1 John5
1जे केओ ई विश्वास करैत अछि जे यीशुए मसीह छथि, ओ परमेश्वरस' जनमल अछि, आ जे केओ ओहि जन्म देनिहारस' प्रेम करैत अछि, हुनकास' जन्मलसबस' प्रेम करत।2एहि तरहें अपनासब जनैत छी जे अपनासब परमेश्वरके सन्तानसबस' प्रेम करैत छी, जखन अपनासब परमेश्वरस' प्रेम करैत छी आ हुनकर आज्ञासबके पालन करैत छी।3कारण, ई परमेश्वरक प्रेम इएह अछि जे अपनासब हुनकर आज्ञासबके पालन करी। आ हुनकर आज्ञासब भारी नहि अछि। 4किएकत' ओ सबकेओ परमेश्वरद्वारा जन्मल अछि ओ एहि संसारपर विजय प्राप्त करैत अछि, आ इएह विजय अछि जे एहि संसारपर विजय प्राप्त कएने अछि, अर्थात् अपनासबके विश्वास।5मुदा ओ के अछि जे एहि संसारपर विजय पबैत अछि, की ओ नहि जे विश्वास करैत अछि जे यीशुए परमेश्वरके पुत्र छथि।6ई ओएह छथि जे पानि आ लेहूस' आएल छथि। अर्थात् यीशु मसीह — पानिस' मात्रे नहि, बल्कि पानि आ लेहूस'। आ पवित्र आत्मा ओ छथि जे गवाही दैत छथि, किएकत' ओ पवित्र आत्मा सत्य अछि।7किएकत' तीनू एक समान गवाही दैत अछि।8स्वर्गमे, लेहू, पानि आ पवित्र आत्मा आ पृथ्वीपर तीन गोट गवाह अछि। 9जं अपनासब मनुष्यसबके गवाहीके स्वीकार करैत छी, त' परमेश्वरक गवाही आओर बेसी नमहर अछि। किएकत' ई परमेश्वरके गवाही अछि, जे ओ अपन पुत्रके विषयमे देने छथि।10जे परमेश्वरके पुत्रपर विश्वास करैत अछि, से स्वयंमे गवाही अछि। जे परमेश्वरपर विश्वास नहि करैत अछि, से हुनका झूठ ठहरौने अछि, किएकत' जे गवाही परमेश्वर अपन पुत्रके विषयमे देने छथि, ताहिपर विश्वास नहि कएलक।11आ ओ गवाही ई अछि जे परमेश्वर अपनासबके अनन्त जीवन देने छथि आ ई जीवन हुनकर पुत्रमे अछि।12जेकरालग पुत्र छथि ओकरा लग अनन्त जीवन सेहो अछि। जेकरालग परमेश्वरके पुत्र नहि छथि ओकरा लग अनन्तो जीवन नहि अछि।13हम ई सबबात अहाँसबके लिखने छी जे अहाँसब परमेश्वरक पुत्रके नामपर विश्वास करैत छी, जे अहाँसब ई जानि सकी जे अहाँसबलग अनन्त जीवन अछि।14आ ई ओ साहस अछि जे अपनासबके परमेश्वरके सोझामे होइत अछि, जे जं अपनासब हुनकर इच्छा अनुसार किछु मांगब त' ओ अपनासबके बात सुनैत छथि।15आ जं अपनासब जनैत छी जे परमेश्वर अपनासबके बात सुनैत छथि, चाहे अपनासब किछुओ मांगब, त' अपनासब जनैत छी जे अपनासबके ओहिके पाबि लेने छी जे अपनासब हुनकास' मंगने रही।16जं केओ अपन भाइके एहन पाप करैत देखथि जे मृत्यु दिस जाएबला नहि अछि, त' ओ विनती करत, आ ओकरा जीवन भेट जाएत, ओहि पापसबके लेल जे मृत्यु दिस नहि ल' जाइत अछि। मुदा एहनो पाप अछि जे मृत्यु दिस ल' जाइत अछि; हम ई नहि कहि रहल छी जे ओकरोलेल प्रार्थना करए चाही।17सब प्रकारके अधर्म पाप अछि, आ एहनो पाप अछि जे मृत्यु दिस नहि ल' जाइत अछि।18अपनासब जनैत छी जे परमेश्वरस' जन्म लेनिहारसब पाप नहि करैत अछि, मुदा जे परमेश्वरस' जन्मल छलथि से ओकरा सुरक्षित रखैत छथि, आ दुष्ट ओकरा छुबिओ नहि सकैत अछि।19अपनासब जनैत छी जे अपनासब परमेश्वरस' छी आ समस्त संसार ओहि दुष्टके सामर्थ्यमे अछि।20मुदा अपनासब इहो जनैत छी जे परमेश्वरक पुत्र आबिक' ओ अपनासबके समझ देने छथि, जे अपनासब एकमात्र सत्य व्यक्तिके चिन्ह सकी। आ अपनासब एकमात्र सत्य व्यक्तिमे, अर्थात् परमेश्वरके पुत्र यीशु मसीहमे भेटैत छी। ओ सत्य परमेश्वर आ अनन्त जीवन छथि।21यौ छोटका बौआसब, स्वयंके मूर्तिसबस' बचाक' राखू।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.