाहीपर विश्वास कएलहुं। 11एहिलेल हम सदिखन अहाँलेल परमेश्वरस' प्रार्थना सेहो करैत छी, जाहिस' हमर परमेश्वर अहाँके एहि बजाहटिके योग्य बुझै आ सब नीक इच्छा आ विश्वासक काज शक्तिस' पूरा होइक,12जाहिस' हमरासबके परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीहक कृपाक अनुसार, हमरासबके प्रभु यीशुके नाम अहाँसबमे महिमा पाएत, आ अहाँसब हुनकामे महिमा पाएब। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67