1 Peter5
1आब हम, पत्रुस, अहाँसबमेस' जे लोक अगुवासब छी अर्थात् जे मण्डलीसबके अगुवाइ नेतृत्व करैत अछि हुनकासबके आग्रह करैत छी। हमहूं एकटा मण्डलीके देख-रेख कएनिहार छी। हम व्यक्तिगत रुपस' मसीहके कष्ट उठबैत देखएमे साक्षी छी, आ हम हुनकर महिमामय स्वभावमे सहभागी होएब जे परमेश्वर जल्दिए प्रगट करताह।2यौ बुजुर्गसब, अपन संगे रहल विश्वासीसबके देखभाल एना करु जेना अहाँसब एकटा चरबाह छी जे अपन भेंड़ाके झुण्डके देखभाल करैत अछि। ओकरासबके देखभाल करु एहिलेल नहि जे अहाँसबके करही चाही, मुदा एहिलेल जे अहूंसब वास्तवमे ओहे चाहैत छी जेना परमेश्वर चाहैत छथि। लोभी भ' क' एना नहि करु जे एनाक' क' धन जमा करु, बल्कि एहिके उत्साहस' करु।3परमेश्वर अहाँसबके जे विश्वासीसबके समूह सोंपने छथि, ओकरासबपर शासन करएबला अधिकारीसब जकां काज नहि करु। बल्कि अहाँसब अपन जीवन कोना संचालित करैत छी ताहिस' ओहि विश्वासीसबके लेल नीक उदाहरण बनू जेकरा परमेश्वर अहाँसबके अधीनमे देख-रेखक लेल राखि देने छथि।4जं अहाँसब ओ काजसब करब, त' जहिया यीशु, जे अपनासबके मुख्य चरबाह जकां छथि ओ प्रगट होथि, त' ओ अहाँसबमेस' अगुवासबके पुरस्कार देताह। ओ पुरस्कार महिमामय होएत आ सदाके लेल रहत। 5ओहिना युवकसब, मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबके आज्ञा मानू। आब अहाँसब विश्वासीसबके एक-दोसर प्रति विनम्र व्यवहार करबाक चाही किएकत' सुलेमान जे शास्त्रमे लिखने छथि से सत्य अछि: “परमेश्वर घमण्डी लोकके विरोध करैत छथि, मुदा विनम्र लोक प्रति दयालु व्यवहार करैत छथि।” 6ओना ई बात सत्य अछि, तएं परमेश्वरके समक्ष, जिनकालग लोकसबके बचाबके आ दण्ड देबएके अधिकार अछि, स्वयंके दीन बनाउ जे उचित समय अएलापर ओ अहाँसबके सम्मान करथि।7परमेश्वरपर भरोसा करु जे ओ ओहि सबबातके ध्यान रखताह जे अहाँसबके चिन्तित करैत अछि, कारण ओ अहाँसबके वास्ता करैत छथि।8स्पष्टरुपस' आ सावधानीपूर्वक सोंचू, किएकत' अहाँसबके दुश्मन शैतान अछि, आ ओ लोकके नाश करबाक खोजमे एमहर-ओमहर घुमि रहल अछि। ओ सिंह जकां गरजैत अछि आ लोकके मारिक' खाएलेल तकैत अछि।9मसीह आ हुनकर सन्देशपर दृढ़तापूर्वक भरोसा क' शैतानके विरोध करु। ई एहिलेल करु किएकत' अहाँसब जनैत छी जे सारा संसारमे अहाँसबके संगी-विश्वासीसब सेहो ओहिना कष्ट उठाबि रहल अछि।10मुदा जं अहाँसब किछुए कालके लेल कष्ट भोगैत छी, त' परमेश्वर जे सब तरहें दया करैत छथि। ओ स्वयं जे अहाँसब गमा देली ताहिके पुनर्स्थापित करताह आ अहाँसबके सब तरहें नीक जकां दृढ़ करताह। ई परमेश्वरे छथि जे अहाँसबके स्वर्गमे हुनकर अनन्त महिमामय उपस्थितिके अनुभव करबाक लेल चुनने छथि, किएकत' अहाँसब मसीहमे सहभागी भेल छी।11हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर सदा सर्वदाके लेल पराक्रमी राज करथि। आमीन!12सिलास हमरालेल ई पत्र लिखने छथि जेना हम ओकरा लिखएलेल आग्रह कएलिएन्हि। हम हुनका एकटा विश्वासयोग्य संगी-विश्वासी मानैत छी। हम अहाँसबके ई छोट पत्र एहिलेल लिखने छी जे अहाँसबके प्रोत्साहित करी आ अहाँसबके ई बताबी जे हम जे लिखने छी से परमेश्वरके सत्य आ कृपालु सन्देशके विषयमे अछि। एहि सन्देशपर दृढ़ विश्वास करैत रहू!13ई नगर जेकरा अपनासब बेबिलोन कहैत छी, ओहिमेके विश्वासीसब जिनका परमेश्वर अपन लोक बनएलेल चुनने छथि जेना ओ अहाँसबके चुनने छथि, अहाँसबके अपन अभिवादन पठाबि रहल अछि। मरकुस, जे हमरालेल एकटा बेटा जकां अछि, ओहो अहाँसबके अपन अभिवादन पठाबि रहल अछि।14प्रेमपूर्वक एक-दोसरके ई देखाबएलेल कल जोड़िक' अभिवादन करु जे अहाँसब एक-दोसरस' प्रेम करैत छी। हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके जे मसीहमे छी, शान्तिके अनुभव करबबैत रहथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.