2 Peter2
1आब लोकसबके बीचमे झुट्ठा प्रवक्तासब सेहो रहए, तहिना अहाँसबके बीचमे झुट्ठा शिक्षकसब सेहो होएत, जे नाश करएबला विधर्मके लाओत आ ओसब ओकरा मोल चुकता क' क' किननिहार मालिक मसीहके अस्वीकार करत, ओसब अपना उपर जल्दिए विनाशके लाबि रहल अछि। 2आ कतेको गोटे ओकर पतित काजसबके अनुसरण करत, जाहि कारण सत्यके मार्गके बदनामी होएत। 3आ लोभमे, ई झुट्ठा शिक्षकसब झूठबातसबस' अहाँसबके शोषण करत, किएकत' बहुत पहिनेस' ओकरासब उपर भेल दण्डके आज्ञा बेकार नहि गेल अछि आ ओकरासबके विनाश सुतल नहि अछि।4यदि परमेश्वर ओहि स्वर्गदूतसबके नहि छोड़लथि जे पाप कएने रहैक, मुदा न्यायके दिन नहि आबए धरि ओ ओकरासबके अन्हारके झिझिरस' बान्हिक' नरकमे फेक देलथिन। 5संगहि, ओ प्राचीन संसारके सेहो क्षमा नहि कएलथि, मुदा ओ नूहके, जे धार्मिकताके एकटा अग्रदूत छलनि, ओहि आठ गोटेके तखन बचौलथि, जाहि समय ओ अभक्त लोकसबके संसारपर जलप्रलय ल' क' अएलथि। 6परमेश्वर सदोम आ गमोरा नगरसबके सेहो भस्म क' क' दण्ड देलथिन , ओकरा एहि बातके लेल एकटा उदाहरणके रुपमे स्थापित क' देलथिन जे ओ की अछि जे भक्तिहीन लोकसबसंग होअएबला अछि। 7मुदा ओ धर्मी लूतके बचा लेलथि, जे अधर्मी लोकसबसंग कामुक व्यवहारस' दुखित छलनि। 8एहिलेल जे ओ धर्मी जन, जे प्रतिदिन ओकरासबके बीचमे रहैत छलनि, ओकरासबके दुष्ट काजसबके देखक' आ सुनिक' अपन धर्मी आत्मामे पीड़ित होइत छलनि।9प्रभु जनैत छथि जे भक्तजनके परीक्षासबमेस कोना बचाएब, आ न्यायके दिनमे दण्ड देबएलेल अधर्मी जनसबके कोना पकड़िक' राखब से जनैत छथि।10मुदा ई बात विशेषरुपस' ओकरासबके लेल सत्य अछि जे शरीर अनुसार अशुद्ध अभिलाषासबमे डुबल रहैत अछि आ परमेश्वरके अधिकारके तिरस्कार करैत अछि। ओसब ढीठ आ मनमौजी अछि, जे महिमा प्राप्त जनके निन्दा करएस' नहि डेराइत अछि।11मुदा स्वर्गदूत जेकरालग एहि झुट्ठा शिक्षकसबस' महान सामर्थ्य आ शक्ति अछि ओसब प्रभुके समक्ष ओकरासबके विरुद्ध अपमानजनक दण्ड नहि लबैत छनि।12मुदा ई झुट्ठा शिक्षकसब, अविवेकी जानबर जकां, स्वभावेस' बंदी बनाबएलेल आ विनाशके लेल जन्म लेने अछि। एहने बातसबके जे ओसब नहि बुझति अछि, तेकरासबके ओसब निन्दा करैत अछि, ओहोसब ओकरे विनाशमे नाश भ' जाएत।13ओसब अपन दुष्टकाजक फल भोगत। ओकरासबके लगैत छनि जे दुपहरके भोग-विलास बड़ आनन्दके बात अछि। ओ लोकसब कलंक आ दोष अछि। जाधरि ओसब अहाँसबसंगे भोजन करैत अछि ताधरि ओसब अपन छल-प्रपंचमे आनन्दित होइत अछि।14ओकरासबके आंखि व्यभिचारस' भरल अछि, आ पाप करएस' कहियो सन्तुष्ट नहि होइत अछि। ओसब आत्मामे अस्थिर लोकसबके खराब कामसबलेल लोभा लैत अछि, आ ओकरासबके हृदय लोभमे तालीम प्राप्त अछि। ओसब सरापके सन्तान अछि।15ओसब सोझ बाटके त्यागि देने अछि आ ओसब बेओरके पुत्र बिलामके पाछु चलैत चलैत भटकि गेल अछि, जे अधर्मके लेल धन पाबएके प्रेम करैत अछि। 16मुदा ओकरासबके अपन अपराधके लेल डांट-फटकार भेटलनि — एकटा नहि बाजएबाली गदही, आदमीके आवाजमे बाजिक' प्रवक्ताके पागलपनाके रोकि देलक। 17ईसब बिना पानिके स्रोत आ आन्हर बिहारिद्वारा उधियाएल धुन्हि अछि। ओकरासबके लेल अन्हारके उदासी आरक्षित कएल गेल अछि।18किएकत', ओसब व्यर्थके अभिमानके साथ बजैत अछि। ओसब शरीरके वासना स' लोकसबके फुसला लैत अछि। ओसब एहन लोकसबके फुसला लैत अछि जे त्रुटीपूर्ण जीवन जिअएबला लोकसबस' बंचिक' निकलएके प्रयास करैत अछि।19ओसब ओकरासबके स्वतन्त्रताके प्रतिज्ञा त' करैत अछि, मुदा ओ अपने विनाशके दास अछि। किएकत' केकरो जय पएने द्वारा ओकरा दास बनाओल जा सकैत अछि।20किएकत' यदि, अपनासबके प्रभु आ उद्धारकर्ता यीशु मसीहके ज्ञानक माध्यमस' ओसब संसारके भ्रष्टतास' बंचिक' निकलि त' गेलै, मुदा, फेरुस' ओहिमे फंसि गेलै आ हारियो गेलै।21किएकत', ई ओकरासबके लेल नीक होएतै जे धार्मिकताके मार्गके नहि जनितै, एकर तुलनामे ओकरा जनितै आ ओहि पवित्र आज्ञास' घुमि जएतैक, जे ओकरासबके सोंपल गेल रहैक।22ई कहावत ओकरासबसंगे सत्य अछि: “कुकुर अपन बोकरलहा चाटएलेल फेरु घुरि जाइत अछि, आ नहाएल धोएल सुगरनी थालमे ओंघराति अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.