2 John1
1हम धर्मवृद्ध दिसस', चुनल गेल स्त्री आ ओकर धियापुतासबके लेल पत्र लिख रहल छी, जेकरासबस' हम सत्यमे प्रेम करैत छी — आ हम मात्र नहि, बल्कि ओ सबगोटेके सेहो जे सत्यके जनैत अछि 2ओहि सत्यके कारण जे अपनासबमे रहैत अछि आ समयके अनन्तकालधरि अपनासबके संग रहत।3पिता परमेश्वर आ यीशु मसीहके अनुग्रह, कृपा आ शान्ति अपनासबसंगे रहत, जे सत्य आ प्रेममे पिताके पुत्र छथि।4हमरा बहुते खुशी भेल जे हम अहाँके किछु धियापुतासबके सत्यके बाटपर चलैत देखलहुं, जेना अपनासब पितास' आज्ञा प्राप्त कएने रही।5आ आब हम बहिन, अहाँस' आग्रह करैत छी — अहाँके कोनो नव आज्ञा लिखक' नहि, बल्कि जे हमरासबलग शुरुए' अछि — जे हमसब एक-दोसरस' प्रेम करी।6आ इएह प्रेम अछि, जे हमसब हुनकर आज्ञासब अनुसार चलैत छी। ई आज्ञा अछि, जेना अहाँ शुरुए' सुनने छी, जे अहाँके ओहिमे चलबाक चाही।7किएकत' बहुते भरमाबएबला संसारमे गेल अछि, जे यीशु मसीह मनुष्य बनिक' शरीरमे आबएबला बातके स्वीकार नहि करैत। ई भरमाबएबला आ मसीह विरोधी अछि।8स्वयं सावधान रहू, जे हमसब जाहिलेल काज कएलहुं से नहि गमाबी, बल्कि ओकर पूरा फल पाबी।9जे केओ मसीहके शिक्षापर टिकल नहि रहैत अछि, आ ओहिस' बाहर जाइत अछि ओकरा लग परमेश्वर नहि छथि। जे परमेश्वरके शिक्षापर टिकल रहैत अछि, ओकरा लग पिता आ पुत्र दुनू छथि।10जं केओ अहाँ लग आबए आ एहि शिक्षाके नहि लाबए, त' ओकरा अपन घरमे नहि ग्रहण करु आ नहि “प्रणाम” करु।11किएकत' जे ओकरा “प्रणाम” करैत अछि, ओकर कुकर्मसबमे सहभागी होइत अछि।12अहाँके लेल लिखबाक बहुत किछु अछि, हम कागज आ मसीस' नहि लिख' चाहैत छी। मुदा, हमरा आशा अछि जे अहाँ लग आबिक' सोझा सामने बात करब, जाहिस' अहाँके आनन्द पूर्ण भ' सकए। 13अहाँके चुनल बहिनके धियापुतासब अहाँके प्रणाम करैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.