2 Peter1
1सिमोन पत्रुस, यीशु मसीहके दास आ प्रेरित दिसस' लिखल ई पत्र अछि, ओकरासबलेल जे सब अपनासबके परमेश्वर आ उद्धारकर्ता यीशु मसीहके धार्मिकताद्वारा हमरेसब जकां समान मोलके विश्वास प्राप्त कएने सबके लेल।2परमेश्वर आ अपनासबके प्रभु यीशुके ज्ञानमे अहाँसबलेल अनुग्रह आ शान्ति बढ़िते जाइक।3किएकत' हुनकर दिव्य शक्ति अपनासबके जीवन आ भक्तिके लेल सब किछु देने अछि, जे अपन महिमा आ सद्गुण द्वारा अपनासबके बजौने छथि।4एहिलेल परमेश्वर अपनासबके अनमोल आ महान प्रतिज्ञासब देलथिन जाहिस' अहूंसब ईश्वरीय स्वभावमे सहभागी भ जाउ, एहि संसारमे भेटएबला ओहि भ्रष्टतास बंचि सकब जे खराब इच्छासबस' उत्पन्न भेल अछि।5आ आब एहिलेल, अपन विश्वासमे सद्गुणके सामेल करबाक लेल उत्तम प्रयास करु; आ सद्गुणमे, ज्ञानके;6ज्ञानमे आत्म-संयम; आ आत्म-संयममे धैर्य; आ धैर्यमे, भक्ति;7आ भक्तिमे भातृ-स्नेह। आ भातृ-स्नेहमे प्रेम।8किएकत' अहाँसबमे जे ई बातसब विद्यमान अछि आ बढ़ैत अछि, से अहाँसबके अपनासबके प्रभु यीशु मसीहके ज्ञानमे ने निकम्मा आ ने निष्फल बनाओत।9किएकत', जेकरामे ई गुणसब नहि अछि, से आन्हर, अदूरदर्शी अछि, ओसब अपन पहिलुका पापसबके शुद्ध कएल बात बिसरि गेल अछि।10तएं भाइसब, परमेश्वरमे अपन बजाहटि आ चुनावके सुनिश्चित करएमे आओर बेसी उत्तम प्रयास करु, किएकत' यदि अहाँसब ई सबटा बात करैत रहब त' अहाँसबके कहियो ठेंस नहि लागत।11कारण, एहि तरहें अहाँसबके अपनासबके प्रभु आ उद्धारकर्ता यीशु मसीहक अनन्त राज्यमे अहगरस' प्रवेशके व्यवस्था कएल जाएत।12एहिलेल, हम सदिखन एहि बातसबके स्मरण दिआबएलेल तैयार रहब, यद्यपि अहाँसब ईसब जनने छी आ वर्तमान सत्यमे स्थापित भ' गेल छी।13मुदा हम सोंचैत छी जे ई उचित अछि, जाधरि हम एहि डेरामे छी, अहाँसबके स्मरण दिअबैत रही।14किएकत' हम ई जनैत छी जेना हमर डेराके जल्दिए खसाओल जाएत, ठीक ओहिना जेना अपनासबके प्रभु यीशु मसीह हमरा ई बात प्रगट कएलथि।15मुदा हम ई देखबाक सब प्रयास करब जे हमरा गेलाकबाद अहाँसब एहि बातसबके सदिखन स्मरण करएमे सक्षम रहब।16हमसब अपनासबके प्रभु यीशु मसीहके सामर्थ्य आ हुनकर आगमनके बात चलाकीस' बनाओल दन्त्यकथा सबके अनुसरण क' क' नहि, बल्कि हुनकर महिमाके गवाही रही।17किएकत', जं महिमामय महिमामे भ' क' पिताके ओ वाणी हुनकालग ई कहैत अएलनि, “ई हमर प्रिय पुत्र छथि, हिनकास' हम बड़ प्रसन्न छी।” तब ओ परमेश्वर दिसस' आदर आ महिमा प्राप्त कएलथि। 18हमसब अपने स्वर्गस' आएल ई आवाज सुनलहुं जखन हमसब पवित्र पहाड़पर हुनकासंग छलहुं। 19आ हमरासबलग भविष्यवाणीके ओ वचन अछि जेकरा आओर निश्चित कएल गेल अछि, आ ओहिपर अहाँसब ध्यान द' क' नीके करैत छी, जेना अन्हारमे डिबिया ताधरि चमकैत अछि, जाधरि दिन नहि भ' जाए आ अहाँसबके हृदयमे भोरका तरेगन नहि उगि जाइक।20सबस' पहिने ई बुझब आवश्यक अछि जे पवित्र शास्त्रके हरेक भविष्यवाणी कोनो व्यक्तिके अपन व्याख्यास' नहि अबैत अछि।21किएकत' मनुष्यक इच्छास' कहियो कोनो भविष्यवाणी नहि अएलनि, बल्कि पवित्र आत्मासंगे लोकसब परमेश्वर दिसस' बजैत छलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.